अर्धनारीश्वर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

अर्धनारीश्वर हिन्दू देवता शिव केर हुनकर पत्नी पार्वती केर सँग-सँगे भेल संयुक्त रूप छी। अर्धनारीश्वर केर आधा पुरुष आ आधा महिला केर रूपमे दर्शाओल गेल अछि अछि, जे बीचमे समान रूपसँ विभाजित अछि। दाहिना आधा हिस्सा साधारणरुपसँ पुरुष या भगवान शिव केर छी, जे हुनकर पारम्परिक गुणसभ केर दर्शावैत अछि।

सभसँ पुरान अर्धनारीश्वर छविसभ कुषाण कालक छी, जे पहिल शताब्दी ईस्वी सँ शुरू होईत अछि। एकर प्रतिमा विज्ञान गुप्त कालमे विकसित आ परिपूर्ण भेल। पुराणसभ आ विभिन्न प्रतीकात्मक ग्रन्थसभमे अर्धनारीश्वर केर पौराणिक कथासभ आ प्रतिमा विज्ञान केर बारेमे लिखल गेल अछि। अर्धनारीश्वर एकटा लोकप्रिय प्रतीकात्मक रूप छी जे पूरे भारतमे अधिकांश शिव मन्दिरसभमे पावल जाईत अछि, मुदा बहुत कम मन्दिर ई देवता केर समर्पित अछि।

अर्धनारीश्वर ब्रह्माण्ड (पुरुष आ प्रकृति) केर पौरष आ स्त्री ऊर्जा केर संश्लेषणक प्रतिनिधित्व करैत अछि आ दर्शावैत अछि जे कोना शक्ति, भगवानक स्त्री सिद्धान्त, भगवानक पुरुष सिद्धान्त शिवसँ अविभाज्य अछि (या किछ व्याख्यासभक अनुसार ओहि समान अछि), आ एकर विपरीत। ई सिद्धान्तसभक मिलन समस्त सृष्टि केर जडि आ गर्भ केर रूपमे प्रतिष्ठित अछि। एकटा अन्य दृष्टिकोण ई अछि जे अर्धनारीश्वर शिवक सर्वव्यापी प्रकृति केर प्रतीक छी।

अर्धनारीश्वर
अर्धनारीश्वर
देवनागरीअर्धनारीश्वर
संस्कृत अनुवादअर्धनारीश्वर
संबद्धताभगवान शिव आ माता पार्वती केर संयुक्त रूप
शस्त्रत्रिशुल
वाहननन्दी आ सोमनन्दी नाम भेल सिंह