तातेभिक साजानदार्यन

तातेभिक साजानदार्यन (१९१६–१९९९), एक सोभियत आ अर्मेनियाई अपरेटिभ मेजो-सोप्रानो छल, जे सन् १९५८ मे सोभियत सङ्घक सुप्रिम सोभियतक सदस्य बनल छल। ओ सन् १९३७ सँ सन् १९६१ धरि येरेभान ओपेरा थिएटरमे एकल कलाकारक रूपमे प्रदर्शन करैत छल।[१]
जीवनी[सम्पादन करी]
सन् १९१६ सितम्बर २ कें खोडजोरस्कमे जन्मल तातेभिक एखन स्युनिक प्रान्तमे स्थित, साजाडरियन बाकुमे पलल-बढ़ल, मात्र १० सालक उमर सँ स्कूलक गायक मण्डलीमे एकल कलाकारक रूपमे गबैत छल। ओ मात्र १६ वर्षक उमरमे मस्को चलि गेल, जतय ओ बहुत रास कार्यक्रममे शौकिया तौर पर गायन केनए छल। एक बेर जखन हुनकर प्रतिभाकें पहचान कएल गेल, तखन ओ रूबेन सिमोनोवक तहत मस्कोमे अध्ययन केलक। ओ सन् १९३३ मे सङ्गीत कार्यक्रमसभमे भाग लेनाए शुरू केलक।[२] अध्ययन पुरा केलाक बाद ओ फेर अर्मेनिया आबि गेल,जतय ओ सरगिस बरखुदरायनक तहत येरेभानक सङ्गीत आ नाटक स्कूलमे अध्ययन केलक। सन् १९३७ मे, ओ येरेभान ओपेरा थिएटरमे एकल कलाकार बनि गेल। ओ विशेष रूप सँ तिगरान चुखाजियनकें ओपेरा अरशाक द्वितीय आ अरमेन तिगारानियनक डेविड बेकमे परमारक भूमिकाक लेल याद कएल जाएत अछि। ओ कारमेन, आइडा आ युजीन वनगिनमे सेहो प्रमुख भूमिका निर्वाह केनए छल।[३][४] [४]
सन् १९६१ सँ, ओ येरेभान कन्जरवेटरीमे पढ़ेलक जतय ओ सन् १९७० मे अध्यापिका बनऽमे सफल भेल। एकर बाद ओ येरेभानक थिएटर इन्स्टिच्युटमे एकल गायन विभागक नेतृत्व केनए छल। युरोप भरिक विभिन्न देश जहिमे सोभियत सङ्घ, स्वीडेन, ट्युनिसिया, हङ्गेरी, सीरिया, बेल्जियम, ग्रीस, चेकोस्लोभाकिया आ फ्रान्समे प्रदर्शन करि ओ व्यापक रुपमे चर्चित भेल छल।
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ "Сазандарян Татевик Тиграновна" (Russianमे), Megabook, अन्तिम पहुँच ११ मई २०१८।
- ↑ Galoyan, Elena (१७ मई २०१७), "ПЕРВАЯ. ТАТЕВИК" (Armenianमे), Голос Армении (Voice of Armenia), अन्तिम पहुँच १३ मई २०१८।
- ↑ "Театральная Энциклопедия" (Russianमे), Библиотека Гумер, अन्तिम पहुँच १३ मई २०१८।
- ↑ ४.० ४.१ "Սազանդարյան Տաթևիկ" (Armenianमे), Հայկական Հանրագիտարան (Armenian Encyclopaedia), अन्तिम पहुँच १३ मई २०१८।