इलियाना सिटारिस्टी

इलियाना सिटारिस्टी एक इटाली मूलक ओडिसी आ छऊ नर्तकी छी, आ भुवनेश्वर, भारतमे अवस्थित एक नृत्य प्रशिक्षक छी। हुनका सन् १९९५ मे बङ्गाली चलचित्र युगान्तक लेल सर्वश्रेष्ठ कोरियोग्राफीक लेल ४३म् राष्ट्रिय चलचित्र पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल छल। सन् २००६ मे विदेशी मूलक पहिल नर्तककें ओडिसीमे हुनकर योगदानक लेल भारत सरकार पद्म श्री पदक सँ सम्मानित केनए छल।[१]
जीविनी
[सम्पादन करी]सिटारिस्टी, इटलीक बर्गामोक मूल निवासी छी। ओ सेवरिनो सिटारिस्टी कऽ बेटी छी जे इटलीक डेमोक्राजिया क्रिस्टियाना पार्टीक एक प्रमुख राजनीतिज्ञ अछि।[२][३][४] कथकली नृत्य सीखवाक निर्णय करऽ सँ पहिने ओ इटलीमे पारम्परिक आ प्रायोगिक रङ्गमञ्चमे एक अभिनेत्रीक रूपमे पाँच वर्ष बितेनाए छल।[५]

ओ भारत आबि केरल गेल, जतय ओ कथकली नृत्य अध्ययन करैमे तीन महीना बितेलक, एहि सँ पहिने कि ओ अपन कथकली गुरु, कृष्णन नन्बूदरी कऽ सलाह पर ओडिशा चलि गेल छल। सन् १९७९ सँ ओ स्थायी रूप सँ ओडिशामे रहऽ लागल अछि।[६] ओ 'मनोविश्लेषण आ पूर्वी पौराणिक कथासभ' पर एक शोध कऽ साथ विद्यावारिधि केनए अछि।
सिटारिस्टी अपन गुरु केलुचरण महापात्र कऽ तहत ओडिसी नृत्य कऽ अध्ययन केनए छल आ सन् १९९४ मे अपना स्वयं कऽ नृत्य शिक्षण शाला शुरू केनए छल। सिटारिस्टी मयूरभञ्ज छऊ नृत्य कऽ प्रतिपादक सेहो छी, जे ओ अपन गुरु हरि नायक कऽ संरक्षणमे सीखने छल आ भुवनेश्वर कऽ सङ्गीत महाविद्यालय सँ छऊ नृत्य कऽ एक आचार्य कऽ उपाधि धारण केनए छल। ओ सन् १९९६ मे 'आर्ट भिजन एकेडमी' कऽ स्थापना केनए छल, जे विभिन्न कलात्मक रूप सँ जेना थिएटर, सङ्गीत, नृत्य आ चित्रकला कऽ बीच विचारसभ साझा करवाक लेल एक मञ्च कऽ रूपमे काज करैत अछि। एकेडमी ओडिसी नृत्य आ छऊ नृत्य कऽ कक्षासभ सेहो सञ्चालन करैत अछि। [७]
इलियाना सिटारिस्टी ओडिसी आ छाऊ नृत्यमे अपन अभिनव कोरियोग्राफिक प्रस्तुतिसभ कऽ लेल विख्यात अछि, जे पश्चिम आ पूर्व दुनू थीम आ शैलिसभ एक सङ्ग लबैत अछि।
किताब आ चलचित्र
[सम्पादन करी]अपर्णा सेनद्वारा निर्देशित एक बङ्गाली चलचित्र युगन्तर चलचित्रमे उत्कृष्ट कोरियोग्राफीक लेल हुनका सन् १९९६ मे राष्ट्रिय चलचित्र पुरस्कार प्राप्त भेल छल। एकर बाहेक ओ एमएफ हुसैन कऽ 'मीनाक्षी: ए टेल अफ थ्री सिटीज' (२००४) आ गौतम घोष कऽ 'अबर अरण्ये' (२००३) चलचित्रमे कोरियोग्राफी केनए अछि। सिटारिस्टी तीन पुस्तकसभक लेखक सेहो छी।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "She Sways to Conquer", The Indian Express, ७ अप्रैल २००६, अन्तिम पहुँच २२ अगस्त २०१४।
- ↑ "Odisha is now my home: Ileana Citaristi", The Times of India, मार्च २९, २०१२, मूलसँ २०१३-०१-०३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ६ नवम्बर २०१२।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Description of a dancer's life - Ileana Citaristi", danceshadow.com, मूलसँ २६ अगस्त २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २२ अगस्त २०१४।
- ↑ "India, aggredita ballerina italiana. E' figlia dell'ex Dc Citaristi", La Republica, अन्तिम पहुँच २२ अगस्त २०१४।
- ↑ "Ileana Citarista - Curriculum Vitae", मूलसँ ७ सितम्बर २०११ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ६ नवम्बर २०१२।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Ladies who love Indian rhythm", The Pioneer, २३ अक्टुबर २०१२, अन्तिम पहुँच ६ नवम्बर २०१२।
- ↑ "Dr. Ileana Citaristi: My karma is to break new ground", अन्तिम पहुँच ६ नवम्बर २०१२।