आकृति:मुख्य लेख/जिमी वेल्स

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
जिमी वेल्स

जिमी वेल्स (जन्म ७ अगस्त १९६६) एक अमेरिकी इन्टरनेट प्रबन्धक तथा एक स्वतन्त्र विश्वकोश विकिपिडिया तथा विकिया कम्पनीकेँ सह-संस्थापक छी। जिमी वेल्सक जन्म संयुक्त राज्य अमेरिकाक अलाबामा राज्यमे भेल छल। ओ अप्पन विद्यालय शिक्षा रानडोल्फ विद्यालयसँ पुरा केनए छल। बादमे, ओ वित्त विषयमे स्नातक आ स्नातोकोत्तरक शिक्षा औबर्न विश्वविद्यालयअलाबामा विश्वविद्यालयसँ प्राप्त केलक। सन् १९९६ मे बोमिस नामसँ दुटा साझेदारक भागीदारीसँ एक वित्तीय संसाधन उपलब्ध कराबऽवला संस्था स्थापित केलक जे न्यूपेडिया नामक मुक्त ज्ञानकोश प्रदायी संस्थान आ ओकर अनुवर्ती प्रतिष्ठान विकिपिडियाकेँ प्रारम्भिक आर्थिक सहयोग प्रदान केनए छल।

एखन ओ विकिमिडिया फाउन्डेसनक न्यासी बोर्डमे काज करैत अछि। ई फाउन्डेसन एक धर्मार्थ सङ्गठन अछि जे बिना कोनो लाभ विकिपिडिया चलबैत अछि। (पूरा लेख...)