दीपिका पल्लीकल
![]() म्याचक समय दीपिका | |
देश |
![]() |
---|---|
जन्म |
चेन्नई, भारत | सितम्बर २१, १९९१
व्यावसायिक खेलाडी | २००६ |
प्रशिक्षक | सारा फिजगेराल्ड |
र्याकेट | टेक्निफाइबर |
महिला एकल | |
उच्चतम क्रम | सङ्ख्या: १० (दिसम्बर, २०१२) |
वर्तमान क्रम | सङ्ख्या: २० (मार्च, २०१८) |
उपाधिसभ | ११ |
टुर फाइनल | ५ |
विश्व ओपन | क्यु एफ (२०११ महिला विश्व ओपन स्क्व्याश च्याम्पियनसिप) |
मार्च, २०१८कऽ अद्यावधिक । |
दीपिका पल्लीकल (जन्म: २१ सितम्बर १९९१) एक भारतीय महिला स्क्व्याश खेलाड़ी छी । अन्डर १९ कऽ श्रेणीमे दीपिकाकें क्रम १ महिला स्क्व्याश खेलाड़ी कऽ दर्जा देल गेल छल । अखन ओ विश्व क्रमाङ्कमे बिशम स्थान पर अछि, हुनकर आई धरिक सर्वश्रेष्ठ क्रमाङ्क दश अछि ।[१] ओ विश्व स्क्व्याश सङ्घक खेलाड़ी क्रमाङ्क अन्तर्गत शीर्ष १० मे पहुँचै वाली पहिल भारतीय महिला छी हुनकर बाद जोशना चिनप्पा छी ।[२]ओ सन् २०१२ (स्क्व्याश) च्याम्पियनसिप प्रतियोगितामे उप विजेता रहल छल । संगे २०१२ महिला अस्ट्रेलियन ओपन स्क्व्याश कऽ सेमी फाइनल धरि पहुँचैमे सफल रहल । ओ फरबरी २०१३ मे मिडोवुड फार्मेसी ओपन जीत छठम् डब्लुएसए शीर्षक जीतलक ।[३]
प्रारम्भिक जीवनी[सम्पादन करी]
दीपिकाक जन्म २१ सितम्बर १९९१ कें चेन्नईमे भेल छल । हुनकर पुरा नाम दीपिका रेबेका पल्लीकल छी । हुनकर पिता संजीव पल्लीकल एक उद्योगपति छी आ माता सुसान पल्लीकल एक क्रिकेट खेलाड़ी रहि चुकल अछि, अखन ओ एक परिवहन एजेन्सीक सञ्चालन करैत अछि । दीपिका अपन प्राथमिक आ निम्न माध्यमिक शिक्षा गुड शेफर्ड स्कुल सँ केनए अछि । एकर बादमे लेडी एन्डेल स्कुल चलि गेल कियाकी ओतय खेलक लेल पर्याप्त सुविधा छल । ओ चेन्नई अवस्थित इतिराज कौलेज सँ अपन आगाक पढ़ाई पुरा केलक ।[४]
करियरक उपलब्धि[सम्पादन करी]
दीपिकाक व्यावसायिक करियर अन्तर्गत डब्लुआइएसपिए भ्रमणक मुख्य आकर्षण निम्नलिखित अछि:
प्रतियोगिता | वर्ष | परिणाम |
---|---|---|
![]() |
२०१३ | विजेता[५] |
![]() |
२०१३ | विजेता |
![]() |
२०१२ | सेमीफाइनल |
![]() |
२०१२ | रनर अप |
![]() |
२०११ | विजेता |
![]() |
२०११ | क्वार्टर फाइनल |
![]() |
२०११ | |
![]() |
२०११ | विजेता |
पुरस्कार-सम्मान[सम्पादन करी]
पुरस्कार | वर्ष |
---|---|
अर्जुन पुरस्कार[६] | २०१२ |
पद्म श्री[७] | २०१४ |
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ Info, Squash, "Women's PSA World Squash Rankings (March 2018)" (अङ्ग्रेजीमे), अभिगमन तिथि २०१८-०३-१३।
- ↑ "Dipika Pallikal is first Indian to break into top 10", द इंडियन एक्सप्रेस, २०१२-०१-०१।
- ↑ "दीपिका पल्लिकल ने मकाउ ओपन का खिताब जीता". लाइव हिंदुस्तान. 21 अक्टूबर 2013. http://www.livehindustan.com/news/OtherSports/sportsnews/article1-makau-open-deepika-38-38-371789.html. अन्तिम पहुँच तिथि: 5 दिसम्बर 2013.
- ↑ कुमार, स्वप्ना. "दीपिका पल्लीकल : ग्लैम डॉल ऑफ स्क्वैश". वेब दुनिया हिन्दी. http://hindi.webdunia.com/news-career-gogetters/%E0%A4%A6%E0%A5%80%E0%A4%AA%E0%A4%BF%E0%A4%95%E0%A4%BE-%E0%A4%AA%E0%A4%B2%E0%A5%8D%E0%A4%B2%E0%A5%80%E0%A4%95%E0%A4%B2-%E0%A4%97%E0%A5%8D%E0%A4%B2%E0%A5%88%E0%A4%AE-%E0%A4%A1%E0%A5%89%E0%A4%B2-%E0%A4%91%E0%A4%AB-%E0%A4%B8%E0%A5%8D%E0%A4%95%E0%A5%8D%E0%A4%B5%E0%A5%88%E0%A4%B6-1120403093_1.html. अन्तिम पहुँच तिथि: 5 दिसम्बर 2013.
- ↑ "Dipika triumphs", द हिन्दू, २०१३-१०-२१, अभिगमन तिथि २०१३-१२-५।
- ↑ "Arjuna Awardees for 2012", Times of India, २०१२-०८-२९।
- ↑ "पद्म पुरस्कारों की घोषणा, डॉ॰ माशेलकर को पद्म विभूषण", नवभारत टाईम्स, २५ जनवरी २०१३, अभिगमन तिथि २७ जनवरी २०१४।