गोल गुम्बज
ಗೋಲ ಗುಮ್ಮಟ | |
निर्देशाङ्क | १६°४९′४८.११″उ॰ ७५°४४′९.९५″पू॰ / १६.८३००३०६°N ७५.७३६०९७२°E |
---|---|
स्थान | विजयपुर, कर्नाटक, भारत |
डिजाइनर | दाबुल का याकुत |
प्रकार | मकबरा |
सामग्री | गहन सलेटी बेसाल्ट |
उचाई | ५१ मीटर |
आरम्भ तिथि | सन् १६२६ |
समापन तिथि | सन् १६५६ |
Dedicated to | मुहम्मद आदिल शाह |
अन्य नाम गोल गुम्बद |
गोल गुम्बद या गोल गुम्बज, (फारसी گل گنبذ)[१] बीजापुरक सुल्तान मुहम्मद आदिल शाहक मकबरा छी आ बीजापुर, कर्नाटकमे स्थित अछि । एकरा फारसी वास्तुकार दाबुल के याकुत सन् १६५६ मे निर्माण करौने छल । मुदा मूल रूपमे साधारण निर्माण भेला बादो अपन स्थापत्य विशेषतासभक कारण दक्षिणी वास्तुकलाक विजय स्तम्भ मानल जाइत अछि ।[२] ई डेक्कन वास्तुशिल्पक आधारमे निर्माण कएल गेल अछि ।[३]
वास्तु
[सम्पादन करी]एकर संरचनाक मूलमे ४७.५ मिटर (१५६ फिट) क भुजासभ भेल एक घन अछि, जकर उपरस्थ ४४ मी (१४४ फिट) बाहरी व्यास भेल एक विशाल गुम्बद अछि । दो समान कोण पर घूमैत चतुर्भुजसभसँ बनल एक-दोसरकें कटैत आठ मेहराबसभसँ गुंथल ई गुम्बदीय त्रिभुज-कोण बनैत अछि ई गुम्बदकें उठेनाए अछि । ई घन चार कोणसभ पर गुम्बदनुमा छतरीसँ ढकल अष्टकोणीय सप्त-तलीय अट्टालिका या मिनारसँ बनल अछि । एकर भितर सीढ़िसभ सेहो अछि ।[३] ई प्रत्येक मीनारसभक ऊपरी तल पैग गुम्बदकें घेरैत एक गलीमे खुलैत अछि । मकबराक मुख्य कक्षक भीतर चारो दिस सीढ़िसभसँ घेरल एक चौकोर चबूतरा अछि । ई चबूतराक मध्य एक कब्रक पत्थर अछि, जकर नीचा एकर असल कब्र बनल अछि । आदिल शाही वंशक मकबरामे एहि प्रकारक एकमात्र उदाहरण छी । उत्तरी दिसक मध्यमे, एक वृहत अर्ध-अष्टकोणीय आकार बाहर दिस निकलैत अछि ।[३] १,७०० मी२ (१८,००० वर्ग फिट),[४] क्षेत्रफलक आधारमे ई मकबरा विश्वक सबसँ पैग एकल-कक्ष आ बिना कोनो मध्य आधार वाला निर्माण छी ।
मकबराक गुम्बदक आन्तरिक परिधि पर एक गोलाकार गलियारा बनल अछि, जकरा अङ्ग्रेज व्हिस्परिङ ग्यालेरी अर्थात फुस्फुसाबै वाला गलियारा नाम देनए अछि । ई गलियाराक निर्माणमे प्रयुक्त ध्वनि-विज्ञानक वास्तुमे सम्मिलनक कारण एतय कनिको फुस्फुसाएल एको शब्द एकर व्यासक ठीक दोसर दिस एकदम स्पष्ट सुनाएल दैत अछि । [४]
चित्र दीर्घा
[सम्पादन करी]-
बाहरसँ गुम्बदक दृश्य
-
परस्पर मिलैत मेहराबसभ पर टिकल गुम्बद
-
व्हिस्परिङ ग्यालेरी
-
दीवारक नक्काशी
-
गोल गुम्बज, सन् १८६०
-
प्रवेश दृश्य
-
छतसँ एक मीनारक दृश्य
-
गोल गुम्बजक बगलमे एक भवन
-
गोल गुम्बज
-
प्रवेशद्वार नजदिकक अवशेषसभ
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "गोल गुम्बज़"। Hinkoj.com। Hinkoj.com। अन्तिम पहुँच 3 अगस्त 2014।
- ↑ "Gumbad (Gumbad) meaning in English"। Hinkoj.com। Hinkoj.com। अन्तिम पहुँच 3 August 2014।
- ↑ ३.० ३.१ ३.२ Michell, George; Zebrowski, Mark (1999). Architecture and Art of the Deccan Sultanates. The New Cambridge History of India. I.8. Cambridge, UK: Cambridge University Press. pp. 92–4. आइएसबिएन 0-521-56321-6. https://books.google.com/books?id=aHcfv6zkJgQC&pg=PR92. अन्तिम पहुँच तिथि: 14 September 2011.
- ↑ ४.० ४.१ भारतीय पुरातात्त्विक सर्वेक्षण विभाग (2011)। "ग्प्ल गुम्बज़, बीजापुर"। भारतीय पुरातात्त्विक सर्वेक्षण विभाग। भारतीय पुरातात्त्विक सर्वेक्षण विभाग। अन्तिम पहुँच 14 सितंभ्र 2011।
{{cite web}}
: Check date values in:|accessdate=
(help)
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]विकिमिडिया कमन्समे गोल गुम्बजसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
- गोल गुम्बज भारतीय पुरातात्त्विक सर्वेक्षण विभागक जालस्थल
- आर्कनेट सङ्ग्रहित २०१०-१०-२४ वेब्याक मेसिन डिजिटल पुस्तकालय