दीपिका अमिन
Deepika Amin दीपिका अमिन | |
---|---|
जन्म | मुम्बई, महाराष्ट्र |
राष्ट्रियता | भारतीय |
अभिभावक(सभ) | उल्हास देशपाण्डे (पिता) क्षमा देशपाण्डे (माता) |
दीपिका देशपाण्डे अमिन एक भारतीय टेलिभिजन, रङ्गमञ्च आ चलचित्र अभिनेत्री छी। ओ बलिउड चलचित्र वेल डन अब्बा (२००९)[१]सँ चलचित्र करियरक पदार्पण केनए छल। तत्पश्चात दीपिका राँझना(२०१३),बेवकुफिया(२०१४),फ्यान(२०१६) लगायत बहुतेक चलचित्र सभमे अभिनय केनए अछि। ओ भारतीय टेलिभिजन जगतक एक जानल मानल नाम छी।
जीवनी
[सम्पादन करी]दीपिका अमिनक जन्म मुम्बईमे एक मराठी परिवारमे भेल छल। हुनकर दादा, आत्माराम रविजी देशपाण्डे साहित्य एकेडमी पुरस्कार सँ सम्मानित भेल छल। हुनकर दादी, कुसुमावती देशपाण्डे मराठी साहित्यक लेखक आ नागपुर विश्वविद्यालयमे अङ्ग्रेजी साहित्यक प्राध्यापक छल। हुनकर पिता उल्हास देशपाण्डे भारतीय वायु सेनामे एयर भाइस मार्सल छल। हिनकर माता क्षमा देशपाण्डे एक कथक नर्तक आ कथक गुरु श्री गोपी कृष्णक शिष्य छल। ओ दिल्लीमे पलल बढ़ल, आ लरेटो कन्वेन्मेंट स्कूलमे अपन स्कूली शिक्षा पूर्ण केलक आ दिल्ली विश्वविद्यालयकें[२] लेडी श्री राम कौलेजमे अर्थशास्त्र (औनर्स) कऽ अध्ययन केनए अछि।
टेलिभिजन
[सम्पादन करी]ओ लेख टन्डन आ गुल आनन्दक धारावाहिक फरमान कऽ सङ्ग अपन पहिल ब्रेक पाएल जतय ओ कंवलजीत सिंहक सङ्ग मुख्य भूमिका निर्वाह केनए छल। ओ श्याम बेनेगलक धारावाहिक अमरावती कऽ कथासभमे अभिनय केनए छल आ हुनकरे ऐतिहासिक श्रृङ्खला संविधान कऽ १० भागमे अभिनय केनए छल।
रङ्गमञ्च
[सम्पादन करी]दीपिका अमीन थिएटर एक्शन ग्रुप [३] कऽ प्रसिद्ध नाटक निर्देशक बैरी जोन द्वारा निर्देशित नाटक सँ अपन थिएटर कैरियरक शुरूवात केनेए छल ।
चलचित्र क्षेत्र
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "SRK is as enthusiastic and fun-loving as he was: Deepika Deshpande Amin | Latest News & Updates at Daily News & Analysis". 2016-04-14. Retrieved 2016-07-18.
- ↑ "FILM STAR'S JOURNEY THROUGH YOUTH". www.afternoondc.in. Retrieved 2016-07-18.
- ↑ "The Eclectist: Deepika Amin's Interview". theeclectist.blogspot.in. Retrieved 2016-07-18.