आकृति:मुख्य लेख/मार्च, २०१५

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
जानकी मन्दिर

जानकी मन्दिर पवित्र हिन्दू धर्मस्थल छी । जानकी अर्थात् सीताक इ मन्दिर वोकर जन्मस्थल जनकपुरमें अवस्थित अछि । इ मन्दिरकें मुगल शैलीमें बनाएल गेल अछि । नेपालक ख्यातीप्राप्त एहि मन्दिरके कलाक उत्कृष्ट नमुना मानल गेल अछि । प्राचिन मिथिलाक राजधानी जनकपुरमें अवस्थित जानकी मन्दिर विश्वभरिक हिन्दुक आस्थाक केन्द्र छी । हिन्दु धर्ममें लोकप्रिय रहल रामायणक सीताक जन्मस्थलमें निर्मित इ मन्दिर भव्य आ आकर्षक अछि । भारत मध्यप्रदेशस्थित टिकमगढक राजकुमारी वृषभानु कुँवरीद्वारा ९ लाख चाँदीक असर्फी खर्च कए निर्माण करावोल गेल मन्दिर रहलाक कारण एकरा नौलखा मन्दिर सेहो कहल जाएत अछि | (पूरा लेख...)