झुम्पा लाहिड़ी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
झुम्पा लाहिड़ी
Jhumpa Lahiri
जन्मनीलाञजना सुदेशना लाहिड़ी
(१९६७-०७-११) जुलाई ११, १९६७ (उमर ५६)
लन्डन इङ्ग्ल्यान्ड, युके
पेशालेखक
राष्ट्रियताअमेरिकी
मातृसंस्थाबरनार्ड कलेज
बोस्टन बिश्वविद्यालय
शैलीउपन्यास, लघु कथा, उत्तर औपनिवेशिक
उल्लेखनीय कामसभइन्टरप्रेटर अफ मेलोडिज (१९९९)
द नेमसेक (२००३)
अनएकसटम्ड अर्थ (२००८)
द लल्यान्ड (२०१३)
उल्लेखनीय पुरस्कार१९९९ ओ. हेन्री एवार्ड
२००० फिक्शनक लेल पुलित्जर पुरस्कार
Website
randomhouse.com/kvpa/jhumpalahiri/

झुम्पा लाहिड़ी (बङ्गाली भाषा: ঝুম্পা লাহিড়ী, ११ जुलाई १९६७, कऽ जनमल) एक भारतीय अमेरिकी लेखिका छी । भारतीय अमेरिकी लेखक झुम्पा लाहिड़ी कें लघु कथा मे उत्कृष्टताक लेल २०१७ पीएएन / मालामुद एवार्ड प्राप्तकर्ता कें रूपमे घोषित कएल गेल छल ।[१] लाहिड़ी कें पहिल लघु कथा संग्रह, इन्टरप्रेटर अफ मेलोडिज (१९९९) कें २००० मे उपन्यासक पुलित्जर पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल आ हिनकर पहिल उपन्यास द नेमसेक (२००३) पर आधारित ओहि नामक एकटा फिल्म बनाएल गेल छल ।[२] जनमे सँ हिनकर नाम नीलाञजना सुदेश्ना छी आ हिनकर अनुसार ई दुनु हिनकर "निक नाम" छी, मुदा ओ अपन उपनाम झुम्पा कें नाम सँ बेसी जानल जाएत अछि ।[३] लाहिड़ी, अमेरिका कें राष्ट्रपति बाराक ओबामा द्वारा कला आ मानवीयता पर राष्ट्रपतीक समिति कें सदस्या कें रुपमे नियुक्त कएल गेल छल ।

जीवनी[सम्पादन करी]

लाहिड़ीक जनम लन्डन मे भेल छल, ओ एक आप्रवासी बङ्गाली भारतीय परिवारक बेटी छी । जखन ओ तीन वर्षक छल तखन हिनकर परिवार संयुक्त राज्य अमेरिकामे स्थानान्तरित भऽ गेल छल; लाहिड़ी अपनाकें अमेरिकी मानैत अछि आ हिनकर कहनाए अछि, "हम एहि ठाम नै जनमलौं मुदा ई भऽ स्कैत छल ."[३] लाहिड़ी किङ्ग्सटन, रोड आइल्यान्ड, मे पैग भेल, जहि ठाम हिनकर पिता अमर लाहिड़ी रोड आइल्यान्ड विश्वविद्यालयमे एक लाइब्रेरियनक रूपमे कार्यरत छल;[३]इन्टरप्रेटर अफ मेलोडिज कें अन्तिम कथा "दी थर्ड एन्ड फाइनल कन्टीनेन्ट," कें नायकक आधार छी ।[४] लाहिड़ीक माता कें इच्छा छल कि हिनकर बच्चा बङ्गाली विरासत कें जानैत-बुझैत पैग होए आ हिनकर परिवार प्रायः अपन रिश्तेदारसभ सँ मिलबाक लेल कलकत्ता (अब कोलकाता) जाएत रहैत छल ।[५]

एकर बाद लाहिड़ी द्वारा बोस्टन विश्वविद्यालय सँ बहुतो डिग्रिसभ प्राप्त कएल गेल: जाहिमे शामिल अछि अङ्ग्रेजीमे एम.ए., रचनात्मक लेखनमे एम.एफ.ए., तुलनात्मक साहित्यमे आर पुनर्जागरण अध्ययनमे एक पीएच.डी.. हिनका द्वारा प्रोविन्सटाउन कें फाइन आर्ट्स वर्क सेन्टरक फैलोशिप लएल गेल, जे अगल दु वर्ष धरि चलल (१९९७-१९९८) लाहिड़ी द्वारा बोस्टन विश्वविद्यालय| आ रोड आइल्यान्ड स्कूल अफ डिजाइन मे रचनात्मक लेखनक देल गेल छल ।

२००१ मे, लाहिड़ी द्वारा अल्बर्टो वारवोऊलिअस-बुश सँ विआह कएल गेल, जे कि एक पत्रकार छी आ ओहि समय टाइम ल्याटिन अमेरिका कें डिप्टी एडीटर छल (आ एखन न्यूयोर्कक सभसँ पैग स्प्यानिश दैनिक आ अमेरिका कें सभसँ तेजी सँ बढ़ि रहल समाचार पत्र El Diario/La Prensa, कें कार्यकारी सम्पादक छी). लाहिड़ी, ब्रुकलीन न्यूयोर्क मे अपन पति आ टुटा बच्चासभक सङ्ग रहैत अछि, जकर नाम ओक्टेवियो आ नूर छी ।

साहित्यिक करियर[सम्पादन करी]

साहित्यिक केन्द्र[सम्पादन करी]

ग्रन्थ सूची[सम्पादन करी]

लघु कथा संग्रह[सम्पादन करी]

उपन्यास[सम्पादन करी]

लघु कथासभ[सम्पादन करी]

पुरस्कार[सम्पादन करी]

योगदान[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

आत्मकथाएं

मिस्क.:

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Archive copy"मूलसँ 2017-06-04 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-25 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)CS1 maint: archived copy as title (link)
  2. आइज़ैक चोटीनर. "साक्षात्कार: झुम्पा लाहिड़ी", दी अटलांटिक, 2008-03-18. 2008-04-12 को पुनः प्राप्त.
  3. ३.० ३.१ ३.२ बॉब मिंज़शेमर. "फॉर पुलित्जर विनर लाहिड़ी, ए नॉवेल अप्रोच", USA टूडे 2003-08-19. 2008-04-13 को पुनः प्राप्त
  4. गिलियन फ्लाइं. 276075,00.html "पैसेज तो इंडिया: पहली बार लेखक झुम्पा लाहिड़ी ने पुलित्जर जीता"[permanent dead link], मनोरंजन साप्ताहिक, 2000-04-28. 2008-04-13 को पुनः प्राप्त.
  5. अरुण आगुवायर. "वन ओं वन विथ झुम्पा लाहिड़ी", पिफमैगज़ीन.कॉम, 1999-07-28. 2008-04-13 को पुनः प्राप्त.