आइसिआइसिआई बैंक
![]() | |
सार्वजनिक | |
Traded as | |
उद्योग | बैंकिङ्ग, फाइनान्सियल सेवासभ |
स्थापना | १९९४ |
मुख्यालय | मुम्बई, महाराष्ट्र, भारत |
सेवा क्षेत्र | विश्वव्यापी |
मुख्य लोकनि | एम. के. शर्मा (चेयरम्यान) श्रीमति चन्दा कोच्चर (एम.डी. तथा सी.ई.ओ.) |
उत्पादनसभ | क्रेडिट कार्ड्स उपभोक्ता बैंकिंग, कर्पोरेट बैंकिंग, वित्त तथा बीमा, निवेश बैंकिंग, बंधक ऋणसभ, निजी बैंकिंग, धन प्रबन्धन, व्यक्तिगत कर्जा, भुक्तान समाधान, व्यापार आ खुदरा विदेशी मुद्रा |
Revenue | ![]() |
![]() | |
![]() | |
कूल सम्पति | ![]() |
Total equity | युएस$१५.४ बिलियन (२०१७)[१] |
कर्मचारी सङ्ख्या | ८४०९६ (२०१७)[२] |
वेबसाइट | icicibank.com |
आईसीआईसीआई बैंक भारत के प्रमुख बैंकिंग एवं वित्तीय सेवा संस्थान छी। पहिने एकर नाम 'इन्डस्ट्रियल क्रेडिट ऐण्ड इन्वेस्टमेन्ट कार्पोरेशन अफ इण्डिया' (भारतीय औद्योगिक ऋण आ निवेश निगम) छल। ई भारतक तेसर सभसँ पैग बैंक छी। बाजार कैपिटलाइजेशन के दृष्टि सँ भारत के निजी क्षेत्र के ई सभसँ पैग बैंक छी। ई बैंक के भारत मे २८८३ शाखासभ अछि एवं १००२१ एटीएम अछि। ई १९ अन्य देशसभ मे सेहो मौजूद अछि।
आईसीआईसीआई बैंक ३१ मार्च २०१० मे ३,६३४.०० अरब रुपैयासँ (८१ अरब अमेरिकन डलर) के कुल आस्तिसभ तथा ४०.२५ अरब रुपैया (८,९६० लाख अमेरिकन डलर) के कर-पश्चात् लाभ वाला भारत के दोसर सभसँ पैग बैंक छी। बैंक के पास भारत मे २८८३ शाखासभ तथा लगभग १००२१ ए.टी.एम. के नेटवर्क अछि तथा १९ देशसभमे एकर उपस्थिति अछि। आईसीआईसीआई बैंक करपोरेट तथा रिटेल ग्राहकसभक अनेक प्रकार के सेवा चैनलसभ तथा निवेश बैंकिंग, जीवन तथा साधारण बीमा, वेन्चर कैपिटल तथा एसेट प्रबन्धन के क्षेत्र मे अपन विशेषीकृत सहायक संस्थासभक माध्यम सँ अनेकानेक बैंकिंग उत्पाद आ वित्तीय सेवासभ दैत अछि। वर्तमान मे बैंक के सहायक संस्थासभ युनाइटेड किंगडम, रूस तथा क्यानाडा मे, शाखासभ युनाइटेड स्टेट्स, सिगाङ्पुर, बहराईन, हंगकंग, श्रीलंका, कतार, दुबई इन्टरनेशनल फाइनेन्शियल सेन्टर मे तथा प्रतिनिधि कार्यालय युनाइटेड अरब एमिरेट्स, चीन, दक्षिण अफ्रीका, बाङ्गालादेश, थाइल्याण्ड, मलयेशिया तथा इन्डोनेशिया मे अछि। यू.के. के शाखासभके सहयोगी संस्था बेलजियम तथा जर्मनी मे शाखासभ के स्थापना केनए अछि।
आईसीआईसीआई बैंक के इक्विटी शेयर भारत मे बम्बई स्टक एक्सचेन्ज तथा नेशनल स्टक एक्सचेन्ज अफ इन्डिया लिमिटेड आ एकर अमेरिकन डिपोजिटरी रिसीट्स (ए.डी.आर.) न्यू योर्क स्टक एक्सचेन्ज (एन.वाय.एस.ई.) मे सूचीबद्ध अछि।