सामग्री पर जाएँ

करिश्मा तन्ना

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
करिश्मा तन्ना बङ्गेरा
Karishma Tanna Bangera
तन्ना सन् २०२२ मे
जन्म (१९८३-१२-२१) २१ दिसम्बर १९८३ (उमर ४१)
राष्ट्रियताभारतीय
व्यवसाय
  • अभिनेत्री
  • मोडल
  • प्रस्तोता
सक्रिय वर्षसन् २००१-वर्तमान
जीवनसाथी(सभ)वरुण बङ्गेरा (वि. २०२२)


करिश्मा तन्ना बङ्गेरा (जन्म: सन् १९८३ दिसम्बर २१) एक भारतीय अभिनेत्री, मोडल आ प्रस्तोता छी जे मुख्य रूपसँ हिन्दी चलचित्रसभ आ टेलिभिजन कार्यक्रममे काज करैत अछि। ओ सन् २००१ मे 'क्योंकि सास भी कभी बहू थी' नामक टेली चलचित्रसँ टेलिभिजनक क्षेत्रमे पदार्पण केनए छल। ओ 'पालकी', 'नागिन ३' आ 'कयामत की रात में' अप्पन भूमिकाक लेल जानल जाइत अछि। ओ सन् २०१४ मे रियालिटी कार्यक्रम 'बिग बोस ८'मे एक प्रतियोगी छल, जतय ओ उपविजेता केर रूपमे चयनित भेल छली। सन् २०२० मे ओ रियालिटी कार्यक्रम 'फियर फ्याक्टर: खतरों के खिलाड़ी १०'मे भाग लेलक आ प्रतियोगिताक विजेता बनल छल।[][][]

ओ रियालिटी कार्यक्रम 'जरा नचके दिखा १' (सन् २००८), 'नच बलिए ७' (सन् २०१५) आ 'झलक दिखला जा ९' (सन् २०१६) जका अन्य रियालिटी कार्यक्रमसभमे सेहो देखल गेल छल। सुनील दर्शनक चलचित्र 'दोस्ती: फ्रेन्ड्स फरएभर' (सन् २००६) मे नन्दिनी थापरक भूमिका करि तन्ना अप्पन चलचित्र करियरक सुरुवात केनए छल।[] सन् २०१३ मे इन्द्र कुमारक सफल हास्य चलचित्र 'ग्र्यान्ड मस्ती'मे सेहो तन्ना अभिनय केनए छली। सन् २०१८ मे राजकुमार हिरानी निर्देशित संजय दत्तक जीवनी उपर आधारित चलचित्र 'संजू'मे सेहो करिश्मा अभिनय केनए छली।[] ओएह वर्ष, करिश्मा अल्ट बालाजीक वेब शृङ्खला 'करले तू भी मोहब्बत'मे जोया हुसैनक भूमिका करि डिजिटल दुनियामे प्रवेश केनए छल।[] नेटफ्लिक्सक टेलिभिजन शृङ्खला हंसल मेहता निर्देशित 'स्कुप' (सन् २०२३) मे अभिनय करि हुनका आओर बेसी आलोचनात्मक प्रशंसा प्राप्त भेल छल।[]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Farzeen, Sana (२७ जुलाई २०२०), "Khatron Ke Khiladi 10 winner Karishma Tanna: My only fear was not performing to the best of my ability", The Indian Express (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच ७ अगस्त २०२० 
  2. गौड़, प्रतिभा (४ अगस्त २०२०), "'खतरों के खिलाड़ी' की इस विनर ने तोड़ा एलोवेरा और लगीं चेहरे पर मलने...देखें Video" (हिन्दीमे), NDTV, अन्तिम पहुँच ७ अगस्त २०२० 
  3. "Khatron Ke Khiladi 10 winner is Karishma Tanna, Karan Patel declared runner-up", Hindustan Times (अङ्ग्रेजीमे), २६ जुलाई २०२०, अन्तिम पहुँच ७ अगस्त २०२० 
  4. "Karishma Tanna, Sunny Leone's film to release in 2016", The Indian Express, Indo-Asian News Service, २९ दिसम्बर २०१५, अन्तिम पहुँच २८ अप्रैल २०१६ 
  5. "Karishma Tanna to be seen in Sanjay Dutt's biopic opposite Ranbir Kapoor - Times of India", The Times of India, अन्तिम पहुँच १७ मार्च २०१७ 
  6. "Karishma Tanna, Sunny Leone's film to release in 2016", The Indian Express, Indo-Asian News Service, २९ दिसम्बर २०१५, अन्तिम पहुँच २८ अप्रैल २०१६ 
  7. "busan-film-festival-2023-hansal-mehta-scoop-wins-best-asian-tv-series-karishma-tanna-bags-best-actressaward", Dainik Jagran, ९ अक्टुबर २०२३, अन्तिम पहुँच १० अक्टुबर २०२३