आकृति:मुख्य लेख/शिर्षक

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Jump to navigation Jump to search
मुख्य लेख
ई मासक प्रमुख लेख (अगस्त, २०१९)
Cscr-featured.svg

मैथिली विकिपिडियाक सम्मुख पन्नामे प्रदर्शित होमएवाला मुख्य लेखकें मासिक रुप सँ स्तरीय लेखसभ सँ परिवर्तन करवाक व्यवस्था कएल गेल अछि । मैथिली विकिपिडियामे एखन धरि १३,४०३ लेखसभ अछि जहिमे ४४ लेखसभ मुख्य लेखक लेल चुनल जा चुकल अछि । कोनो भी लेख मुख्य लेखक लेल चुनल जेवाक लेल स्तरीय होनाए अनिवार्य अछि जकर लेल किछ मापदण्डसभ तय कएल गेल अछि । यदि अहाँक मुख्य लेखमे कोनो समस्या बुझबैत अछि या अहाँ कोनो समस्या देख रहल छी तँ कृपया ई पृष्ठक वार्तालापमे सन्देश देबऽ कऽ लेल अनुरोध करैत छी ।

लेखके उपर दहिना दिस पियर ताराक चिन्ह ओ मुख्य लेख छी से जनबैत अछि ।

सचिन तेन्दुलकर

सचिन रमेश तेन्दुलकर एक पूर्व भारतीय क्रिकेट खेलाडी आ कप्तान छी। क्रिकेटक इतिहासमे सचिनके विश्वक सर्वश्रेष्ठ बल्लेबाजसभमे गिनल जाएत अछि। भारतक सर्वोच्च नागरिक सम्मान भारत रत्न सँ सम्मानित होमए वाला ओ सर्वप्रथम खेलाडी आ सब सँ कम उमरक व्यक्ति छी। सचिन तेन्दुलकर राजीव गान्धी खेल रत्न पुरस्कार सँ सम्मानित एकमात्र क्रिकेट खेलाडी छी। सन् २००८ मे हुनका पद्म विभूषण सँ सेहो पुरस्कृत कएल गेल छल।

सन् १९८९ मे अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटमे पदार्पण कएलाक पश्चात् ओ बल्लेबाजीमे बहुत रास कीर्तिमान स्थापित केनए अछि। ओ टेस्टएकदिवसीय क्रिकेट, दुनू स्वरूपमे सर्वाधिक शतक बनेनिहार खेलाडी छी। (पूरा लेख...)

{{मुख्य लेख nav{{{1}}}{{{2}}}}}