सामग्री पर जाएँ

चारमीनार

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
चारमीनार
Charminar
చార్మినార్
چار مینار‎
धर्म
आवद्धताइस्लाम
स्थान
स्थानहैदराबाद, तेलङ्गाना, भारत
१७°२१′४२″N ७८°२८′२९″E / १७.३६१६३°N ७८.४७४६७°E / 17.36163; 78.47467निर्देशाङ्क: १७°२१′४२″N ७८°२८′२९″E / १७.३६१६३°N ७८.४७४६७°E / 17.36163; 78.47467
प्रदेशतेलङ्गाना (తెలంగాణా రాష్త్రం)
Administrationकुली कुतुब शाह
वास्तुकला
शैलीइस्लामिक वास्तुकला
कार्य सम्पन्नसन् १५९४
Specifications
Minaret(s)४
Minaret height४८.७ मिटर (१६० फिट)
चारमीनार मर्मतक समयमे- अगस्त २०१६
दोसर मञ्जिला पर मस्जिद

चारमीनार, सन् १९५१ मे निर्मित एक मस्जिद आ धरोहर छी जे भारतक नव राज्य तेलङ्गानाक हैदराबाद शहरमे अवस्थित अछि । ई स्थान हैदराबादक विश्वव्यापी मुख्य कलाकृति छी जे समुचा भारतक अमूल्य धरोहरक सूचीमे सूचीकृत अछि । [१] चारमीनार मुसी नदीक किनारमे अवस्थित अछि ।[२] एकर पश्चिममे लाड बजार आ दक्षिणपश्चिममे पूर्ण ग्रेनाइटसँ निर्मित मक्का मस्जिद अवस्थित अछि ।[३] भारतक पुरातात्विक विभागद्वारा जारी कएल गेल भारतक पुरातात्विक आ अमूल्य धरोहरसभक सूचीमे चार मीनार सूचीवद्ध अछि ।[४] चारमीनार शब्द उर्दू भाषाक दुई संयुक्त शब्द चार आ मीनार सँ आएल अछि जकर अङ्ग्रेजी रूप चार टावर्स होइत अछि ।[३]इतिहासकार मसुद हुसैन खानक अनुसार चारमीनारक निर्माण समाप्ति सन् १५९२ मे भेल जतय अखुनका हैदराबाद शहर अछि जकर स्थापना सन् १५९१ मे भेल छल ।[५]

कुतुब शाही राजवंशक पाँचम् शासक सुल्तान मुहम्मद कुली कुतुब शाह चारमीनारक निर्माण सन् १५९१ मे करौने छल । गोलकुण्डासँ हैदराबाद राजधानी स्थानान्तरित करि ओ शीघ्र चारमीनारक विशाल संरचना बनौलक । चारमीनारक कारण आई ई हैदराबाद शहर विश्वव्यापी केन्द्रक रूपमे स्थापित अछि ।

एतिहासिक व्यापारिक मार्गक बिचोबीच चारमीनारक निर्माण कएल गेल छल जे गोलकोण्डा बजार आ बन्दरगाह शहर मछलीपट्टनमक जोडैत अछि ।[६]:१९५ भारतक पौराणिक शहर हैदराबादक मध्यमे चारमीनारक निर्माण भेल अछि ।[७][८][६] [९] [१०]:१७० शहरक योजनावद्ध तरिकासँ बसाबैक लेल अतिरिक्त वास्तुविद्सभ सेहो पर्सियासँ बजाएल गेल छल । चारमीनारक संरचना स्वयम् मस्जिद आ मदरसाक रूपमे काज करैत छल । ई इस्लामिक वास्तुशैलीमे निर्माण कएल गेल अछि । अपन सोनगर दिनमे, चारमीनार बाजारमे १४,००० क आसपास दोकान छ्हल । चारमीनारक नजदिक रहल प्रसिद्ध लाड बजार आ पाथेर गट्टी बाजार, आभूषण, स्थानीय समान विशेष रूपसँ निक चूडी आ मोतीक लेल पर्यटक आ स्थानीयसभक लेल जानल जाइत अछि ।

सन् २००७ मे, पाकिस्तानक हैदराबाद प्रान्तमे रहनिहार मुसलमानसभ कराचीमे बहादुराबाद पड़ोसक मुख्य चौकपर चारमीनारक अर्ध प्रतिकृति निर्माण केनए अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. ↑ "Richard Goslan travels to India - Herald Scotland", मूलसँ २०१०-१२-१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१६-११-१५। |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  2. ↑ Charminar (building, Hyderabad, India), Britannica Online Encyclopedia
  3. 1 2 Charminar: Hyderabad, Britannica Compton's Encyclopedia
  4. ↑ "Alphabetical List of Monuments - Andhra Pradesh", Archaeological Survey of India, २५ जून २०१४ कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  5. ↑ Mohammad Quli Qutb Shah, volume 216. Sahitya Akademi. 1996. आइएसबिएन 8126002336. https://books.google.com/books?id=v4UKJFLZVcEC&printsec=frontcover&source=gbs_ge_summary_r&cad=0#v=onepage&q&f=false. अन्तिम पहुँच तिथि: 21 December 2012.
  6. 1 2 Gayer, Lauren; Lynton, Christophe Jaffrelot (2011). Muslims in Indian cities: trajectories of marginalisation. Columbia University Press. आइएसबिएन 9780231800853. https://books.google.com/books?id=Z7J8ITgtkosC&printsec=frontcover&source=gbs_ge_summary_r&cad=0#v=onepage&q&f=false. अन्तिम पहुँच तिथि: 21 December 2012.
  7. ↑ "Mecca Mosque", Encyclopedia Britannica, अन्तिम पहुँच ३ नवम्बर २०११।
  8. ↑ "The Qutb Shahi monuments of Hyderabad-Golconda Fort, Qutb Shahi Tombs, Charminar", UNESCO World Heritage Centre, १० सितम्बर २०१०, अन्तिम पहुँच २१ दिसम्बर २०१२।
  9. ↑ "Qutb Shahi style (mainly in and around Hyderabad city)", Government of Telangana, २००२, मूलसँ १० जनवरी २०१३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २१ दिसम्बर २०१२। |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  10. ↑ Sardar, Marika (२००७), Golkonda through time: A mirror of the evolving Deccan, New York University, UMI Number:3269810, अन्तिम पहुँच २१ दिसम्बर २०१२।[permanent dead link]

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]