किरन जुनेजा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
किरन जुनेजा
Kiran Juneja
किरन जुनेजा एक जयमाला उत्सवमे
जन्म
नयाँ दिल्ली
अन्य नामसभकिरन जुनेजा सिप्पी
व्यवसायअभिनेत्री, चित्रकार, निर्मात्री, टेलिभिजन प्रस्तोता, शिक्षाविद्द
सक्रिय वर्ष१९८७-वर्तमान
जीवनसाथी(सभ)रमेश सिप्पी


किरन जुनेजा एक भारतीय अभिनेत्री, चित्रकार, निर्मात्री, टेलिभिजन प्रस्तोताशिक्षाविद्द छी। ओ विशेषत: भारतीय चलचित्र उद्योग बलिउडक चलचित्रसभमे अभिनय करैत अछि। ओ लोकप्रिय आ प्रसिद्ध चलचित्र निर्देशक रमेश सिप्पीकें दोसर धर्मपत्नी छी।[१]भारतक राजधानी दिल्लीकें पञ्जाब बाग क्षेत्र सँ सम्बन्धित अछि आ हुनकर पिता एक डाक्टर छी।[२]

टेलिभिजन करियर[सम्पादन करी]

सन् १९८४ मे ओ एक भारतीय-इटालियन चलचित्र शाहिन मे मुख्य कलाकारक रुपमे अपन अभिनय जीवनक आरम्भ केनए छल ओकर बाद ओ राजश्री फिल्म्सक धारावाहिक पेइङ्ग गेस्ट मे अभिनय केलक आ ओकर बाद शेखर सुमनक सङ्ग वाह जनाब धारावाहिकमे अभिनय केनए छल। ओकर बाद ओ बहुत रास धारावाहिकमे काज केनए छल जहिमे ये जो हैं जिन्दगी, किस्मत, जुनून, सिद्धी, बन्जारा गेस्ट हाउस, माउथ फुल अफ स्काई, वक्त की रफ्तार, स्वाभिमान, गाथा, पालचिन, तेरे घर के सामने, कमान्डर, कोलोनल, तेरे मेरे सपने, सुराग, कुछ लभ कुछ मस्ती, कोई दिल मे हैंसिन्दुर तेरे नाम का छी ।

हुनकाद्वारा अभिनित महाभारत धारावाहिकमे कएल गेल गङ्गा नामक भूमिकाक लेल हुनका लोकप्रियता प्राप्त भेल छल।[३]

चित्रकार[सम्पादन करी]

फिल्मोग्राफी[सम्पादन करी]

सन् १९८७ मे बलिउड चलचित्र 'बुनियाद' सँ चलचित्र दुनियामे प्रवेश केनिहार किरन ओकर बाद लम्बा अन्तरालक बाद चलचित्र दुनियामे पुनरागमन केलक। सन् १९९५ मे प्रदर्शित भेल चलचित्र 'जमाना दीवाना' मे शालिनी श्रीवास्तवक भूमिका केनए छल। ओकर बाद सन् २००५ मे बलिउडक चर्चित चलचित्र 'बन्टी और बबली' मे रानी मुखर्जीकें माएकें भूमिका केनए छल। ओकर बाद सन् २००६ मे हिन्दी चलचित्र 'क्रिस' मे प्रियंका चोपडाकें माएकें भूमिका केनए छल। तहिना सन् २००७ मे चलचित्र 'मेरिगोल्ड' मे मिस राजपुतकें भूमिका केनए छल। सन् २००७ मे चर्चित बलिउड चलचित्र 'जब वी मेट' मे मिस ढिल्लोकें भूमिका केनए छल। ओकर बाद सन् २००८ मे मधुर भण्डारकरद्वारा निर्देशित चलचित्र 'फ्यासन' मे सेहो हुनकर अभिनयकें आलोचकसभद्वारा सराहल गेल छल। ओकर बाद सन् २०१० मे यसराज ब्यानरक चलचित्र 'बदमास कम्पनी' ओ अभिनय केलक जहिमे शाहिद कपूरअनुष्का शर्मा मुख्य भूमिकामे छल। हिनकाद्वारा अभिनय कएल गेल अन्तिम बलिउड चलचित्र 'सही धन्धे गलत बन्दे' छल जे सन् २०११ मे प्रदर्शित कएल गेल छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "ये हैं 'शोले' के डायरेक्टर की दूसरी पत्नी, 26 साल से निभा रहे एक-दूजे का साथ"Dainik Bhaskar (हिन्दीमे)। 2017-03-10। अन्तिम पहुँच 2019-03-10
  2. "Old flame"The Hindu। Chennai, India। 10 May 2004। मूलसँ 13 July 2004 कऽ सङ्ग्रहित। {{cite news}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  3. खन्ना, अमित (2018-08-15)। "बुनियाद: वो धारावाहिक जिसने विभाजन की विभीषिका को बख़ूबी बयां किया"The Wire - Hindi (हिन्दीमे)। अन्तिम पहुँच 2019-03-10

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]