सामग्री पर जाएँ

झाँसी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
झाँसी
Jhansi
झाँसी शहर
झाँसीक दृश्य
उपनामसभ: 
देश भारत
राज्यउत्तर प्रदेश
क्षेत्रबुन्देलखण्ड
जिलाझाँसी
संस्थापकओर्चाक राजा
नामकरणओर्चा राज्य
सरकार
  मेयरराम तीर्थ सिङ्घल (भाजपा)
  पुलिस अधिक्षकदिनेश कुमार सिंह
  संसदक सदस्यउमा भारती (भाजपा)
उन्नतांश
२८५ मिटर (९३५ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११ जनगणना)
  महानगर५०,५६३[]
  क्रम५७
  महानगर
५,४७,६३८[]
भाषासभ
  आधिकारिकहिन्दी
  अन्यबुन्देली
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
डाक कोड
२८४००१-२-३-४
टेलिफोन कोड०५१०
सवारी दर्ताUP-93
लिङ्ग अनुपात ०.९०५ : १.०००
साक्षरता८३.०२%[]
औसत ग्रीष्म तापक्रम४७ °से (११७ °फे)
औसत ठण्डी तापक्रम४.० °से (३९.२ °फे)
वेबसाइटjhansi.nic.in

झाँसी (About this sound pronunciation ) भारतक उत्तर प्रदेश राज्यमे अवस्थित एक प्रमुख शहर छी । ई शहर उत्तर प्रदेशमध्य प्रदेशक सीमा पर अवस्थित अछि आ बुन्देलखण्ड क्षेत्रक अन्तर्गत आबैत अछि । झाँसी एक प्रमुख रेल आ सड़क केन्द्र छी आ झाँसी जिलाक प्रशासनिक केन्द्र सेहो अछि । झाँसी शहर पत्थर निर्मित किलाक चारो दिस फैलल अछि, ई किला शहरक मध्य अवस्थित बँगरा नामक पहाड़ी पर निर्मित अछि ।

उत्तर प्रदेशमे २०.७ वर्ग किलोमिटरक क्षेत्रमे फैलल झाँसी पर प्रारम्भमे चन्देल राजासभक नियन्त्रण छल । ओ समय एकरा बलवन्त नगरक नामसँ जानल जाइत छल । झाँसीक महत्व सत्रहम शताब्दीमे ओरछाक राजा बीर सिंह देवक शासनकालमे बढ़ल । एहि समयमे राजा बीर सिंह आ हुनकर उत्तराधिकारिसभ झाँसीमे अनेक ऐतिहासिक भवनक निर्माण करौने छल ।

बुन्देलों हरबोलों के मुख हमने सुनी कहानी थी,
खूब लड़ी मर्दानी वो तो झांसी वाली रानी थी ।

बुन्देलक सम्पूर्ण सिपाहीक मुख सँ हमसभ सुनने एगो खिस्सा छलौं ।
वीरतापूर्वक युद्धमे जे लड़ल ओ झाँसीक रानी छल ।

सुभद्रा कुमारी चौहान: झाँसी कऽ रानी[]

बुन्देलखण्डक गढ़ मानल जाए वला झांसीक सङ्घर्षशील इतिहासके सटीक परिभाषित करैत अछि उपरोक्त पङ्क्ति । सन् १८५७ मे झाँसी कऽ रानी लक्ष्मीबाई[] अङ्ग्रेजक अधीनता स्वीकार नै करि ओकरा सभ विरूद्ध सङ्घर्ष केनाए उचित समझलक । ओ अङ्ग्रेज सैनिक आ शासकसभसँ वीरतापूर्वक युद्ध लड़ल आ अन्तमे वीरगतिकें प्राप्त भेल । झाँसी नगरक घर-घरमे रानी लक्ष्मीबाईकें वीरताक खिस्सा सुनाएल जाइत अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]