एलेनुस तेरियन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एलेनुस तेरियन
Alenoush Terian
एलेनुस तेरियन
जन्म(१९२१-११-०९)९ नवम्बर १९२१
तेहरान, इरान
मृतु४ मार्च २०११(२०११-०३-०४) (८९ वर्ष)
तेहरान, इरान
हाल निवासडब्लब सिमेट्री
निवासतेहरान, इरान
राष्ट्रियताइरानियन-अर्मेनियन
क्षेत्रभौतिक विज्ञान, खगोल
अल्मा मेटरतेहरान विश्वविद्यालय, सोरबोन विश्वविद्यालय
Academic advisorsकम्लोद्दीन जेनाब
प्रसिद्धि आधुनिक इरानी खगोल विज्ञानक माताक रुपमे जानल जाएत अछि

एलेनुस तेरियन (Armenian: Ալենուշ Տէրեան; फारसी: آلنوش طریان; also: آلنوش تریان‎‎; नवम्बर ९, १९२१ – मार्च ४, २०११), एक इरानी-अर्मेनियाई खगोलविद् आ भौतिक शास्त्री छल आ हुनका 'मदर अफ मोडर्न इरानी खगोल विज्ञानी' कहल जाएत अछि।[१]

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

तेरियनकें जन्म इरानक तेहरानमे एक अर्मेनियाई परिवारमे भेल छल।[२] हुनकर पिता अर्तो, एक मञ्च निर्देशक, कवि आ अनुवादक छल (ओ अपन लेखक नाम अरिजाद राखने छल) जे फारसी भाषा सँ अर्मेनियाईमे शाहनामकें अनुवाद केनए छल।[३][४] हुनकर माता वर्तु, रङ्गमञ्च अभिनेत्री आ निर्देशक छल।[५]

शिक्षा[सम्पादन करी]

तेरियन सन् १९४७ मे तेहरान विश्वविद्यालयक विज्ञान विषयममे स्नातक उतिर्ण केनए छल। ओ ई विश्वविद्यालयकें भौतिकी प्रयोगशालामे अपन करियर शुरू केनए छल आ ओहि वर्ष प्रयोगशाला सञ्चालनक प्रमुख चुनल गेल छल।

ओ अपन अध्ययनकें निरन्तरताक लेल फ्रान्समे अध्ययन करवाक लेल छात्रवृत्ति हस्ताक्षर केलक मुदा डाक्टर हेसाबी एकरा स्वीकार नै केलक। हुनकर माननाए छल कि एकटा महिलाक लेल एतेक बेसी अध्ययन पर्याप्त अछि। अन्तमे ओ अपन पिताक वित्तीय सहयोग सँ, फ्रान्समे अध्ययन करवाक लेल इरान छोड़ि देलक जतय ओ सन् १९५६ मे सोरबोन विश्वविद्यालय सँ वायुमण्डलीय भौतिकीमे डक्टरेटक उपाधि प्राप्त केनए छल। एकर बाद ओ पुन: इरान आबि गेल आ तेहरान विश्वविद्यालयमे ऊष्मप्रवैगिकीमे सहायक अध्यापक बनि गेल। बादमे ओ तत्कालीन पश्चिमी जर्मनीमे सोलर फिजिक्समे चारि महिना धरि एक छात्रवृत्तिक माध्यम सँ काज केनए छल, जकरा जर्मन सरकारद्वारा तेहरान विश्वविद्यालयकें प्रदान कएल गेल छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "پیکر 'مادر نجوم ایران' تشییع شد", BBC Persian, अन्तिम पहुँच २०१३-०४-०९ 
  2. Interview with Alenoush Terian, Farsnews Wire Service Archived 2007-11-12 at the Wayback Machine.[[]].
  3. "An interview with Alenoush Terian", www.farheekhtegan.ir (फारसीमे), मूलसँ २०१२-०८-०१-मे सङ्ग्रहित। 
  4. Janet D. Lazarian (2003). Encyclopedia of Iranian Armenians. Tehran: Hirmand Publisher. pp. 426. आइएसबिएन 964-6974-50-3. 
  5. Janet D. Lazarian (2003). Encyclopedia of Iranian Armenians. Tehran: Hirmand Publisher. pp. 427. आइएसबिएन 964-6974-50-3. 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]