दीपा मलिक

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
दीपा मलिक
Deepa Malik
व्यक्तिगत विवरण
पूरा नाम:दीपा मलिक
जन्म: (१९७०-०९-३०) सितम्बर ३०, १९७० (उमर ५३)
भैंसवाल, सोनीपत, हरियाणा
खेल
राष्ट्र: भारत
विधा:शटपुट एवं ज्वलीन थ्रो कऽ साथ-साथे तैराकी एवं मोटर रेसलिङ्ग ।

दीपा मलिक (जन्म ३० सितम्बर १९७०), शटपुट एवं ज्वलीन थ्रो कऽ साथ-साथे तैराकी एवं मोटर रेसलिङ्ग सँ जुड़ल एक अपाङ्ग भारतीय खिलाड़ी छी जे सन् २०१६ प्यारालम्पिक शटपुटमे रजत पदक जितिक इतिहास रचने छल । हिनकर ३० वर्षक उमरमे तीन ट्यूमर सर्जरी आ शरीरक निचला भाग सुन्न भऽ गेलाक बादोमे शटपुट एवं ज्वलीन थ्रो दुनुमे राष्ट्रिय आ अन्तरराष्ट्रिय प्रतियोगितामे पदक जितने अछि, जवकी तैराकी एवं मोटर रेसलिङ्गमे सेहो बहुतो प्रतिस्पर्धासभमे भाग लेनए अछि । मलिक भारतक राष्ट्रिय प्रतियोगितासभमे ३३ स्वर्ण तथा ४ रजत पदक प्राप्त केनए अछि । ओ भारतक एक एहन पहिल महिला छी जे हिमालय कार रैलीमे आमन्त्रित कएल गेल छल । वर्ष २००८ तथा २००९ मे हिनका द्वारा यमुना नदीमे तैराकी तथा स्पेशल बाइक सवारीमे भाग लकऽ दु बेर लिम्का बूक अफ वर्ल्ड रेकर्डमे अपन नाम दर्ज करौने अछि । दीपाकें सन् २००७ मे ताइवान आ २००८ मे बर्लिनमे ज्वलीन थ्रो तथा तैराकीमे भाग लकऽ रजत एवं कास्य पदक प्राप्त केलक । कोमनवेल्थ गेम्स कऽ टीममे सेहो ओ चयनित कएल गेल । प्यारालम्पिक खेलसभमे हिनकर उल्लेखनीय उपलब्धिसभक कारण हिनका भारत सरकार द्वारा अर्जुन पुरस्कार प्रदान कएल गेल । [१]

रियो प्यारालम्पिक खेल- २०१६ मे दीपा मलिक द्वारा शट-पुटमे रजत पदक जितने छल, दीपा द्वारा ४.६१ मीटर धरि गोला फेक कें दोसर स्थान पर रहल । प्यारालम्पिक खेलसभमे मेडल जितनिहार दीपा पहिल भारतीय महिला बनि गेल अछि ।

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

[२]

व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]

करियर[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. गुप्ता, प्रगति (1 जनवरी 2014)। "हर फील्ड में विजेता रही मैं: दीपा मलिक (साक्षात्कार)"जागरण। अन्तिम पहुँच 12 जुलाई 2014
  2. "Archive copy"मूलसँ 2016-09-14 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-06 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)CS1 maint: archived copy as title (link)