गीताञ्जलि थापा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
गीताञ्जलि थापा
Geetanjali Thapa
Geetanjali Thapa in 2018
गीताञ्जलि थापा (२०१८ मे)
जन्म
राष्ट्रियताभारतीय
व्यवसायअभिनेत्री
सक्रिय वर्ष२०११ –वर्तमान
पुरस्कारसर्वश्रेष्ठ भूमिका, लस एञ्जल्स चलचित्र महोत्सव २०१३[१]
सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्री, इम्याजिन इन्डिया २०१३, म्याड्रिड[२]
सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्री, ६१म् राष्ट्रिय चलचित्र पुरस्कार[३]
सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्री, १४म् वार्षिक न्यूयोर्क भारतीय चलचित्र महोत्सव[४]


गीताञ्जलि थापा एक भारतीय चलचित्र अभिनेत्री छी। ओ लायर्स डाइसमे अपन अभिनय प्रदर्शनक लेल सन् २०१३ कें सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक राष्ट्रिय चलचित्र पुरस्कार जितने छल।

करियर[सम्पादन करी]

चलचित्र उद्योगमे आब सँ पहिने ओ एक व्यावसायिक मोडल छल। ओ सन् २०१० मे 'टीना की चाबी' नामक चलचित्र सँ अपन अभिनय करियरक आरम्भ केनए छल। कमल केएम द्वारा निर्देशित हुनकर दोसर चलचित्र, 'आईडी' हुनका लस एञ्जलस चलचित्र महोत्सवम्याड्रिड चलचित्र महोत्सवमे सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक पुरस्कार जितेने छल। चलचित्रक प्रिमियर बुसान अन्तर्राष्ट्रिय चलचित्र महोत्सवमे भेल आ एकरा कयन प्रतिष्ठित अन्तर्राष्ट्रिय समारोहसभक लेल चुनल गेल। एकर बाद ओ अमित कुमारद्वारा निर्देशित एक हिन्दी थ्रिलर चलचित्र मनसून शूटआउटमे अभिनय केलक, जकरा कान फिल्म फेस्टिभल २०१३ मे कयन अन्तर्राष्ट्रिय चलचित्र आलोचकसभ सँ समीक्षा प्राप्त करवाक लेल मिडनाइट स्क्रिनिङ्ग सेक्सनक भागक रूपमे प्रदर्शित कएल गेल छल। ओ अनुराग कश्यपक लघु चलचित्र 'द डे आफ्टर एभ्री डे' मे सेहो अभिनय केनए छल, जकर प्रदर्शन भेलाक किछ हफ्ताक भीतर युट्युब पर ६० लाख सँ अधिक बेर देखल गेल छल। ओ एकर बाद गीतू मोहनदासक 'लायर्स डाइस'मे अभिनय केलक जकर प्रिमियर अक्टुबर २०१३ मे मुम्बई चलचित्र समारोहमे कएल गेल आ जनवरी २०१४ मे सनडान्स फिल्म फेस्टिभल आ इन्टरनेसनल फिल्म फेस्टिभल रोटरड्याममे प्रदर्शित कएल गेल छल। ई चलचित्रमे गीताञ्जलि एक युवा महिलाकें भूमिकामे छल जहि अभिनयकें कारण हुनका ६१म् राष्ट्रिय चलचित्र पुरस्कार समारोहमे सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्री पुरस्कार जितेने छल। ई चलचित्र ८७म् एकेडमी पुरस्कारमे सर्वश्रेष्ठ विदेशी भाषा चलचित्रक लेल भारतक आधिकारिक प्रविष्टि सेहो छल, ई चलचित्र ओ वर्षक प्रतिष्ठित अन्तर्राष्ट्रिय चलचित्र समारोहसभमे कयन अन्य पुरस्कार जीतलक।

थापा एकेडमी पुरस्कार विजेता निर्देशक डेनिस तानोविकक भारतीय चलचित्र 'टाइगर्स' मे इमरान हाशमीक सङ्ग अभिनय केनए छल। ई चलचित्रकें सन् २०१४ कें टोरन्टो अन्तर्राष्ट्रिय चलचित्र महोत्सवमे समकालीन विश्व सिनेमा अनुभागमे प्रदर्शित करवाक लेल चुनल गेल छल। चलचित्र वाहेक, ओ कयन प्रतिष्ठित विज्ञापनसभमे काज केनए अछि।

ओ विक्रमादित्य मोटवानेक उत्तरजीविता ड्रामा ट्र्याप्डमे राजकुमार रावक सङ्ग अभिनय केनए छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "20th LA Film Fest Award"मूलसँ 2014-04-25 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2014-06-29 {{cite web}}: Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. "ImagineIndia 13th International Film Festival Award"मूलसँ 2014-05-29 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2014-06-29 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  3. "61st National Film Awards Announced" (PDF) (Press release)। Press Information Bureau (PIB), India। अन्तिम पहुँच 16 April 2014
  4. "14th Annual New York Indian Film Festival"। अन्तिम पहुँच 2014-06-29

बाह्य जड़ीसभ[सम्पादन करी]