डा. रेड्डीज ल्याबोरेटरीज
![]() | |
सार्वजनिक | |
Traded as | आकृति:NSE बिएसई: 500124 NYSE: RDY |
उद्योग | फार्मासिउटिकल्स |
स्थापना | १९८४ |
संस्थापकसभ | Kallam Anji Reddy |
मुख्यालय | हैदरावाद, तेलङ्गाना, भारत |
मुख्य लोकनि | जी.भी.प्रसाद (सी.ई.ओ.) कल्लम सतिश रेड्डी (चेयरम्यान) |
Revenue | ![]() |
![]() | |
कूल सम्पति | ![]() |
Total equity | ![]() |
कर्मचारी सङ्ख्या | २०,३७३ (अप्रैल २०१५) |
वेबसाइट | drreddys.com |
डा. रेड्डीज ल्याबोरेटरीज (Dr. Reddy's Laboratories Ltd.), जेकरा डा. रेड्डीज के नाम सँ ट्रेड कएल जाइत अछि, आई भारत के दोसर सभसँ पैग औषधी कम्पनी छी। एकर स्थापना १९८४ मे डाक्टर के. अन्जी रेड्डी केनए छल। एकर पूर्व डा. अन्जी रेड्डी भारत सरकार के उपक्रम इन्डियन ड्रग्स एन्ड फार्मास्यूटिकल्स लिमिटेड मे कार्यरत छल। डा. रेड्डीज अनेकौं प्रकार के दवाईसभ बना के देश-विदेश मे विपणन करैत अछि। कम्पनी के पास आई १९० सँ अधिक दवाईसभ, दवासभके निर्माण केलक करीब साठ सक्रिय सामग्री, नैदानिक उपकरण तथा सघन चिकित्सा आ बायोटेक्नोलोजी उत्पाद मौजूद अछि।
परिचय[सम्पादन करी]
डा. रेड्डीज के शुरुआत अन्य भारतीय दवाई निर्मातासभ के दवाईसभ बनाके मुहैया करावे सँ भेल, मुद्दा शीघ्र ही ई कम्पनी ओ देशसभ के दवाई निर्यात करै लगल जतय ई व्यापार सँ सम्बन्धित कानून अनुकूल छल। उदाहरण के लेल अमेरिकी कम्पनीसभ के जे दवाईसभके निर्माण के लेल फुड एवं ड्रग एडमिनिस्ट्रेशन (एफडीए) सँ लम्बा एवं जटिल लाइसेन्स अनुमति प्रक्रिया सँ गुजरवाक पडैत छल, ओ, ओ दवाईसभ के डा. रेड्डीज सँ खरीद करै लगल। १९९० के आवैत-आवैत कम्पनी के व्यापार आ लाभ एतेक बढि गेल कि कम्पनी अधिक अनुकूल देशसभके बाजारसभमे दवाईसभके फ्याक्ट्री लगावे के लेल ओई के दवाई विनियामक अभिकरणसभसँ सीधा अनुमति लेनाए प्रारम्भ करि देलक। ओइ सँ ई दवाईसभ अमेरीका तथा यूरोप जेहन कठिन बाजारसभमे सेहो भेजए जाए लगल।
२००७ आवैत-आवैत, डा. रेड्डीज के पास अमेरिकी अभिकरण एफडीए सँ अनुमोदित छ फ्याक्ट्री भ गेल जाहिमे दवाई निर्माण के सक्रिय सामग्रीसभ बनैत छल। साथ ही एफडीए के मान्यता प्राप्त एहन सात फ्याक्ट्रीसभ सेहो खोलि गेल जतय मरीजसभक लेल तैयार दवाईसभ निर्मित कएल जाइत छल। एहीमे सँ पाँच भारत मे आ दुइ यूनाइटेड किङ्गडम (यूके) मे स्थित अछि, तथा सात ही आईएसओ (ISO) ९००१ (गुणवत्ता मानक) व आईएसओ (ISO) १४००१ पर्यावरण संरक्षण के लेल मानक) सँ मान्यता प्राप्त अछि।[२]
२०१० मे, परिवार द्वारा सञ्चालित ई कम्पनी ई बात के पुरजोर खन्डन[३] केलक कि ओ अपन जेनरिक व्यापार अमेरिकी औषध कम्पनी फाइजर के बेचइ जा रहल अछि,[४] विवाद आ चर्चा तखन शुरू भेल जखन डा. रेड्डी घोषणा केलक कि ओ कोलेस्ट्रोल के इलाज मे काम आवे वाला दवाई अटोवस्टेटिन (Atorvastatin) के जेनरिक रूप बाजार मे उतारत। फाइजर (Pfizer) एकरा ई कहि के कडा विरोध केलक कि ओ ई दवाई के लिपिटोर (Lipitor) के नाम सँ पहिने सँ ही बेच रहल अछि तथा एहन करि के डा. रेड्डी सीधे पेटेन्ट कानून के उल्लङ्घन करि रहल अछि।[५][६] एही विवाद सँ पूर्व डा. रेड्डीज के नाम यूके के मशहूर बहुराष्ट्रीय दवाई कम्पनी ग्लैक्सो स्मिथक्लाइन (Glaxo Smithkline) सँ जोडल जा चुकल छल।[७]
प्रमुख लोगसभ[सम्पादन करी]
३१ मार्च २००६ के बोर्ड के सदस्य आ वरिष्ठ अधिकारी शामिल भेल।
- श्री अमित पटेल - उपाध्यक्ष, कर्पोरेट विकास आ सामरिक योजना
- डा. के अन्जी रेड्डी, चेयरम्यान
- श्री जीवी प्रसाद - उपाध्यक्ष आ मुख्य कार्यकारी अधिकारी
- श्री सतीश रेड्डी -प्रबन्ध निर्देशक आ सीईओ
- श्री बी. कोटेश्वर राव - स्वतन्त्र निर्देशक
- श्री अनुपम पुरी - स्वतन्त्र निर्देशक
- डा. कृष्ण जी पलेपू - स्वतन्त्र निर्देशक (सत्यम घोटाला के बाद मीडिया मे एहन खबर आएल अछि कि प्रोफेसर पलेपू सँ अनौपचारिक रूप सँ डा. रेड्डीज ल्याबोरेटरीज के बोर्ड के सदस्यता छोडि के के कहल गेल अछि।[८])
- डा. ओम्कार गोस्वामी - स्वतन्त्र निर्देशक
- श्री पीएन देवराजन - स्वतन्त्र निर्देशक
- श्री रवि भूथालिंगम - स्वतन्त्र निर्देशक
- डा. वी. मोहन - स्वतन्त्र निर्देशक
- डा राजिन्दर कुमार - अध्यक्ष, अनुसन्धान, विकास आ व्यावसायीकरण (३० अप्रैल २००७ मे शामिल भेल अछि आ २००९-१० मे कम्पनी छोडलक् तँ एही कारण अखन ओ डा. रेड्डी सँ जुडि गेल नै अछि)[९]
मुख्य उत्पादसभ[सम्पादन करी]
शीर्ष सक्रिय दवाई सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- साइप्रोफ्लोक्सासिन हाइड्रोक्लोराइड
- रामिप्रिल
- टेरबिनाफिन एचसीआई
- इब्रूफिन
- सेरटालिन हाइड्रोक्लोराइड
- रेनिटिदीन एचसीएल फर्म २
- नेपरोक्सन सोडियम
- नेपरक्सन
- एटोरवास्टेटिन
- मन्टेलुकास्ट
- लोसर्टन पोटेशियम
- स्पारफ्लोक्सासिन
- निजाटिडाइन
- फेक्सोफेनाडिन
- रेनिटिदीन हाइड्रोक्लोराइड फर्म १
- क्लोपिडोग्रेल (२००७ पेटेन्ट मामला के कारण सँ यूएस मे मौजूद नै अछि)
- ओमेप्रजोल
- फिनएसटेराइड
- सुमाट्रिप्टन
भारत मे शीर्ष १० ब्रान्ड[सम्पादन करी]
- ओमेज
- निस
- स्टाम्लो
- स्टाम्लो बीटा
- एनम
- अटोकोर
- राजो
- रेक्लीमेट
- क्लैम्प
- मिन्टोप
मध्य पूर्व मे शीर्ष ब्रान्ड[सम्पादन करी]
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ "Dr.Reddy's Laboratories Ltd Results"।
- ↑ डा.रेड्डीज लेबोरेटरीज है - 2007-2012 - MarketReports.com 2007 लाइफ साइंस रिसर्च रिपोर्ट, टेक्नोलॉजी नेटवर्क, सुडबरी, एसेक्स. यूके. 2007-08-22 को एक्सेस किया गया।
- ↑ 'डा. रेड्डीज ल्याबोरेटरीज सेज़ नॉट टू सेल अणि बिजनेस- डीजे, रायटर्स न्यूज़ एजेंसी, 23 मार्च 2010. .2 अक्टूबर 2010 को एक्सेस किया गया।
- ↑ फाइजर इन टॉक्स टू डीआरएल फॉर्मूलेशन्स बिजनेस इन इंडिया, एनडीटीवी, न्यू डेल्ही, 23 फ़रवरी 2010.2 अक्टूबर 2010 को एक्सेस किया गया।
- ↑ डा. रेड्डीज डेवलप्स जेनेरिक वर्जन ऑफ फाईज़र्स लिपिटर, बिजनेस स्टैंडर्ड, न्यू डेल्ही एंड मुंबई, 7 नवम्बर 2009. 2 अक्टूबर 2010 को एक्सेस किया गया।
- ↑ फाइजर सुएस डा. रेड्डीज ऑवर कोलेस्ट्रॉल ड्रग 'लिपिटर', स्टॉक वॉच, मुंबई, 12 नवम्बर 2009.2 अक्टूबर 2010 को एक्सेस किया गया।
- ↑ एस्ट्राजेनेका पार्टनर्स विथ इंडियाज़ टोरेंट फार्मास्यूटिकल्स, फार्मास्युटिकल टैक्नोलॉजी, इसेलिन, एनजे इंस चेस्टर यूके 2 अक्टूबर 2010 को एक्सेस किया गया।
- ↑ { url = http://economictimes.indiatimes.com/Corporate_Announcement/Palepu_may_have_to_quit_DRL_board/articleshow/3958701.cms }
- ↑ डॉ॰ रेड्डीज एनाउन्स न्यू आरएंडडी चीफ - कॉर्पोरेट प्रेस ऑफिस