किरण देसाई
किरण देसाई Kiran Desai | |
---|---|
![]() सन् २०१५ मे किरण देसाई | |
जन्म | नयाँ दिल्ली, भारत | ३ सितम्बर १९७१
पेशा | उपन्यासकार |
राष्ट्रियता | भारतीय |
अवधि | १९९८–वर्तमान |
उल्लेखनीय कामसभ | द इनहेरिटेन्स अफ लस |
उल्लेखनीय पुरस्कार | म्यान बुकर पुरस्कार २००६ |
नातेदार | अनिता देसाई (माता) |

किरण देसाई (जन्म ३ सितम्बर १९७१) एक भारतीय लेखक छी। हुनकर उपन्यास द इनहेरिटेन्स अफ लस सन् २००६ कऽ म्यान बुकर पुरस्कार आ नेसनल बुक क्रिटिक्स सर्कल फिक्नस अवार्ड जितने छल।[१][२]सन् २०१५ जनवरीमे, द इकोनोमिक टाइम्स, भारतक प्रमुख व्यवसायिक प्रकाशन हुनका २० "सभ सँ प्रभावशाली" विश्वव्यापी भारतीय महिलासभक सूचीमे स्थान दऽ सूचीबद्ध केनए छल ।[३] [२]
प्रारम्भिक जीवन
[सम्पादन करी]किरण देसाई, अनिता देसाईकें बेटी छी, जे तीन अवसर पर म्यान बुकर पुरस्कारक लेल सूचीबद्ध भेल अछि। किरणक जन्म राष्ट्रिय राजधानी क्षेत्र दिल्लीमे भेल छल आ ओ पुणे आ मुम्बईमे अपन जीवनक शुरुवाती काल बितेने छल। ओ क्याथेड्रल एण्ड जोन कोनन स्कूलमे अपन प्रारम्भिक शिक्षा आर्जन केनए छल। ओ १४ सालक उमरमे भारत छोड़ि अपन माता सङ्गे इङ्ल्यान्डमे एक साल धरि रहल छल, आ फेर संयुक्त राज्य अमेरिका चलि गेल, जतय ओ अपन उच्च शिक्षा बेनिङ्टन कलेज, होलिन्स विश्वविद्यालय आ कोलम्बिया विश्वविद्यालयमे रचनात्मक लेखनक अध्ययन केलक।[४]
कार्यसभ
[सम्पादन करी]किरणक पहिल उपन्यास, हुलाबालु इन द गाभा ओर्चड सन् १९९८ मे प्रकाशित भेल छल आ सलमान रुश्दी जका उल्लेखनीय व्यक्तित्व सँ हुनका ई काजक लेल प्रशंसा भेटल छल।[५] ई कृति बेट्टी ट्र्यास्क पुरस्कार जितऽमे सफल भेल छल। ई पुरस्कार ३५ वर्ष सँ कम उमरक लेखक आ राष्ट्रमण्डल देशक वासीकें सोसाइटी अफ अदर्सद्वारा उत्कृष्ट उपन्यासकें देल जाएत अछि।[६][७] हिनकर दोसर कृति 'द इन्हेरिटेन्स अफ लस' (२००६) के दुनिया भरिकें आलोचकद्वारा सराहना कएल गेल छल। ई आलोचकसभ एसिया, युरोप तथा संयुक्त राज्य अमेरिकाक छल। हिनकर एहि कृति सन् २००६ कें म्यान बुकर पुरस्कार आ नेसनल बुक क्रिटिक्स सर्कल फिक्सन अवार्ड जितऽमे सफल भेल छल।[२]
सन् २००८ मे बिबिसी रेडियो ३ मे माइकल बर्केलीद्वारा आयोजन कएल गेल 'प्राइभेट प्यासन'-जिवन्त सङ्गीत चर्चा कार्यक्रममे किरण देसाईकें पाहुनकें रुपमे बजाएल गेल छल।[८] सन् २००७ मई महिनामे आयोजना कएल गेल एसिया हाउस फेस्टिभल अफ कोल्ड लिट्रेचरमे किरण आकर्षण लेखिकाकें रुपमे आमन्त्रित कएल गेल छल।
सन् २०१३ मे अमेरिकी एकेडमी इन बर्लिनद्वारा हिनका बर्लिन पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल छल।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "Kiran Desai", The Man Booker Prizes, The Booker Prize Foundation, मूलसँ १४ अक्टुबर २०१२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २३ अगस्त २०१३।
|deadurl=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ २.० २.१ २.२ Italie, Hillel (२००७-०३-०९), "Desai's 'Inheritance' Wins Book Critics Circle Award", The Washington Post, अन्तिम पहुँच २०१३-०८-२३।
- ↑ "Global Indian Women: Top 20 India-born & globally successful women from business and arts", The Economic Times, ५ जनवरी २०१५, अन्तिम पहुँच ३० नवम्बर २०१७।
- ↑ "Bold Type: Interview with Kiran Desai", Random House, अन्तिम पहुँच २०११-०६-१४।
- ↑ "Hullabaloo In The Guava Orchard", BookBrowse, अन्तिम पहुँच २०११-०६-१४।
- ↑ "The Betty Trask Prize and Awards", Christchurch City Libraries, अन्तिम पहुँच २०११-०६-१४।
- ↑ BBC – Radio 3 – Private Passions