सामग्री पर जाएँ

अल ऐन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अल ऐन
العين
हरियो मुबारजाहक दृश्य
हरियो मुबारजाहक दृश्य
देशसंयुक्त अरब इमिरेट्स
इमरातअबु धाबी
सरकार
  प्रकारनगरपालिका
  शेखखलीफा बिन जाएद
  प्रतिनिधितहनुन मुहम्मद बिन अल नहयन
क्षेत्रफल
  कुल१५१०० किमी (५८०० वर्गमाइल)
उन्नतांश
२९२ मिटर (९५८ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०१५)
  कुल६,५०,०००
  घनत्व४३/वर्ग किमी (११०/वर्ग माइल)
समय क्षेत्रयुटिसी+४ (संयुक्त अरब इमिरेट्स)

अल ऐन (अरबी: العين, al-ʿayn, शाब्दिक अर्थ वसन्त), एकर हरपनाक कारण गार्डन शहर सेहो कहै , संयुक्त अरब इमिरेट्सक सबसँ पैग भित्री शहर, जे (दुबई, अबु धाबीशारजाह पछ) चौथा सबसँ पैग, आ अबु धाबी इमरातक दोसर सबसँ पैग शहर छी । सन् २०१३ क जनगणना अनुसार अल ऐनक जनसंख्या ६५०,००० रहल छल ।[] ई, राजधानी, अबु धाबीक लगभग १६० किलोमिटर (९९ माइल) आ दुबईक लगभग १२० किलोमिटर (७५ माइल) दक्षिणमे स्थित अछि ।[] अल ऐन संयुक्त अरब इमिरेट्सक संस्थापक शेख जायद बिन सुल्तान अल नहयनक जन्मस्थान छी आ इमराती नागरिकसभक उच्चतम अनुपात (३०.८)% अछि ।[]

ऐतिहासिक रूपमे अल ऐनके तावाम या अल बुरेमी ओएसिस (मरुभूमिक एक उर्वरा ठाउँ जत् पानी पावैत अछि) कऽ एक भाग मानैत अछि । अल-ऐन मे ४,००० वर्षसँ पहिल सँ मानव बसोबास भेल पावैत अछि, जत् पुरातत्व स्थलसभ अल-हिलीजाबेल हफीत मे मानव वस्तीसभ देखिएल पावैत अछि । ओएसिससँ आधुनिक समय तक प्रारम्भिक खेतीक लेल पानी प्रदान केलक ।

अल ऐन अबु धाबी इमरातक पूर्व आ दुबईक दक्षिणमे आ अबु धाबी क पूर्वी क्षेत्रमे स्थित अछि । अबु धाबी इमरातक पूर्वी क्षेत्रमे लगभग १३,१०० वर्ग किलोमिटर (५,१०० वर्ग माइल) क्षेत्रफल परैत अछि ।

अल ऐनक ओएसिससभके ओसभक फालाज (भूमिगत सिंचाई) प्रणालीक लेल चिनैत अछि जे बोरहोलसँ पानी खेतीपाति आ खजूरक लेल प्रयोग करैत अछि । फालाज सिंचाई एक हजारौं पुरान प्रणाली छी जुन हजारौं वर्ष पहिल सेहो ओमान संयुक्त अरब इमिरेट्स, चीन, ईरान आ अन्य देशसभमे आरो व्यापक रूपमे प्रयोग करैत अछि ।

विश्व सम्पदा क्षेत्र

[सम्पादन करी]

अल ऐन संयुक्त अरब इमिरेट्सक विश्व सम्पदा क्षेत्र छी । ई क्षेत्रके युनेस्को सन २०११ मे विश्व सम्पदा क्षेत्र घोषणा कएल गेल छल । अल ऐनक साथ हफित, हिली, विदा बिन साउदओएसिस सांस्कृतिक क्षेत्रसभ सेहो विश्व सम्पदा क्षेत्रमे परैत अछि ।[]

अल ऐनमे गर्मी जलवायु अछि । घमाएल -नील आकाश वर्षभर आशा कैर सकैत अछि । जुन सँ सितम्बर महिना तक सामान्यतया अत्यन्त गर्मी आ आर्द्र होएत अछि । एहि समयमे अधिकतम ३८ डिग्री सेल्सियस (१०० डिग्री फारेनहाइट) तापमान होएत अछि । नवम्बरसँ मार्च तक मध्यम तापमानमे हल्का ठण्डा माैसम होएत अछि । ई अवधिक कुछ दिनमे घना कुहिरो सेहो देखैत अछि । औसतमे , जनवरी, वर्षक सबसँ जाड महिना छी आ अगस्तमे सबसँ बढी गर्मी होएत । सबसँ जाड महिना बाहक एकर औसत मौसम १८.८ डिग्री सेल्सियस (६५.८ डिग्री फरेनहाइट) रहल अछि ।

अल ऐन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थल (१९९६-२०१५)-कऽ लेल मौसम जानकारी
महिना जन फर मार्च अप्रैल मई जुन जुलाई अगस्त सित अक्टु नव दिस वर्ष
अधिकतम °से (°फे) औषत २४٫३
(७६)
२७٫५
(८२)
३१٫७
(८९)
३६٫५
(९८)
४१٫६
(१०७)
४३٫९
(१११)
४४٫२
(११२)
४४٫०
(१११)
४१٫५
(१०७)
३७٫३
(९९)
३०٫८
(८७)
२६٫४
(८०)
३५٫८१
(९६٫६)
दैनिक औषत °से (°फे) १८٫७
(६६)
२१٫३
(७०)
२४٫९
(७७)
२९٫५
(८५)
३४٫१
(९३)
३६٫२
(९७)
३७٫५
(१००)
३७٫५
(१००)
३४٫७
(९४)
३०٫७
(८७)
२५٫०
(७७)
२०٫७
(६९)
२९٫२३
(८४٫६)
न्यूनतम °से (°फे) औषत १३٫१
(५६)
१५٫१
(५९)
१८٫०
(६४)
२२٫५
(७३)
२६٫५
(८०)
२८٫४
(८३)
३०٫७
(८७)
३०٫९
(८८)
२७٫९
(८२)
२४٫१
(७५)
१९٫३
(६७)
१५٫१
(५९)
२२٫६३
(७२٫८)
स्रोत: मौसमअनलाइन []

चित्रावली

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. अहमद, अनवाद (४ नोभेम्बर २०१४), "अबु धाबीक जनसंख्या आठ वर्षमे दोब्बर", अन्तिम पहुँच २ नवम्बर २०१७
  2. "Statistical Report 2014 - 4th Issue.pdf", मूलसँ २०१७-११-१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ११ नोभेम्बर २०१७ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  3. "Population of Al Ain", मूलसँ २०१७-११-२४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ११ नोभेम्बर २०१७
  4. "Cultural Sites of Al Ain (Hafit, Hili, Bidaa Bint Saud and Oases Areas)", अन्तिम पहुँच ११ नोभेम्बर २०१७
  5. "Climate Robot: Al Ain Intl. Airport (262m)", अन्तिम पहुँच १८ फेब्रुअरी २०१६

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

आकृति:Abu Dhabi

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]