झाँसी
झाँसी Jhansi | |
|---|---|
झाँसीक दृश्य | |
उपनामसभ:
| |
| देश | |
| राज्य | उत्तर प्रदेश |
| क्षेत्र | बुन्देलखण्ड |
| जिला | झाँसी |
| संस्थापक | ओर्चाक राजा |
| नामकरण | ओर्चा राज्य |
| सरकार | |
| • मेयर | राम तीर्थ सिङ्घल (भाजपा) |
| • पुलिस अधिक्षक | दिनेश कुमार सिंह |
| • संसदक सदस्य | उमा भारती (भाजपा) |
| उन्नतांश | २८५ मिटर (९३५ फिट) |
| जनसङ्ख्या (२०११ जनगणना) | |
| • महानगर | ५०,५६३[१] |
| • क्रम | ५७ |
| • महानगर | ५,४७,६३८[१] |
| भाषासभ | |
| • आधिकारिक | हिन्दी |
| • अन्य | बुन्देली |
| समय क्षेत्र | युटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय) |
| डाक कोड | २८४००१-२-३-४ |
| टेलिफोन कोड | ०५१० |
| सवारी दर्ता | UP-93 |
| लिङ्ग अनुपात | ♂ ०.९०५ : ♀ १.००० |
| साक्षरता | ८३.०२%[१] |
| औसत ग्रीष्म तापक्रम | ४७ °से (११७ °फे) |
| औसत ठण्डी तापक्रम | ४.० °से (३९.२ °फे) |
| वेबसाइट | jhansi.nic.in |
झाँसी (
pronunciation (सहायता जानकारी)) भारतक उत्तर प्रदेश राज्यमे अवस्थित एक प्रमुख शहर छी । ई शहर उत्तर प्रदेश आ मध्य प्रदेशक सीमा पर अवस्थित अछि आ बुन्देलखण्ड क्षेत्रक अन्तर्गत आबैत अछि । झाँसी एक प्रमुख रेल आ सड़क केन्द्र छी आ झाँसी जिलाक प्रशासनिक केन्द्र सेहो अछि । झाँसी शहर पत्थर निर्मित किलाक चारो दिस फैलल अछि, ई किला शहरक मध्य अवस्थित बँगरा नामक पहाड़ी पर निर्मित अछि ।
उत्तर प्रदेशमे २०.७ वर्ग किलोमिटरक क्षेत्रमे फैलल झाँसी पर प्रारम्भमे चन्देल राजासभक नियन्त्रण छल । ओ समय एकरा बलवन्त नगरक नामसँ जानल जाइत छल । झाँसीक महत्व सत्रहम शताब्दीमे ओरछाक राजा बीर सिंह देवक शासनकालमे बढ़ल । एहि समयमे राजा बीर सिंह आ हुनकर उत्तराधिकारिसभ झाँसीमे अनेक ऐतिहासिक भवनक निर्माण करौने छल ।
परिचय
[सम्पादन करी]बुन्देलों हरबोलों के मुख हमने सुनी कहानी थी, |
बुन्देलक सम्पूर्ण सिपाहीक मुख सँ हमसभ सुनने एगो खिस्सा छलौं । |
| —सुभद्रा कुमारी चौहान: झाँसी कऽ रानी[२] |
बुन्देलखण्डक गढ़ मानल जाए वला झांसीक सङ्घर्षशील इतिहासके सटीक परिभाषित करैत अछि उपरोक्त पङ्क्ति । सन् १८५७ मे झाँसी कऽ रानी लक्ष्मीबाई[३] अङ्ग्रेजक अधीनता स्वीकार नै करि ओकरा सभ विरूद्ध सङ्घर्ष केनाए उचित समझलक । ओ अङ्ग्रेज सैनिक आ शासकसभसँ वीरतापूर्वक युद्ध लड़ल आ अन्तमे वीरगतिकें प्राप्त भेल । झाँसी नगरक घर-घरमे रानी लक्ष्मीबाईकें वीरताक खिस्सा सुनाएल जाइत अछि ।