कौशानी मुखर्जी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
कौशानी मुखर्जी
Koushani Mukherjee
जन्म (१९९२-०५-१७) १७ मई १९९२ (उमर ३१)
व्यवसायमोडल, अभिनेत्री
सक्रिय वर्ष२०१५-वर्तमान
पुरस्कारमिस ब्युटी अफ कोलकाता


कौशानी मुखर्जी (जन्म १७ मई १९९२) एक भारतीय अभिनेत्री छी जे मुख्य रूप सँ बङ्गाली चलचित्रमे अभिनय करैत अछि जकरा टलिउड चलचित्र उद्योगक रूपमे जानल जाएत अछि। ओ राज चक्रवर्तीद्वारा निर्देशित बोनी सेनगुप्ताक सङ्ग सन् २०१५ मे बङ्गाली भाषाक चलचित्र 'पारबोना आमी चारते तोके' सँ चलचित्र क्षेत्रमे पदार्पण केनए छल।

प्रारम्भिक जीवन आ शिक्षा[सम्पादन करी]

मुखर्जीक जन्म १७ मई १९९२ कें पश्चिम बङ्गालक राजधानी शहर कोलकातामे भेल छल। कौशानीक पिताक नाम राणा मुखर्जी आ माताक नाम सङ्गीता मुखर्जी छल। कौशानीकें पिता राणा मुखर्जी भारतीय आयकर विभागमे अधिकारीक रुपमे काज करैत अछि। ओ पार्क स्ट्रीटमे अवस्थित एसेम्बली अफ गड चर्च स्कूल सँ प्रारम्भिक शिक्षा दीक्षा प्राप्त केनए छल आ उच्च शिक्षाक लेल हेरम्बा चन्द्रा कौलेजमे भर्ती भेल जतय सँ ओ वाणिज्य सङ्कायमे स्नातक उतिर्ण केनए छल। कौलेज सँ शिक्षा प्राप्त करि लेलाक बाद मुखर्जी अपन ध्यान मोडलिङ दिस केन्द्रित केलक आ बादमे ओ कोलकातामे आयोजित होमए वाला 'मिस ब्यूटी अफ कोलकाता' कऽ खिताब जीतऽ मे सफल भेल छल।[१]

व्यवसाय[सम्पादन करी]

मुखर्जी अपन चलचित्र अभिनय करियरक शुरुआत सन् २०१५ मे राज चक्रवर्तीद्वारा[२]निर्देशित बङ्गाली भाषाक चलचित्र 'पारबोना आमी चारते तोके' सँ केनए छल। ई चलचित्रमे मुखर्जी रोमान्टिक रुचि नामक किरदारक भूमिका निर्वाह केनए छल।[३] सन् २०१६ मे, ओ राजा चन्दाद्वारा निर्देशित एक रोमान्टिक कौमेडी चलचित्र 'केलोर कीर्ति' मे नजरि आएल छल।[४][५][६] केलोर कीर्ति[७] नामक चलचित्रमे ओ एक धनी युवती अश्नुषकाक भूमिका निभेने छल, जकरा एक पत्रकार सँ प्रेम भऽ जाएत अछि। सन् २०१७ मे, ओ रवि किनागी[८]द्वारा निर्देशित चलचित्रमे अभिनय केनए छल।

फिल्मोग्राफी[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "The glitter girls", The Telegraph, १९ फरबरी २०१५, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०२ 
  2. "Love Stories Ideal Launchpad for Newcomers: Raj Chakraborty", Hundustan Times, २३ सितम्बर २०१५, मूलसँ २०१७-०७-३१-मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३१ जुलाई २०१७ – HighBeam Researchद्वारा, (नामलेखन बाँकी (help))  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता); |subscription= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  3. "PARBO NA AMI CHARTE TOKEY World TV Premiere on STAR JALSHA | Koushani Mukherjee, Swastika Dutta, Bonny Sengupta", WBRi Washington Bangla Radio USA (en-wbriमे), ११ दिसम्बर २०१५, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०२ 
  4. Buzarbaruah, Upam (१४ जुलाई २०१६), "Kelor Kirti Movie Review", The Times of India, अन्तिम पहुँच ३१ जुलाई २०१७ 
  5. "Shocking: Did Ankush and Koushani secretly get married? - Times of India", The Times of India, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०२ 
  6. Mimi, Nusrat, Sayantika and Koushani have a laugh riot!""Mimi, Nusrat, Sayantika and Koushani have a laugh riot!", 12 January 2017
  7. Ganguly, Ruman (१२ जनवरी २०१७), "Kelor Kirti is an hilarious tale of seven youngsters – Times of India", The Times of India, अन्तिम पहुँच २०१७-०८-०२ 
  8. "Bonny and Koushani pair up for Ravi Kinnagi's film "Jio Pagla" - Times of India", The Times of India, अन्तिम पहुँच २०१७-०७-३१ 

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]