जुबली हिल्स
जुबली हिल्स Jubilee Hills జూబ్లీ హిల్స్ | |
---|---|
निर्देशाङ्क: १७°२४′५९″N ७८°२६′१८″E / १७.४१६४७१°N ७८.४३८२४७°Eनिर्देशाङ्क: १७°२४′५९″N ७८°२६′१८″E / १७.४१६४७१°N ७८.४३८२४७°E | |
देश | भारत |
राज्य | तेलङ्गाना |
जिला | हैदराबाद |
मेट्रो | हैदराबाद |
सरकार | |
• अङ्ग | ग्रेटर हैदराबाद नगर निगम |
भाषासभ | |
• आधिकारिक | तेलुगु |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:३० (आईएसटी) |
पिन | ५०० ०३३ |
सवारी दर्ता | टीएस |
लोकसभा निर्वाचन क्षेत्र | सिकन्दराबाद |
विधानसभा निर्वाचन क्षेत्र | जुबली हिल्स |
योजना एजेन्सी | ग्रेटर हैदराबाद नगर निगम |
नागरिक एजेन्सी | ग्रेटर हैदराबाद नगर निगम |
वेबसाइट | telangana.gov.in |
जुबली हिल्स पश्चिम हैदराबाद, तेलङ्गानाक एक समृद्ध उपनगरीय क्षेत्र छी। ई भारतक सब सँ महग वाणिज्यिक आ आवासीय स्थानसभमे सँ एक छी जतय मूल जमीन मूल्यसभ ₹२००,००० ($२,९००) प्रति वर्ग यार्ड धरि पुगैत अछि। सन् २००५ मे शहरमे ६ एकड (२४,००० मी२) जमीन लगभग ₹३,३४०,०००,००० ($६६,८००,०००) मे बेचल गेल छल। भारतमे शीर्ष वाणिज्यिक भाडा स्थानसभक बीचमे सड़क नम्बर ३६ आ ३७ मे भाडा मूल्य ₹१००–₹२०० प्रति वर्ग फिट होएत अछि।
ई उपनगर बञ्जारा हिल्सक धनी वाणिज्यिक जिलाक बीच स्थित अछि आ हाइटेक सिटीक हैदराबाद आईटी हबक दु किलोमिटर भित्र अवस्थित अछि।[१][२][३] प्राकृतिक भूभाग प्रायः चट्टानी आ बस्तीसभ अपेक्षाकृत नव निर्माणक अछि।
एकर दक्षिण-पूर्वमे कासु ब्रह्मानन्द रेड्डी राष्ट्रिय निकुञ्ज अछि, पूर्वकालीन चिरान दरबार, जे भारतक सब सँ पैग सहरी राष्ट्रिय निकुञ्ज छी जकर क्षेत्र १.५८ वर्ग किलोमिटर अछि।
इतिहास
[सम्पादन करी]जुबली हिल्सक विचार १९६३ मे आएल छल। १९६७ मे, भारतीय प्रशासनिक सेवा अधिकारी आ पद्मश्री पुरस्कार विजेता, चल्लागला नरसिम्हमकें राष्ट्रपति बनने आ "उपनिवेशक उचित विकासमे मद्दत" करएक लेल आग्रह कएल गेल छल। ओ पदक लेल सब सँ अच्छा व्यक्ति मानल जाएत अछि कियाकी ओ मद्रासक बहुत उपनिवेशसभक योजना आ विकास केनए छल। ओ समयमे जुबली हिल्स विना विकासक एक पहाडी क्षेत्र छल। श्री सी नरसिम्हम परिवार पहिल परिवार छी जे जुबली हिल्समे घर निर्माण आ कब्जा केनए छल, जे ओसभकें ई स्थानक पहिल बासिन्दा बनाएल छल। सन् १९८० धरि ओ क्षेत्रमे ३५० घरसभ निर्माण कएल गेल छल जे ई क्षेत्रक उत्तरार्द्ध विकास सुरु भेल।
व्यावसायिक क्षेत्र
[सम्पादन करी]जुबली हिल्स फिल्म नगरक तेलुगु चलचित्र उद्योग केन्द्रक घर छी, आ एकर कुछ स्टुडियोसभ रामानायडू स्टुडियोज, पद्मालय स्टुडियोज आ अन्नपूर्णा स्टुडियोज यहाँ अवस्थित अछि। ई तेलुगु चलचित्र उद्योगक अधिकांश कलाकारसभ, व्यवसाय टाइकुनसभ, आ अग्रणी राजनीतिज्ञसभक घर सेहो छी।
पूजा ठाउँसभ
[सम्पादन करी]सीता रामास्वामी मन्दिर, जगन्नाथ मन्दिर, आ पेद्दम्मा मन्दिर क्षेत्रमे सब सँ लोकप्रिय अछि, बादक मन्दिर एकदम नव मन्दिर छी।
मिडिया
[सम्पादन करी]जुबली हिल्स पैग मिडिया घरसभक घर छी। एनटिभी, यूपटिभी, टिभी-९, टिभी५, टी न्यूज, आरएमएफटी रेनबो मिडिया, महा टिभी, वी६, सीवीआर न्यूज, इत्यादि मिडिया घरसभ जुबली हिल्स आ काभुरी हिल्समे अवस्थित अछि। ई मिडिया केन्द्र बनल अछि जकर मुख्य तेलगु मिडिया घरसभक यहाँ मुख्यालय छी।
कमल पोखरी
[सम्पादन करी]-
कमल पोखरीक दृश्य
-
बसल जाएवाला ठाउँ - कमल पोखरी
-
कमल पोखरी शान्तिमय सेप्टेम्बर बिहान
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ http://www.thehindubusinessline.com/features/smartbuy/tech-news/ecommerce-major-amazon-to-build-facility-in-hyderabad/article6313891.ece
- ↑ "Archive copy"। मूलसँ 2019-11-01 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-11-06।
{{cite web}}
: CS1 maint: archived copy as title (link) - ↑ http://www.thehindu.com/news/cities/Hyderabad/facebook-to-open-first-asia-office-in-india/article245437.ece
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]विकिमिडिया कमन्समे जुबली हिल्ससँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |