आन्ध्र महासागर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
आन्ध्र महासागर
Atlantic Ocean
Map of the Atlantic Ocean
निर्देशाङ्क०°उ॰ २५°प॰ / ०°N २५°W / 0; -25निर्देशाङ्क: ०°उ॰ २५°प॰ / ०°N २५°W / 0; -25
सिंचित राष्ट्रसभList of countries, ports
सतह क्षेत्रफल१०,६४,६०,००० किमी (४,११,००,००० वर्ग माइल)
उत्तर अटलांटिक: ४,१४,९०,००० किमी (१,६०,२०,००० वर्ग माइल),
दक्षिण अटलांटिक ४,०२,७०,००० किमी (१,५५,५०,००० वर्ग माइल)
औषत गहिराई३,६४६ मी (११,९६२ फिट)
अधिकतम गहिराई८,४८६ मी (२७,८४१ फिट)
पानिक आयतन३१,०४,१०,९०० किमी3 (७,४४,७१,५०० घन माइल)
किनार लम्बाई१,११,८६६ किमी (६९,५१० माइल)
1 किनारके लम्बाई ठिकसँ परिभाषित नै अछि ।

आन्ध्र महासागर या एटलान्टिक महासागर विशाल जलराशिक नाम छी जे यूरोप तथा अफ्रिका महादेशसभक नयाँ संसारक महादेशसभसँग पृथक करैतअछि । क्षेत्रफल आ विस्तारमे संसारक दोसर पैग महासागर छी जे पृथ्वी क १/५ क्षेत्र ओगटेने अछि । ई महासागरक नाम ग्रीक संस्कृतिसँ लेने अछि जहिमे एकरा नक्शाक समुद्र सहो कहैत अछि । ई महासागरक आकार लगभग अङ्ग्रेजी अक्षर क जहिना अछि । लम्बाईक अपेक्षा एकर चौडाई बहुत कम रहल अछि । आर्कटिक सागर, जे बेरिङ्ग जलडमरूमध्यसँ उत्तरी ध्रुव होएत स्पिट्सबर्जेन आ ग्रीनल्याण्डधरि फैलल अछि, मुख्यतः आन्ध्रमहासागरक अङ्ग छी । ई प्रकार उत्तरमे बेरिङ्ग जल-डमरूमध्यसँ लऽ दक्षिणमे कोट्सलैंडतक एकर लम्बाई १२,८१० माईल अछि । एकर क्षेत्रफल ई अन्तर्गतक समुद्रसभसहित ४,१०,८१,०४० वर्ग माईल अछि । ई अन्तर्गत समुद्रसभके छोइड एकर क्षेत्रफल ३,१८,१४,६४० वर्ग माईल अछि । ई एकटा विशाल महासागर छी जेकर अधीन विश्वक सबसँग पैग जलप्रवाह क्षेत्र रहल अछि । उत्तरी आन्द्रामहासागरक पृष्ठतलक लवणता अन्य समुद्रसभक तुलनामे पर्याप्त रहल अछि । एकर अधिकतम मात्रा ३.७ प्रतिशत अछि जे २०°- ३०° उत्तर अक्षांशसभक बिचमे विद्यमान अछि । ई महासागरक अन्य भागसभमे लवणता अपेक्षाकृत कम रहल अछि ।

महासगारक गहिराई[सम्पादन करी]

पोर्चुगलसँग महासागरक दृश्य


एटलान्टिक महासागरक गहिराईक प्रारम्भिक अध्ययनमे पनडुब्बी चालक (१८७३-७६) कऽ अन्वेषण अभियानक समान अन्य वैज्ञानिक महासागरक अन्वेषणसभमे योगदान देने छल । एटलान्टिक महासागरीय विद्युत केबुलसभक स्थापनाक करैक लेल आवश्यक जानकारी प्राप्ति करैक लेल ई प्रकारक अध्ययनसभ विशेष प्रोत्साहन देलक । एकर गहिराइ कऽ सन्दर्भमे एकटा अन्वेषण टोलि सन् (१९२१) कऽ अध्ययन अनुसार ई महासागरक औसत गहिराई, समुद्रसभके छोइड, ३,९२६ मीटर, अर्थात् १२,८३९ फिट अछि । एकर ज्ञात अधिकतम गहिराई, ८,६०५ मिटर अर्थात् २८,२३२ फिट अछि आ ई महासागरक सबसँ गहिर भाग पोर्टोरिको ट्रेन्च छी जेकर गहिराई लगभग ८,६०५ मिटर (२८,२३२ फिट) रहल अछि ।[१]

सहायकधारासभ[सम्पादन करी]

आन्ध्र महासागरक सहायकधारासभ नियमितरुपमे हावाक दिशा अनुरूप बहैत अछि । मुदा स्थल खण्डक आकृतिक प्रभावसँ धारासभक ई क्रममे कुछ अन्तर अवश्य आवैत अछि । उत्तरी एटलान्टिक महासागरक धारासभमे उत्तरी विषुवतीय धारा, गल्फ स्ट्रीम, उत्तरी एटलान्टिक प्रवाह, कैनेरी धारा आ लैब्रोडोर धारासभ मुख्य रहल अछि । दक्षिणी एटलान्टिक महासागरक धारासभमे दक्षिणी विषुवतीय धारा, ब्राजील धारा, फाकल्याण्ड धारा, पछौ प्रवाह आ बैङ्गुला धारासभ मुख्य रहल अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]