कन्हैया कुमार

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
कन्हैया कुमार
Kanhaiya Kumar
कन्हैया कुमारW
कन्हैया कुमार युवा नेता-रोहित कुमार कनौजिया
जन्म
राष्ट्रियताभारतीय
शिक्षापीएचडी जवाहरलाल नेहरू विश्वविद्यालय दिल्ली
व्यवसायछात्र नेता

रोहित कुमार कनौजिया

नगर पञ्चायति औरास-उन्नाव
सङ्गठनअखिल भारतीय छात्र परिषद


कन्हैया कुमार अखिल भारतीय छात्र परिषद (AISF), जे भारतीय कम्युनिस्ट पार्टी (CPI) कऽ विद्यार्थीसभक शाखा छी ओकर नेता छी । ओ २०१५ मे जेएनयू (जवाहरलाल नेहरू विश्वविद्यालय) छात्रसङ्घक अध्यक्ष पदक लेल चुनल गेल छल । फरवरी २०१६ मे जेएनयूमे एक कश्मीरी अलगाववादी, २००१ मे भारतीय संसद पर हमलाक आरोपी, मोहम्मद अफजल गुरु कs फांसीक बिरोधमे एक छात्र सभक रयालीमे राष्‍ट्रविरोधी नारा लगाबsक आरोपमे देशद्रोहक मामला दर्ज कएल गेल आ हुनका दिल्ली पुलिस द्वारा गिरफ्तार कएल गेल छल ।[१] हुनका २ मार्च २०१६ मे अन्तरिम जमानत पर रिहा करि देल गेल छल, किएकि राष्ट्र विरोधी नारासभमे भाग लेनबsक लेल पुलिस द्वारा कुमार कs कोनो सबूत प्रस्तुत नै कएल गेल छल ।[२][३]एकर बाद जेएनयूक कुलपति द्वारा गठित एक अनुशासन समिति सेहो विवादास्पद घटनाक जांच करि रहल अछि । प्रारम्भिक जांच रिपोर्टक आधार पर, कन्हैया कुमार आ सात अन्य छात्रसभक अकेड्मिक हिसाबसँ वञ्चित करि देनए अछि ।[४] विश्वक सभसँ पैग छात्र सङ्गठन अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद द्वारा कन्हैया कुमार कs लेल विरोध कएल गेल छल । हुनका उपर देशद्रोहक मुद्दा चलि रहल अछि । कन्हैया कुमारक एक किताब छपल अछि जकर नाम बिहार टू तिहार (Bihar to Tihar) छी ।


जीवनी[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]