सामग्री पर जाएँ

एना लिन्ध

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एना लिन्ध
Anna Lindh
विदेश मन्त्री
कार्यकाल
७ अक्टुबर १९९८  ११ सितम्बर २००३
प्रधानमन्त्रीगोरन पर्सन
पूर्वाधिकारीलिना हेजेलम-वालेन
उतराधिकारीजन ओ कार्लसन
पर्यावरण मन्त्री
कार्यकाल
७ अक्टुबर १९९४  २२ मार्च १९९६
प्रधानमन्त्रीइङ्गवार कार्लसन
पूर्वाधिकारीओलोफ जोनसन
उतराधिकारीलिना सोमेस्ताद
रिक्सड्यागक सदस्य
कार्यकाल
२० सितम्बर १९९८  ११ सितम्बर २००३
कार्यकाल
१९ सितम्बर १९८२  १५ सितम्बर १९८५
निर्वाचन क्षेत्रसोएदरम्यानल्याण्ड काउन्टी
व्यैक्तिक विवरण
जन्म
याल्भा एना मारिया लिन्ध

(१९५७-०६-१९)१९ जुन १९५७
स्वीडेन
मृत्यु११ सितम्बर २००३(२००३-०९-११) (४६ वर्ष)
स्टकहोम, स्वीडेन
Manner of deathहत्या
राजनैतिक दलस्वेडिस सोसल डेमोक्रेटिक पार्टी
जीवनसाथीबो होम्बर्ग (वि. १९९१)
बाल बच्चा
मातृ शिक्षा प्रतिष्ठानउप्साला विश्वविद्यालय

याल्भा एना मारिया लिन्ध (१९ जुन १९५७ - ११ सितम्बर २००३) एक स्वीडिस सोसल डेमोक्रेटिक पार्टीकें राजनीतिज्ञ छल, जे सन् १९९८ सँ सन् २००३ धरि विदेश मामलाकें मन्त्री आ सन् १९९४ सँ सन् १९९६ धरि पर्यावरण मन्त्रीकें रूपमे काज केनए छल। ओ सन् १९८२ सँ सन् १९८५ आ सन् १९९८ सँ सन् २००३ धरि सोएदरम्यानल्याण्ड काउन्टीक लेल सांसदक रूपमे काज केनए छल।

लिन्धक जन्म स्टकहोमक दक्षिणपूर्वी उपनगर एनस्क्याड-एर्स्टामे स्ट्याफन (१९३१-२०१७) आ न्यान्सी लिन्ध (१९३२-२००५) कऽ घरमे भेल छल। ओ मात्र १२ वर्षक उमरमे राजनीतिमे शामिल भऽ गेल छल, जखन ओ स्वीडिस सोसल डेमोक्रेटिक यूथ लिगक स्थानीय शाखामे शामिल भेल छल। पार्टीमे शामिल भेलाक बाद हुनकर मुख्य प्राथमिकता भियतनाम युद्धक विरूद्ध विरोध केनाए छल।

लिन्ध उप्साला विश्वविद्यालयमे अध्ययन केलक जतय सँ ओ कानून विषयमे स्नातकक उपाधि प्राप्त केलक। सन् १९८२ मे ओ सोएदरम्यानल्याण्ड काउन्टीक लेल रिक्सड्याग (सांसद) कऽ सदस्य चुनल गेल। सन् १९८४ मे ओ स्वीडिस सोसल डेमोक्रेटिक यूथ लीगक पहिल महिला अध्यक्ष बनल। अध्यक्षक रूपमे हुनकर छ साल अन्तर्राष्ट्रिय मामलासभ (निकारागुआ, भियतनाम, दक्षिण अफ्रिकाप्यालेस्टाइन सहित) प्रति प्रतिबद्धता आ शीत युद्धक विरुद्ध आवाज उठेनाए छल।

राजनीतिक करियर

[सम्पादन करी]

ओ सन् १९८२ सँ सन् १९८५ आ सन् १९९८ सँ सन् २००३ धरि सोएदरम्यानल्याण्ड काउन्टीक लेल सांसदक रूपमे काज केनए छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]

    बाह्य जडीसभ

    [सम्पादन करी]

    एहो सभ देखी

    [सम्पादन करी]