चित्रकूट
चित्रकूट
Chitrakoot | |
|---|---|
चित्रकूटमे अवस्थित घाट | |
| निर्देशाङ्क: २५°००′N ८०°५०′E / २५.००°N ८०.८३°Eनिर्देशाङ्क: २५°००′N ८०°५०′E / २५.००°N ८०.८३°E | |
| राष्ट्र | देश |
| राज्य | मध्य प्रदेश |
| जिला | सतना |
| जनसङ्ख्या (२००१) | |
| • कुल | २२,२९४ |
| भाषासभ | |
| • आधिकारिक | हिन्दी |
| समय क्षेत्र | युटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय) |
| आइएसओ ३१६६ सङ्केत | IN-MP |
| सवारी दर्ता | MP |
चित्रकूट धाम मन्दाकिनी नदीक किनारमे बसल भारतक सभ सँ प्राचीन तीर्थस्थलमे सँ एक छी। उत्तरप्रदेश राज्य अन्तर्गत रहल चित्रकूट ३८.२ वर्ग किलोमीटरक क्षेत्रमे फैलल शान्त आ सुन्दर अछि। चारो दिश सँ विन्ध्य पर्वत श्रृङ्खला आ वन सँ घिरल चित्रकूट क्षेत्रमे अनेक आश्चर्यसभक पहाड अवस्थित अछि । मन्दाकिनी नदीक किनार बनल अनेक घाट आ मन्दिरमे पूरे साल श्रद्धालुसभक आवत-जावत लगल रहैत अछि।
मानल जाएत अछि कि भगवान राम, सीता आ लक्ष्मण अपन वनवासक चौदह वर्षमे सँ एगारह वर्ष चित्रकूट मे बितौने छल। ई स्थान पर ऋषि अत्रि आ सती अनसुइया ध्यान केनए छल। ब्रह्मा, विष्णु आ महेश सेहो चित्रकूटमे सती अनसुइयाक घर जन्म लेनए छल ।
प्रमुख आकर्षण
[सम्पादन करी]कामदगिरि
[सम्पादन करी]
रामघाट
[सम्पादन करी]राम घाट ओ घाट छी जतय प्रभु राम नित्य स्नान करैत छल। एहि घाट पर राम भारत मिलाप मन्दिर अछि आ एहि घाटमे गोस्वामी तुलसीदास जी कऽ प्रतिमा सेहो अछि। मन्दाकिनी नदीक तट पर बनल रामघाटमे अनेक धार्मिक क्रियाकलाप चलैत रहैत अछि। घाटमे गेरूआ वस्त्र धारण कएल साधु-सन्तक भजन आ कीर्तन करैत देख मोन बहुत प्रसन्न भऽ जाएत अछि। साँझक समय होमएवाला आरती मोनकें बहुत आनन्दित बनबैत अछि।
हनुमान धारा
[सम्पादन करी]पहाड़ीकें शिखरमे अवस्थित हनुमान धारामे हनुमानक एक विशाल मूर्ति अछि। मूर्तिके ठीक आगा एक पोखरिमे झरना सँ पानि झहरैत रहैत अछि। कहल जाएत अछि कि ई धारा श्रीराम लङ्का दहन सँ आएल हनुमानक आरामक लेल बनेने छल। पहाड़ीकें शिखरमे 'सीता रसोई' सेहो अछि। हिमर सँ चित्रकूटक सुन्दर दृष्य देखल जा सकैत अछि।