सामग्री पर जाएँ

द्वारका (चलचित्र)

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

द्वारका सन् २०१७ मे प्रदर्शित भारतीय तेलुगु भाषाक फिल्म छी जकरा जे श्रीनिवास रवीन्द्र निर्देशित केनए छल। ई चलचित्रकेँ लिजेन्ड सिनेमाक प्रद्युम्न चन्द्रपति आ गणेश पेनुबोटुद्वारा निर्माण कएल गेल छल तँ सुपर गुड फिल्मक ब्यानर अन्तर्गत आरबी चौधरी एकरा प्रस्तुत केनए छल।[][] चलचित्रमें मुख्य भूमिकामे विजय देवरकोन्डापूजा झावेरी अछि आ प्रकाश राज, पृथ्वीराज, मुरली शर्मा महत्वपूर्ण भूमिकामे अछि। चलचित्र सन् २०१६ नवम्बरमे प्रदर्शन करवाक तयारी कएल गेल छल मुदा नोटबन्दीक कारण चलचित्रकेँ सन् २०१७ मार्चमे प्रदर्शित कएल गेल। चलचित्रक प्रिमियर मार्च २ केँ संयुक्त राज्य अमेरिकामे कएल गेल छल। चलचित्र समीक्षकसभद्वारा चलचित्रकेँ खराब समीक्षा करवाक कारण ई चलचित्र घरेलू आ विदेशी दुनू बक्स अफिसमे असफल भेल छल।[][]

कथाबस्तु

[सम्पादन करी]

चलचित्रकि कथा एक चोर एर्रा श्रीनुके अछि जे परिस्थितिके कारण नकली बाबामे परिणत भेल अछि, ओ कोना अपन छविकेँ शोषण केनए अछि, वसुधासङ्गे ओकर प्रेम कहानी आ तर्कसङ्गत चैतन्यसङ्गे ओकर लडाई होइत अछि।

कलाकारसभ

[सम्पादन करी]
  • विजय देवरकोन्डा एर्रा श्रीनु / श्री कृष्णानन्द स्वामीक रूपमे
  • पूजा झावेरी वसुधाक रूपमे
  • प्रधानमन्त्रीक रूपमे प्रकाश राज
  • पुजारीक रूपमे प्रधविराज
  • मुरली शर्मा चैतन्यक रूपमा
  • प्रभाकर
  • सुरेखा वाणी
  • रघु बाबू
  • कृष्ण भगवान
  • भेरीका गिरीधर भज्जा गिरीक रूपमे
  • 'अलाब्बी अलाबी' गीतक एक विशेष उपस्थितिमे निहारिका रायजादा

ध्वनि ट्र्याक

[सम्पादन करी]

चलचित्रक ध्वनि ट्र्याक आदित्य म्युजिकद्वारा अक्टोबर २०१९ मे जारी कएल गेल छल।

ध्वनि ट्र्याक
न. शीर्षक गीत गायक गीतक लम्बाइ
'भजारे नन्दगोपाला' श्री साई किरण के.एस चित्रा ०४:०२
'आदिरे दादा' रहमान साई चरण ०३:३६
'जन्तर मन्तर' रहमान साकेत ०२:२८
'अल्लाब्बी अल्लाब्बी' कासरला श्याम रेवन्त, दिविजा कार्तिक ०३:२४
'एन्टा चित्रम' रहमान समीरा भारद्वाज ०४:११

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Team 'Dwaraka' speaks, मूलसँ २०१७-०१-०२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२०-०८-२९  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  2. Chowdhary, Y. Sunita (१७ फरबरी २०१५), "This film came at the right time", The Hindu, मूलसँ २६ जून २०१९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३० अगस्त २०१७ 
  3. Ramavat, Mona (२३ सितम्बर २०१७), "Serial kisser Deverakonda is the Emraan Hashmi of Telugu cinema", India Today, मूलसँ १७ फरबरी २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ११ फरबरी २०२० 
  4. Vyjayanthi Network (१५ जनवरी २०१५), "Yevade Subramanyam Theatrical Trailer - Nani, Malavika Nair", मूलसँ २४ फरबरी २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३० अगस्त २०१७ – YouTubeद्वारा।