काशी
पठन सेटिंग्स
ई लेख काशी कऽ सम्बन्धमे अछि । वाराणसी कऽ लेल, काशी (स्पष्टता) देखी।
![](http://upload.wikimedia.org/wikipedia/commons/thumb/e/eb/Benares-_The_Golden_Temple%2C_India%2C_ca._1915_%28IMP-CSCNWW33-OS14-66%29.jpg/200px-Benares-_The_Golden_Temple%2C_India%2C_ca._1915_%28IMP-CSCNWW33-OS14-66%29.jpg)
काशी नगरी वर्तमान वाराणसी शहर में स्थित पौराणिक नगरी अछि । एकरा संसारक सबस पुरान नगरक रूप में मानल जाएत अछि । भारतक यी जगत्प्रसिद्ध प्राचीन नगरी गंगा के वाम (उत्तर) तट पर उत्तर प्रदेशक दक्षिण-पूर्वी कोना में वरुणा आ असी नदि के गंगासंगमक बीच बसल अछि । यी स्थान पर गंगा जी प्राय: चार मीलक दक्षिण सs उत्तर के तरफ घुमल छै आ अहि घुमाव कs ऊपर यी नगरी स्थिति छै। यी नगरक प्राचीन 'वाराणसी' नाम लोकोच्चारण सs 'बनारस' भ गेल छल । जकरा उत्तर प्रदेश सरकार शासकीय रूप सs पूर्ववत् 'वाराणसी' केने अछि ।