ऐश्वर्या राय बच्चन
ऐश्वर्या राय बच्चन Aishwarya Rai Bachchan | |
---|---|
![]() ऐश्वर्या राय एक कार्यक्रममे | |
जन्म | [१] | १ नवम्बर १९७३
व्यवसाय | |
सक्रिय वर्ष | सन् १९९१–वर्तमान |
शीर्षक | विश्व सुन्दरी १९९४ |
जीवनसाथी(सभ) | अभिषेक बच्चन (वि. २००७) |
बालबच्चा | १ (बेटी)[२] |
सम्मान |
|
हस्ताक्षर | |
![]() |
ऐश्वर्या राय बच्चन[३] (जन्म: १ नवम्बर १९७३) एक भारतीय अभिनेत्री तथा पूर्व मोडल छी। सन् १९९४ मे मिस इन्डिया प्रतियोगिताक उप विजेता रहलाक बाद ओही वर्ष ओ विश्व सुन्दरी प्रतियोगिता जितने छल । ऐश्वर्या राय हिन्दीक अलावा तेलुगु, तमिल, बंगाली आ अंग्रेजी फिल्मसभमे सेहो काम केने अछि।
बाल्यकाल
[सम्पादन करी]ऐश्वर्या रायक जन्म १ नवम्बर १९७३ मे मैंगलोर, कर्नाटक, भारतमे भेल छल । ऐश्वर्याक पिताक नाम कृष्णराज राय अछि जे पेशा सँ मरीन इंजीनियर अछि आ माताक नाम वृन्दा राय अछि जे एक लेखक अछि। हिनकर एकटा बड़का भाइ अछि जेकर नाम आदित्य राय अछि।
ऐश्वर्या रायक मातृभाषा तुलु अछि, एकर अतिरिक्त हुनका कन्नड, हिन्दी, मराठी, अंग्रेजी आ तमिल भाषाक सेहो ज्ञान अछि। ऐश्वर्या रायक प्रारम्भिक शिक्षा (कक्षा ७ तक) हैदराबाद, आन्ध्र प्रदेशमे भेल । बादमे हुनकर परिवार मुम्बई आबि कऽ बसि गेल । मुम्बईमे ओ शान्ता-क्रूज स्थित आर्य विद्या मन्दिर आ बादमे डी. जी. रूपरेल कालेज, माटुङ्गामे पढौलनि । पढाईक संग-संग हुनका मॉडलिंगक प्रस्ताव सेहो अबैत रहल आ ओ मॉडलिंग सेहो केलक।
हुनका मोडलिङक पहिल प्रस्ताव हुनका कैमलिन कम्पनीक तर्फसँ भेटल जखन ओ नवम कक्षाक छात्रा छल । एकर बाद ओ कोक, फुजी आ पेप्सीक विज्ञापनमे देखाइ देलनि । १९९४ मे मिस वर्ल्ड बनलाक बाद हुनकर मांग बहुत बढ़ि गेल आ हुनका बहुत रास फिल्म प्रस्ताव भेटल ।
प्रारम्भिक जीवन
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "This Week in Entertainment", Rediff, १ नवम्बर १९७३, अन्तिम पहुँच १ जून २०११।
- ↑ "Aishwarya Rai and husband reveal baby daughter's name –", अन्तिम पहुँच २८ मार्च २०१२।
- ↑ "The name’s Bachchan, Aishwarya Bachchan!", ExpressIndia, १ मई २००७, मूलसँ १४ जनवरी २००९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २० नवम्बर २००८।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]एहो सभ देखी
[सम्पादन करी]![]() |
विकिमिडिया कमन्समे ऐश्वर्या राय बच्चनसँ सम्बन्धित मिडिया अछि।आकृति:Preview warning |
- सन्दर्भ त्रुटीयुक्त पृष्ठसभ
- Commons category link is locally defined
- सन् १९७३ मे जन्म
- जीवित लोक
- भारतीय चलचित्र अभिनेत्रीसभ
- भारतीय महिला मोडलसभ
- विश्व सुन्दरी प्रतियोगिता विजेतासभ
- भारतीय सौन्दर्य प्रतियोगिता विजेतासभ
- भारतीय हिन्दूसभ
- बच्चन परिवार
- फिल्मफेयर पुरस्कार विजेतासभ
- तमिल चलचित्र अभिनेत्रीसभ
- जी सिने अवार्ड्स विजेतासभ
- पद्मश्री धारकसभ