कैथी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
कैथी
Kayathi, Kayasthi
प्रकार
भाषासभअंगिका, अवधि, भोजपुरी, मगही, मैथिली, हिन्दुस्तानी, सिल्हेटी
समय काल
c. १६हम–मध्य बीसम शताब्दी
Parent systems
Sister systems
देवनागरी, नन्दीनागरी
दिशाबामा-सँ-दहिना
आइएसओ १५९२४Kthi, 317
युनिकोड वर्ण
Kaithi
युनिकोड भाग
U+11080–U+110CF

कैथी (अङ्ग्रेजी: Kaithi) एक ऐतिहासिक लिपि छी जकर मध्यकालीन भारतमे प्रमुख रूप सँ उत्तर-पूर्व आ उत्तर भारतमे बहुतेक बृहत रूप सँ प्रयोग कएल जाइत छल । मुख्यतया आजुक उत्तर प्रदेशबिहार राज्यक क्षेत्रसभमे ई लिपिमे वैधानिक आ प्रशासनिक काज कएल गेल प्रमाण पर्याप्त भेटैत अछि ।[१] ई लिपिकें कयथी या कायस्थी, कऽ नाम सँ सेहो जानल जाइत अछि । पूर्ववर्ती उत्तर-पश्चिम भारत, मिथिला, बङ्गाल, उड़ीसाअवध क्षेत्रमे ई लिपिकें प्रयोग कएल गेल इतिहास रहल अछि । एकर प्रयोग प्रमुख रूपसँ न्यायिक, प्रशासनिक आ निजी तथ्याङ्क सङ्ग्रहणमे कएल जाइत छल ।[२]

उत्पत्ति[सम्पादन करी]

'कैथी' लिपि कऽ उत्पत्ति कायस्थ शब्द सँ भेल अछि जे उत्तर भारतक एक सामाजिक समूह (हिन्दू जाति) छी ।[३] याह जातिद्वारा मुख्य रूपसँ व्यापार सम्बन्धि ब्यौरा सुरक्षित राखऽ कऽ लेल सभसँ पहिने ई लिपिकें प्रयोग केनए छल । कायस्थ समुदायक पुरान रजवाड़ा आ ब्रिटिश औपनिवेशिक शासकसभसँ बहुतेक नजदीकक रिश्ता रहल अछि । ई लोकनि अङ्ग्रेजसभक विभिन्न प्रकारक तथ्याङ्कसभक प्रबन्धन आ भण्डारण करवाक लेल नियुक्त कएल जाइत छल । कायस्थसभद्वारा प्रयुक्त ई लिपिकें बादमे कैथी नाम सँ जानल जाए लागल ।

इतिहास[सम्पादन करी]

कैथी एक पुरान लिपि छी जकर प्रयोग कम सँ कम सोलहम शताब्दीमे व्यापक रूपसँ होइत छल । मुगल साम्राज्यक समयमे एकर प्रयोग बहुतेक व्यापक छल । सन् १८८० कें दशकमे ब्रिटिश राजक समयमे एकरा प्राचीन बिहारक न्यायलयसभमे आधिकारिक भाषाकें दर्जा देल गेल छल । एकरा खगड़िया जिलाक न्यायालयमे वैधानिक लिपिकें दर्जा देल गेल छल ।

कैथी लिपिकें विलोपक खतरा[सम्पादन करी]

कैथी लिपिकें कहियो काल 'बिहार लिपि' सेहो कहल जाइत अछि । वर्तमान समयमे सेहो बिहार समेत देशक उत्‍तर पूर्वी राज्‍यसभमे ई लिपिमे लिखल हजारसँ बेसी अभिलेख अछि । समस्‍या तखन होइत अछि जखन ई अभिलेखसभ सँ सम्बन्धित कानूनन उल्झन अबैत अछि । दैनिक जागरणक पटना संस्‍करणमे सन् २००९ सितम्बर ९ तारिखक समाचारपत्रमे पृष्ठ सङ्ख्या बीसमे बक्‍सरसँ छपल कञ्चन किशोरक एक खबरक सन्दर्भ ली तँ ई लिपिकें जानकार आब ओ जिलामे मात्रे दुई लोक बचल अछि । दुनू अधिक उम्र भेल व्यक्ति अछि । एनामे निकट भविष्‍यमे ई लिपिकें जाननिहार कियो नै बचत आ आई धरि ई लिपिमे लिखल भू-अभिलेखसभक अनुवाद आजुक प्रचलित लिपिसभमे केनाए कतेक कठिन भऽ जाएत एकर सहज अन्दाज लगाएल जाए सकैत अछि । भाषाक जानकारसभक अनुसार ई स्थिति सम्पूर्ण स्थान पर विद्यमान अछि । एनामे जरूरत अछि की ई लिपिकें संरक्षण कएल जाए ।[४]

युनिकोड[सम्पादन करी]

कैथी लिपिकें सन् २००९ मे युनिकोड मानक ५.२ मे सम्मलित कएल गेल । कैथीकें युनिकोडमे स्थान U+11080 सँ U+110CF धरि अछि । ई सीमामे किछ खाली स्थान सेहो अछि जकर कोड बिन्दु निर्धारित नै कएल गेल अछि ।

युनिकोड कैथी विवरण
U+11080 (69760) 𑂀 कैथी चन्द्रबिन्दु
U+11081 (69761) 𑂁 कैथी अनुस्वार
U+11082 (69762) 𑂂 कैथी कऽ विसर्ग
U+11083 (69763) 𑂃 कैथी वर्ण अ
U+11084 (69764) 𑂄 कैथी वर्ण आ
U+11085 (69765) 𑂅 कैथी वर्ण इ
U+11086 (69766) 𑂆 कैथी वर्ण ई
U+11087 (69767) 𑂇 कैथी वर्ण उ
U+11088 (69768) 𑂈 कैथी वर्ण ऊ
U+11089 (69769) 𑂉 कैथी वर्ण ए
U+1108A (69770) 𑂊 कैथी वर्ण ऐ
U+1108B (69771) 𑂋 कैथी वर्ण ओ
U+1108C (69772) 𑂌 कैथी वर्ण औ
U+1108D (69773) 𑂍 कैथी वर्ण क
U+1108E (69774) 𑂎 कैथी वर्ण ख
U+1108F (69775) 𑂏 कैथी वर्ण ग
U+11090 (69776) 𑂐 कैथी वर्ण घ
U+11091 (69777) 𑂑 कैथी वर्ण ङ
U+11092 (69778) 𑂒 कैथी वर्ण च
U+11093 (69779) 𑂓 कैथी वर्ण छ
U+11094 (69780) 𑂔 कैथी वर्ण ज
U+11095 (69781) 𑂕 कैथी वर्ण झ
U+11096 (69782) 𑂖 कैथी वर्ण ञ
U+11097 (69783) 𑂗 कैथी वर्ण ट
U+11098 (69784) 𑂘 कैथी वर्ण ठ
U+11099 (69785) 𑂙 कैथी वर्ण ड
U+1109A (69786) 𑂚 कैथी वर्ण ढ
U+1109B (69787) 𑂛 कैथी वर्ण ड़
U+1109C (69788) 𑂜 कैथी वर्ण ढ़
U+1109D (69789) 𑂝 कैथी वर्ण ण
U+1109E (69790) 𑂞 कैथी वर्ण त
U+1109F (69791) 𑂟 कैथी वर्ण थ
U+110A0 (69792) 𑂠 कैथी वर्ण द
U+110A1 (69793) 𑂡 कैथी वर्ण ध
U+110A2 (69794) 𑂢 कैथी वर्ण न
U+110A3 (69795) 𑂣 कैथी वर्ण प
U+110A4 (69796) 𑂤 कैथी वर्ण फ
U+110A5 (69797) 𑂥 कैथी वर्ण ब
U+110A6 (69798) 𑂦 कैथी वर्ण भ
U+110A7 (69799) 𑂧 कैथी वर्ण म
U+110A8 (69800) 𑂨 कैथी वर्ण य
U+110A9 (69801) 𑂩 कैथी वर्ण र
U+110AA (69802) 𑂪 कैथी वर्ण ल
U+110AB (69803) 𑂫 कैथी वर्ण व
U+110AC (69804) 𑂬 कैथी वर्ण श
U+110AD (69805) 𑂭 कैथी वर्ण ष
U+110AE (69806) 𑂮 कैथी वर्ण स
U+110AF (69807) 𑂯 कैथी वर्ण ह
U+110B0 (69808) 𑂰 कैथी मात्रा ा
U+110B1 (69809) 𑂱 कैथी मात्रा ि
U+110B2 (69810) 𑂲 कैथी मात्रा ी
U+110B3 (69811) 𑂳 कैथी मात्रा ु
U+110B4 (69812) 𑂴 कैथी मात्रा ू
U+110B5 (69813) 𑂵 कैथी मात्रा े
U+110B6 (69814) 𑂶 कैथी मात्रा ै
U+110B7 (69815) 𑂷 कैथी मात्रा ो
U+110B8 (69816) 𑂸 कैथी मात्रा ौ
U+110B9 (69817) 𑂹 कैथी विराम चिह्न
U+110BA (69818) 𑂺 कैथी नुक्ता चिह्न
U+110BB (69819) 𑂻 कैथी सङ्क्षिप्ति (ABBREVIATION) चिह्न
U+110BC (69820) 𑂼 KAITHI ENUMERATION SIGN
U+110BD (69821) 𑂽 कैथी सङ्ख्या चिह्न
U+110BE (69822) 𑂾 कैथी प्रभाग (SECTION) चिह्न
U+110BF (69823) 𑂿 कैथी डबल सेक्सन चिह्न
U+110C0 (69824) 𑃀 कैथी डण्डा
U+110C1 (69825) 𑃁 कैथी दुई-डण्डा


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. अंशुमान पांडे. 2006. Proposal to Encode the Kaithi Script in Plane 1 of ISO/IEC 10646[permanent dead link]
  2. King, Christopher R. 1995. One Language, Two Scripts: The Hindi Movement in Nineteenth Century North India. New York: Oxford University Press.
  3. Grierson, George A. 1899. A Handbook to the Kaithi Character. Calcutta: Thacker, Spink & Co.
  4. ऑनलाइन होंगे अंचल कार्यालय तो खत्म हो जाएगी कैथी लिपि, अन्तिम पहुँच 2018-02-23