कर्णम मल्लेश्वरी
व्यक्तिगत विवरण | |
---|---|
पूरा नाम: | कर्णम मल्लेश्वरी |
जन्म: | श्रीकाकुलम, आन्ध्र प्रदेश | जुन १, १९७५
खेल | |
राष्ट्र: | ![]() |
विधा: | ओलम्पिक भारोत्तोलक |
कर्णम मल्लेश्वरी (जन्म: १ जुन १९७५) भारतक महिला भारोत्तोलक छी । ओ ओलम्पिक खेलमे भारतक तरफसँ कांस्य पदक जितै वाली प्रथम महिला खेलाडी छी ।[१]
प्रारम्भिक जीवन आ करियर[सम्पादन करी]
कर्णम मल्लेश्वरीक जन्म १ जुन, १९७५ के श्रीकाकुलम, आन्ध्र प्रदेशमे भेल छल । ओ अपन करियरक शुरुआत जुनियर वेटलिफ्टिङ च्याम्पियनसिपसँ केनए छल, जतय ओ प्रथम स्थान प्राप्त केनए छल । सन् १९९२ मे आयोजना भेल एसियाली च्याम्पियनसिपमे मल्लेश्वरी ३ रजत पदक जितने छल । ओ विश्व वेटलिफ्टिङ च्याम्पियनसिप सेहो ३ कांस्य पदक जितने छल, मुदा हुनकर सभसँ पैग कामयाबी सन् २००० मे सिडनीमे आयोजना भेल ओलम्पिक खेलमे मिलल छल, जतय ओ कांस्य पदक जित ओलम्पिक खेलमे पदक जितै वाली पहिल भारतीय महिला बनल छल ।[२]
व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]
मल्लेश्वरी सन् १९९७ मे विवाह केलक आ खेल जीवनसँ अल्प विराम हेतु यमुनानगर, हरियाणा चलि आयल । सन् १९९८ मे बैङ्कक एसियाली खेलसँ खेल जीवनमे पुन: वापसी कएलाक बाद ओ रजत पदक हासिल केलक । सन् १९९९ के एथेन्स विश्व भारोत्तोलन च्याम्पियनसिपमे ओ पदक नै जित सकलक, मुदा सन् २००० के लेल भारतक ओलिम्पिक टिममे विवादक बादो ओ कांस्य पदक जितैमे सक्षम भेल ।
सम्मान/पुरस्कार[सम्पादन करी]
- अर्जुन पुरस्कार (१९९४)
- राजीव गान्धी खेल रत्न (१९९५)
- पद्म श्री (१९९९)
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ India’s 50 Most Illustrious Women (ISBN 81-88086-19-3) by Indra Gupta
- ↑ Time (Dec २७, २०००), "'I Did What I Could For My Country'"।