एना लिन्ध

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एना लिन्ध
Anna Lindh
विदेश मन्त्री
कार्यकाल
७ अक्टुबर १९९८ – ११ सितम्बर २००३
प्रधानमन्त्रीगोरन पर्सन
पूर्वाधिकारीलिना हेजेलम-वालेन
उतराधिकारीजन ओ कार्लसन
पर्यावरण मन्त्री
कार्यकाल
७ अक्टुबर १९९४ – २२ मार्च १९९६
प्रधानमन्त्रीइङ्गवार कार्लसन
पूर्वाधिकारीओलोफ जोनसन
उतराधिकारीलिना सोमेस्ताद
रिक्सड्यागक सदस्य
कार्यकाल
२० सितम्बर १९९८ – ११ सितम्बर २००३
कार्यकाल
१९ सितम्बर १९८२ – १५ सितम्बर १९८५
निर्वाचन क्षेत्रसोएदरम्यानल्याण्ड काउन्टी
व्यैक्तिक विवरण
जन्म
याल्भा एना मारिया लिन्ध

(१९५७-०६-१९)१९ जुन १९५७
स्वीडेन
मृत्यु११ सितम्बर २००३(२००३-०९-११) (४६ वर्ष)
स्टकहोम, स्वीडेन
Manner of deathहत्या
राजनैतिक दलस्वेडिस सोसल डेमोक्रेटिक पार्टी
जीवनसाथीबो होम्बर्ग (वि. १९९१)
बाल बच्चा
मातृ शिक्षा प्रतिष्ठानउप्साला विश्वविद्यालय

याल्भा एना मारिया लिन्ध (१९ जुन १९५७ - ११ सितम्बर २००३) एक स्वीडिस सोसल डेमोक्रेटिक पार्टीकें राजनीतिज्ञ छल, जे सन् १९९८ सँ सन् २००३ धरि विदेश मामलाकें मन्त्री आ सन् १९९४ सँ सन् १९९६ धरि पर्यावरण मन्त्रीकें रूपमे काज केनए छल। ओ सन् १९८२ सँ सन् १९८५ आ सन् १९९८ सँ सन् २००३ धरि सोएदरम्यानल्याण्ड काउन्टीक लेल सांसदक रूपमे काज केनए छल।

जीवनी[सम्पादन करी]

लिन्धक जन्म स्टकहोमक दक्षिणपूर्वी उपनगर एनस्क्याड-एर्स्टामे स्ट्याफन (१९३१-२०१७) आ न्यान्सी लिन्ध (१९३२-२००५) कऽ घरमे भेल छल। ओ मात्र १२ वर्षक उमरमे राजनीतिमे शामिल भऽ गेल छल, जखन ओ स्वीडिस सोसल डेमोक्रेटिक यूथ लिगक स्थानीय शाखामे शामिल भेल छल। पार्टीमे शामिल भेलाक बाद हुनकर मुख्य प्राथमिकता भियतनाम युद्धक विरूद्ध विरोध केनाए छल।

लिन्ध उप्साला विश्वविद्यालयमे अध्ययन केलक जतय सँ ओ कानून विषयमे स्नातकक उपाधि प्राप्त केलक। सन् १९८२ मे ओ सोएदरम्यानल्याण्ड काउन्टीक लेल रिक्सड्याग (सांसद) कऽ सदस्य चुनल गेल। सन् १९८४ मे ओ स्वीडिस सोसल डेमोक्रेटिक यूथ लीगक पहिल महिला अध्यक्ष बनल। अध्यक्षक रूपमे हुनकर छ साल अन्तर्राष्ट्रिय मामलासभ (निकारागुआ, भियतनाम, दक्षिण अफ्रिकाप्यालेस्टाइन सहित) प्रति प्रतिबद्धता आ शीत युद्धक विरुद्ध आवाज उठेनाए छल।

राजनीतिक करियर[सम्पादन करी]

ओ सन् १९८२ सँ सन् १९८५ आ सन् १९९८ सँ सन् २००३ धरि सोएदरम्यानल्याण्ड काउन्टीक लेल सांसदक रूपमे काज केनए छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]