एस शङ्कर
शङ्कर | |
---|---|
![]() | |
जन्म | शङ्कर शानमुगम १७ अगस्त १९६३[१] |
राष्ट्रियता | भारतीय |
व्यवसाय | चलचित्र निर्देशक, चलचित्र निर्माता, पटकथा लेखक |
सक्रिय वर्ष | १९९३–वर्तमान |
जीवनसाथी(सभ) | ईश्वरी शङ्कर |
बालबच्चा | ऐश्वर्या शङ्कर अदिति शङ्कर अरजीत शङ्कर |
शङ्कर शानमुगम (जन्म १७ अगस्त १९६३), शङ्करक रूपमे श्रेय, एक भारतीय चलचित्र निर्देशक आ निर्माता छी जे मुख्य रूपसँ तमिल सिनेमामे काज करैत अछि । एस ए चन्द्रशेखर हुनका पहचान केनए छल । उच्च बजेट चलचित्रसभक निर्देशनक लेल मान्यता प्राप्त, ओ तमिलमे सतर्कता चलचित्रसभक अग्रणी सेहो छी । ओ के टि कुन्जुमोनद्वारा निर्मित जेन्टलम्यान (१९९३) मे अपन निर्देशनक सुरुवात केनए छल, जे हुनका फिल्मफेयर सर्वश्रेष्ठ निर्देशक पुरस्कार आ सर्वश्रेष्ठ निर्देशकक लेल तमिलनाडु राज्य चलचित्र पुरस्कार दिलेनाए छल । ओ अपन समकालीनसभक बीच भारतमे सबसँ अधिक सर्वोच्च प्रदत्त चलचित्र निर्माता छी ।[२]
हुनकर दु चलचित्रसभ, इन्डियन (१९९६) आ जिन्स (१९९८), भारतक लेल सर्वश्रेष्ठ विदेशी भाषा चलचित्रक लेल एकेडेमी पुरस्कारद्वारा प्रस्तुत कएल गेल छल । एमजीआर युनिभर्सिटीद्वारा हुनका डाक्टरेटक मानद उपाधिसँ सम्मानित कएल गेल ।
प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]
शङ्करक जन्म १७ अगस्त १९६३ मे कुम्भकोणम , तमिलनाडुमे मुथुलक्ष्मी आ शानमुगमक लेल तंजावुर कल्लार परिवारमे भेल छल । चलचित्र उद्योगमे प्रवेश करैसँ पहिने ओ सेन्ट्रल पोलिटेक्निक कलेजसँ मेकानिकल इन्जिनियरिङमे अपन डिप्लोमा पूरा केनए छल ।[१] एस ए चन्द्रशेखरद्वारा पटकथा लेखकक रूपमे हुनका चलचित्र उद्योगमे शामिल कएल गेल छल, जे शङ्कर आ हुनकर टिमद्वारा कएल गेल नाटक स्टेज शो गलतीसँ देखने छल । ओ सुरुमे एक अभिनेता बन्न चाहने छल, लेकिन ओ एक निर्देशक बन्न पसन्द कएल गेल आ भारतीय सिनेमामे अग्रणी निर्देशकसभमे सँ एक बनल ।
करियर[सम्पादन करी]
१९९० क दशक[सम्पादन करी]
शङ्कर एस ए चन्द्रशेखर आ पविथ्रान जेना चलचित्र निर्देशकसभक सहायकक रूपमे अपन करियर सुरु केनए छल ।[१] हिन्दी चलचित्रसभमे हुनकर पहिल ब्रेक राजेश खन्नाद्वारा निर्मित जय शिव शङ्करमे एस ए चन्द्रशेखरक सहायक निर्देशकक रूपमे छल । सन् १९९३ मे, ओ जेन्टलम्यानक माध्यमसँ अपन निर्देशनक सुरुवात केनए छल । मुख्य भूमिकामे अर्जुन सरजा अभिनीत, ई चलचित्र ओ समयक दौरान तमिल सिनेमामे उच्च बजेटक साथ बनाएल, जे सकारात्मक प्रतिक्रिया हासिल केनए आ ब्लकबस्टर बनल ।[३] ए आर रहमान, चलचित्रक सङ्गीतकार शङ्करक साथ हुनकर ६ निर्देशकीय उपक्रममे काम करए जारी राखने अछि ।
व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]
शङ्कर परिवारमे हुनकर पिता शानमुगम, माता मुथुलक्ष्मी, हुनकर पत्नी ईश्वरी, दु पुत्री आ एक पुत्र शामिल अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ १.० १.१ १.२ "Director Shankar — Director, Producer, Writer, picture, biography, profile, info and favourites", Nilacharal.com, मूलसँ ३ मार्च २०१५-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ नवम्बर २०११।
- ↑ "Demystifying India's highest paid film-maker - the elusive S Shankar", Mumbai Mirror (The Economic Times), ३ अक्टुबर २०१०, अन्तिम पहुँच २ जनवरी २०१७।
- ↑ "Director Shankar's Interview", Behindwoods, २० जनवरी २००५, अन्तिम पहुँच ९ नवम्बर २०११।
बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]
![]() |
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास एस शङ्करसँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |