अंजोरी अलघ
अंजोरी अलघ Anjori Alagh | |
---|---|
जन्म | अंजोरी अलघ २० मई १९८१ |
अन्य नामसभ | अंजोरी सुनिल अलघ |
व्यवसाय | अभिनेत्री |
सक्रिय वर्ष | २००७– वर्तमान |
अंजोरी अलघ (जन्म: सन् १९८१ मई २०) एक भारतीय अभिनेत्री आ मोडल छी । ओ अभिनेत्री माया अलघक पुत्री छी आ एक विज्ञापनमे ४ सालक उमरमे अपन अभिनय करियरक शुरुवात केनए छल। अंजोरीक पहिल चलचित्र विक्रम भट्टक लाइफ मे कभी कभी (२००७) छी। ओ एक प्रशिक्षित कथक नर्तकी छी।[१]
पृष्ठभूमि
[सम्पादन करी]अंजोरीक जन्म भारतक लुधियानामे अलघ पंजाबी पोथवारी परिवारमे भेल छल। अंजोरीक माता माया अलघ, एक लोकप्रिय बलिउड चरित्र अभिनेत्री छी आ पिता सुनील अलघ, ब्रिटेनिया इन्डस्ट्रीजक मुख्य कार्यकारी अधिकृत छल। अंजोरीक एक बहिन सेहो अछि जकर नाम सांवरी छी जे एनडिटिभीकें मुख्य कार्यकारी अधिकृत समीर नायर सँ विवाह केनए अछि।
करियर
[सम्पादन करी]अंजोरी अलघ अपन चारि सालक उमरमे अभिनय केनाए शुरू केनए छल आ प्रह्लाद कक्कड़क सङ्ग म्यागी आ कोड्याक कऽ लेल बहुत रास विज्ञापन केनए छल । १० सालक छोट उमरमे, अंजोरी अपन पढ़ाई पुरा करवाक लेल अभिनय छोड़ि देनए छल। ओ ओहायोमे अर्थशास्त्र आ व्यवसाय प्रबन्धनक अध्ययन करवाक लेल अमेरिका चलि गेल छल। स्ट्यानफोर्ड अभिनय विद्यालयमे एक ग्रीष्मकालीन कार्यकालक बाद, ओ अपन पढ़ाई पुरा केलक आ भारत आएब गेल जतय ओ किशोर नमित कपूर अभिनय संस्थानमे प्रशिक्षणक लेल दाखिला लेलक। हुनकर माता अपन करियरमे अंजोरीक मार्गदर्शन केलक आ ओकरा चलचित्र निर्माता विक्रम भट्ट सँ भेट करेने छल। अंजोरी अपन अभिनय सँ भट्टकें बहुत प्रभावित केलक आ किछ महिनाक बाद, अंजोरीकें भट्ट फोन केलक आ ओकरा अपन चलचित्र लाइफमे कभी कभीमे एक भूमिका करवाक अवसर देनए छल। भट्ट अंजोरीक प्रदर्शन सँ प्रभावित भेल आ ओकरा सन् २००८ मे अपन दोसर चलचित्र १९२० मे फेर सँ समावेश केलक, जे बलिउड बक्स अफिस पर एक महत्वपूर्ण आ व्यावसायिक सफल चलचित्र बनल छल । अंजोरी एनडिटिभी इम्याजिन पर धारावाहि सीता और गीतामे सेहो अभिनय केनए अछि ।
फिल्मोग्राफी
[सम्पादन करी]सन् २००७ मे महेश भट्टद्वारा निर्देशित चलचित्र 'लाइफ में कभी कभी' सँ बलिउड चलचित्र उद्योगमे पदार्पण केनए छल। ओकर बाद सन् २००८ मे भुतिया चलचित्र '१९२०' मे अभिनय केनए छल आ ओहि वर्ष ओ तेलुगु सिनेमा '१९२० गायत्री' मे अभिनय केनए छल जे बलिउड चलचित्र १९२० कें कपी चलचित्र छी।
वर्ष | चलचित्र | भूमिका | टिप्पणी |
---|---|---|---|
२००७ | लाइफ में कभी कभी | इशिता शर्मा | बलिउड पदार्पण |
२००८ | १९२० | गायत्री | हिन्दी |
२००८ | १९२० गायत्री | गायत्री | अनुवादित संस्करण (तेलुगु) |
२००९ | फेम | अज्ञात | |
२०१४ | मञ्जुनाथ | सुजाता |
टेलिभिजन
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "I liked the lovemaking scene in KANK, says Anjori Alagh"। Daily News and Analysis। 14 March 2007। अन्तिम पहुँच 14 May 2010।