सामग्री पर जाएँ

गणिनाथ

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

णिनाथकें बाबा गणिनाथ सेहो कहल जाईत अछि आ बाबा गणिनाथ जी महाराज एक गोटे हिन्दू सन्त आ कुलदेवता छल, जिनका भारतमे हलुवाई आ कानू समुदाय के कुलदेवता (सामुदायिक देवता) या कुलगुरु केर रूपमें पूजल जाईत अछि।[][]हिनक उपासक हिनका भगवान शिवकें अवतार मनैत अछि।[][]भारत सरकारकें डाक विभागद्वारा सन् २०१८ मे हिनक स्मृतिमे एकटा डाक टिकट जारी कएल गेल छल।[]

गणिनाथ
भारत सरकारक इण्डिया पोस्टद्वारा सन्त गणिनाथ केर एकटा स्मारक स्वरूप जारी कएल गेल डाक टिकट
अन्य नामबाबा गणिनाथ
बाबा गणिनाथ जी महाराज
देवनागरीगणिनाथ
संबद्धतानाथ
क्षेत्रभारत
त्योहारगणिनाथ जयन्ती, गणिनाथ मेला
निजी जानकारियाँ
जन्म
माँ-पितामानशरम (पिता)
Consortखेमा

बाबा गणिनाथ केर जन्म महनार (एखन बिहारक वैशाली जिलामे) मे गङ्गा नदीकें तट पर रहबला मंसारामक एतय भेल छल। किंवदन्तीकें अनुसार, ओ बचपनेसँ ही चमत्कार देखेनाए शुरू करि देने छल। हिनक चमत्कारसभक देखीं लोकसभ शिवकें स्तुति केलक आ हिनक नाम "गणिनाथ" रखल गेल। सम्वत १०२४ में, ओ विक्रमशिला विश्वविद्यालयमें भर्ना भेल छल आ तपस्या आ योग केर सँग ही आठटा सिद्धिसभ आ नौ 'निधिसभ' में महारथ हासिल केलक। हिनक विवाह चन्देल राजा राजा धङ्ग कें पुत्री खेमासँ भेल छल। गणिनाथकें ५ टा सन्तानसभ क्रमशः रायचन्द्र, श्रीधर, गोविन्द, सोनमती आ शीलमती छल।[]

विक्रम संवत १०६० में राजा बनि गेलाक बाद गणिनाथ अपन पूर्वज राजासभद्वारा जीत गेल राज्यसभकें एक करि ओहिमें स्वशासन आ व्यवस्था स्थापित केलक। ओ प्रेम, सह-अस्तित्व आ करुणासँ सभ राज्यसभकें एकेटा राज्यमें एकीकृत केलक।[]

समाज केर यवनसभसँ मुक्त करावे केर लेल ओ एकटा सेनाकें गठन केलक, जेकर नेतृत्व हिनक पुत्र रायचन्द्र आ श्रीधर केलक। भीषण युद्धमें यवनसभ केर पराजय भेल। यवनसभ केर नेता सरदार लाल खान, बाबा गणिनाथसँ प्रभावित भ हिनक शिष्य बनि गेल आ जीवन भरि हिनक सेवा केलक। बाबा गणिनाथ महाराज आ माता खेमा, हाजीपुर कें पलवैया धाम (पलवैया धाम केर सभ हलवाई, कानू आ मधेशिया समुदायक लेल पूजाकें केन्द्र छी) में एक साथ समाधि लेलक।[]

उत्सव आ मेला

[सम्पादन करी]

गणिनाथ मेला (गणिनाथ जी केर मेला) प्रतिवर्ष आयोजित कएल जाईत अछि आ एकर स्थापना लगभग ८५ साल पहिने मधेसिया वैश्य महासभाद्वारा कएल गेल छल। पूर्वमें ई मेला बिहार केर वैशाली जिला केर महनारमें आयोजित कएल जाइत छल, जतय गणिनाथ मन्दिर आ देवता गङ्गामें समा गेल छल। एखन, मेला वैशाली जिला कें हाजीपुर केर लग में बिद्दूपुरमें कृष्ण जन्माष्टमी (अगस्त महिनामें) केर ठिक बाद अगला शनिदिनकें मनाओल जाईत अछि।[][१०]

गणिनाथ जयन्ती हलुवाई, मधेसिया आ कानू समुदायद्वारा मनाओल जाईत अछि।[११]बिहार सरकार बाबा गणिनाथ जी केर मन्दिरकें विकासक लेल ७ करोड रुपियाँ स्वीकृत केने अछि। ७ सितम्बर कें पलवैया, महनार, हाजीपुरमें शिलान्यास कएल गेल। कार्यक्रममें उपमुख्यमन्त्री श्री सुशील के. मोदी, क्याबिनेट मन्त्री श्री रामविलास पासवान, बिहार केर पर्यटन मन्त्री श्री प्रमोद कुमार, चन्द्रमुखी देवी आ अन्य विधायक उपस्थित छल।

स्मरण उत्सव

[सम्पादन करी]

२३ सितम्बर २०१८ में, भारत सरकार, सन्त गणिनाथ केर सम्मानमें एकटा स्मारक डाक टिकट जारी केलक। जारी कर के पहिल दिन इण्डिया पोस्टद्वारा सेहो जारी कएल गेल छल। ई डाक टिकट २३ सितम्बर २०१८ कें सञ्चार राज्यमन्त्री आ रेल राज्यमन्त्री मनोज सिन्हाद्वारा जारी कएल गेल छल।[१२]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Pandit Ganesh Chaubey; Sankar Sen Gupta (1971). Bihar in Folklore Study. Indian Publications. प॰ 126. https://books.google.com/books?id=SBzaAAAAMAAJ&q=Ganinath.
  2. Journal, India, Anthropological Society of Bombay, 1932. pg.491
  3. "धर्म की रक्षा को हुआ था बाबा गणिनाथ का अवतार" (Hindiमे), Belthara Road, Ballia: Dainik Jagran, सितम्बर ९, २०१६।
  4. "वैश्य समाज के कुलदेवता हैं बाबा गणिनाथ, शिव के अंश से हुए प्रकट" (Hindiमे), Bhagalpur, Bihar: Daily Bhaskar, सितम्बर ७, २०१८।
  5. Mishra, Nawal (सितम्बर २३, २०१८), "मोनू कुमार ने जारी किया मद्धेशिया समाज के संत गणिनाथ पर डाक टिकट" (Hindiमे), Dainik Jagran
  6. "Sant Ganinath", Istampgallery.com, नवम्बर २८, २०१९।[permanent dead link]
  7. "Sant Ganinath", Istampgallery.com, नवम्बर २८, २०१९।[permanent dead link]
  8. "Sant Ganinath", Istampgallery.com, नवम्बर २८, २०१९।[permanent dead link]
  9. Bhatt, S. C., सं (2005). Land and People of Indian States and Union Territories. Kalpaz Publications. प॰ 358, In 36 Volumes. Bihar · Volume 5. https://books.google.com/books?id=X9agErBFpGQC&dq=Ganinath&pg=PA358.
  10. Census of India, 1961: Bihar. India. Office of the Registrar General. 1962. प॰ XLVIII. https://books.google.com/books?id=bv4cAQAAMAAJ&q=Ganinath.
  11. "बाबा गणिनाथ गोविंद की आस्था के साथ मनी जयंती", Live Hindustan (Hindiमे), अगस्त १६, २०२०।
  12. Mishra, Nawal (सितम्बर २३, २०१८), "मोनू कुमार ने जारी किया मद्धेशिया समाज के संत गणिनाथ पर डाक टिकट" (Hindiमे), Dainik Jagran

बाह्य जडिसभ

[सम्पादन करी]

एहोसभ देखीं

[सम्पादन करी]