सामग्री पर जाएँ

चन्दन तिवारी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
चन्दन तिवारी
Chandan Tiwari
जन्म
भोजपुर, बिहार
राष्ट्रियताभारतीय
शिक्षाविनोभा भावे विश्वविद्यालय, बीए (अनर्स) मनोविज्ञान
व्यवसायगायिका
प्रसिद्धि कारणलोक गीतकार
पुरस्कारसंगीत नाटक एकेडेमी अवार्ड


चन्दन तिवारी भारतीय राज्य बिहारक एक गोटे भारतीय लोक गायक छी।[]ओ लोक गायिकाकें रूपमे जनल जाईत अछि आ भोजपुरी, नागपुरी, अवधीहिन्दी भाषासभमे गवैत अछि। हुनका संगीत नाटक एकेडेमी-बिस्मिल्ला खान सम्मानसँ सम्मानित कएल गेल अछि। हुनका कोलकातामे भोजपुरी कोकिलाद्वारा सम्मानित कएल गेल छल। बीएजी फिल्म्स-न्यूज २४, हुनका सर्वश्रेष्ठ पारम्परिक लोक गायिकाकें पुरस्कार देने अछि। ओ भारतीय लोक संगीतमे अपन योगदानक लेल इण्डिया टुडे म्यागजिनक कभर स्टोरीमे नजर आएल। ओ लोक के विभिन्न विधासभ जेना पूरबी सोहर, पचरा गान्धी गीत, नदी गीत, छठ गीत कजरी आ ठुमरीमे गवैत रहल अछि। [][][]


प्रारम्भिक जीवन

[सम्पादन करी]

चन्दन तिवारीकें जन्म भारतक बिहार राज्यकें भोजपुर जिलाक पैघ गाममे भेल छल। हुनकर पालनपोषण झारखण्ड जिलाक चास बोकारो मे भेल छलन्हि। ओ विनोभा भावे विश्वविद्यालय हजारीबाग सँ मानवशास्त्रमे बीए अनर्स केनए छथि । प्रयाग संगीत समिति इलाहाबादसँ छ वरिषक प्रभाकर सेहो केनए अछि। मैथिलीभोजपुरी एकेडेमी, दिल्ली सरकारक लेल दुर्लभ आ ग्रामीण भोजपुरी गीत पर शोध परियोजना कऽ रहल छथि ।

चन्दन तिवारी भोजपुरी, मैथिली, मगही, अवधी, नागपुरीमे गाबबला लोक गायिका छी।[] ओ भारतीय टेलिभिजन च्यानल दूरदर्शन पर अनेकौं विशेष संगीत कार्यक्रम केने अछि, जाहिमे माई म्यूजिकल एफर्ट पर विशेष शो आ पुरबियाताननिमिया चिरैयाँ के बसेर जेहन श्रृंखलासभ सम्मिलित अछि। ओ महुआ टिभी पर जिला टप आ सुर संग्राममे भाग लेने छल। ओ ईटिभी फोक जलवा शोमे हिस्सा लेने छल आ सँगही बिग म्याजिक गंगा टिभी पर ओ भक्ति सागरकें अनेकौं खास शो केने अछि । अल-इण्डिया रेडियो पटनाक साथ ओ विशेष लोक आ गजल रेकर्डिङ शो केने अछि। ओ सदिखन लोकगीतसभमे महिलासभक सहभागिता आ महिला सशक्तिकरणक पक्षमे खाढ रहल।[]

ओ अनेकौं प्रतिष्ठित निजी एफएम रेडियो च्यानलसभक साथ अनेकौं संगीत श्रृंखलासभ आ साक्षात्कार सेहो केने अछि। जेना रेडियो मिर्ची, रेडियो धूम, रेडियो सनेही आ मोबाइल रेडियो-ग्रामवाणी। चन्दन तिवारी बिग म्याजिक गंगा टिभी शो रङ्ग पुरवैया कऽ चयन टीम के सदस्य छल। चन्दन तिवारी गायनकें विभिन्न विधासभ, उत्सवसभ आ अनेकौं प्रकारक मुद्दासभ पर काज करैत रहल अछि । ओ सभदिनेसँ म्यूजिक इन्डष्ट्रीमे अश्लीलताक विरुद्ध रहल अछि।[]

प्रदर्शन

[सम्पादन करी]

गायन कार्य

[सम्पादन करी]

सामाजिक संगीत कार्य

[सम्पादन करी]

पुरस्कार

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Sangeet Natak Akademi", sangeetnatak.gov.in, मूलसँ ११ दिसम्बर २०१९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १५ फरबरी २०२० 
  2. "गीतों के जरिये चंदन तिवारी ने जोड़ा 'लोक'", १० मई २०१७, मूलसँ १ फरबरी २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१८ 
  3. "इंटरनेट पर छाई इनकी आवाज, बचपन में भजन अब भोजपुरी में कर रहीं कमाल", dainikbhaskar, २१ मार्च २०१४, मूलसँ १ फरबरी २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१८ 
  4. "भोजपुरी की प्रतिभावान और तेजस्वी गायिका हैं चंदन तिवारी, सुनें कुछ लोक गीत, देखें वीडियो | No. 1 Indian Media News Portal", www.bhadas4media.com, मूलसँ १ फरबरी २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१८ 
  5. "चंदन तिवारी ने बताया अपने पसंदीदा 11 भोजपुरी गानों के बारे में", मूलसँ ११ जुलाई २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१८ 
  6. "पब्लिक डिमांड से अलग हटकर सोचना होगा : चंदन", Firstpost Hindi (hi-INमे), मूलसँ ९ मई २०१९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१८ 
  7. "लोकगायिका चंदन तिवारी की कलम से एम्स्टर्डम डायरी", मूलसँ ९ मई २०१९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ जुलाई २०१८ 


बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]