तालबाराही मन्दिर
दिखावट
तालबाराही मन्दिर | |
---|---|
निर्देशाङ्क: | २८°१२′२६″उ॰ ८३°५७′१३″पू॰ / २८.२०७२२°N ८३.९५३६१°Eनिर्देशाङ्क: २८°१२′२६″उ॰ ८३°५७′१३″पू॰ / २८.२०७२२°N ८३.९५३६१°E |
नाम | |
वास्तविक नाम: | तालबाराही मन्दिर |
अवस्थिति | |
देश: | नेपाल |
राज्य/अञ्चल: | गण्डकी प्रदेश |
जिला: | कास्की |
कला आ संस्कृति | |
मुख्य देवता: | देवी |
वास्तुशैली: | प्यागोडा |
तालबाराही मन्दिर कास्की जिलाक पोखरामे अवस्थित प्रसिद्ध मन्दिर छी। फेवातालक बीचमे रहल ई मन्दिरमे प्रतिदिन दर्शकसभक भीड़भाड़ रहैत अछि। हिन्दू धर्माबलम्बीक ई मन्दिर भेला बादो ई सम्पूर्ण धर्मक व्यक्तिसभ एतय प्रवेश कऽ सकैत अछि।
तालबाराही मन्दिरक सुन्दरतासँ आन्तरिक तथा बाह्य पर्यटनमे बहुतेक फाइदा पहुचेने अछि। पर्यटकीय सुन्दर नगरी पोखरामे अवस्थित ई मन्दिर कास्की जिला आ गण्डकी प्रदेशमे रहल पर्यटकीय स्थलसभक सूचीमे अग्रपङ्क्तिमे अबैत अछि जहि कारण ई मन्दिरमे पर्यटकसभक भीड़ लागल रहैत अछि। माछापुच्छ्रे हिमालयक छायाँ फेवा तालमे प्रतिबिम्बित दृश्य मन्दिर सँ मनोरम देखबैत अछि। कोजाग्रत पूर्णिमा लगाएत अन्य धार्मिक पर्वसभमे एतय मेला लगैत अछि। परापूर्व कालमे ई मन्दिर जमीनमे छल मुदा एखन ई मन्दिर फेवा तालक बीचमे अवस्थित अछि।