सामग्री पर जाएँ

धम्पुस

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
धम्पुस
Dhampus
धम्पुस
गाउँ विकास समिति
देश नेपाल
अञ्चलगण्डकी अञ्चल
जिलाकास्की जिला
जनसङ्ख्या
 (२०११)
 • कुल२,७५३
समय क्षेत्रयुटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय)

धम्पुस नेपालक पश्चिमाञ्चल विकास क्षेत्रक गण्डकी अञ्चल, कास्की जिलामे अवस्थित गाँउ विकास समिति छी। ई ठाममे ६२० टा घर अछि । एत पहुचक लेल पर्यटकसभ गाडिमे नै जाक पैदल जाएत अछि । ई ठाम अझ फिल्म सुटिङ्क लेल बहुत प्रसिद्ध अछि । एहि गाविसमे रहल ऐतिहासिक तथा धार्मिक पर्यटकीय स्थलसभ धम्पुसकोट, भुमे मन्दिर, नेवोताल वराह, सिद्घवराह मन्दिर आदि रहल अछि तथा पाराग्लाईडिङक लागि थाक डाँडा, तप्राङ मैदान आदि प्राकृतिक पर्यटकीय स्थलसभ छी।[]

जनसङ्ख्या

[सम्पादन करी]

नेपालक सन् २००१क जनगणना अनुसार धम्पुसक जनसङ्ख्या २९५० अछि।[] एहि मध्य पुरुष ४७%, आ महिला ५३% अछि।

अधिकांश पर्यटक माछापुच्छ्रे देखए लेल पोखरा जाएत अछि। मुदा, माछापुच्छ्रेक असली दृश्यावलोकन करएक अछि तँ धम्पुससँ बढिया ठाम और कोनो नै अछि । माछाक पुच्छर आकारक उपर भेलाक कारण एकर नाम माछापुच्छ्रे भेल अछि । धम्पुस पहुँचनाए हल्लुक अछि, पोखरासँ मात्र २५ किलोमिटर पश्चिम। पोखराक बाग्लुङ बसपार्कसँ बाग्लुङ जाएवाला बस जाएत अछि । एतसँ सार्वजनिक बस पकैर वा ट्याक्सी लक आधा घण्टामे फेदी पहुच सकै छी । एतसँ शुरु होएत अछि, जङ्गलसँ घेरल रास्तामे पदयात्रा। जल्दी चलवालाक एक घण्टा, अस्थिरसँ चलवालाक दुई घण्टा, तेकर बाद आइब जाइया- गन्तव्य धम्पुस ! धम्पुससँ देखाई वाला हिमालमात्रे नाई, पोखरासँ फेदीतक गाडीमे यात्रा करैत काल देखाई वाला फाँट, खोलासभ सेहो कम मनमोहक नैअछि। फेदीमे भेल होटलसभमे सजाक राखल सुखैइ देखलाक बाद खायल बिना नै रहि सकै छी । डाँडा पहुचनासाथ शुरु होएत धम्पुसक होटल, सफावस्ती आर स्वागत करि बैसल रहल धम्पुसबासीक व्यवहार पर्यटकक एना लुभावैत अछि कि एक रातक लेल जाएवालाक सेहो अपन बसाइँ बेसी दिन कर मन लागैत अछि।

शीर्ष पाठ शीर्ष पाठ
प्रवेशः पोखरा
यातायातः ट्याक्सी, बस, पैदल
बास होटल, क्याम्प
अवधिः १―२ दिन
आकर्षणः माछापुच्छ्रे आ गुरुङ संस्कृति
उचित मौसम: आश्विन-वैशाख
खर्चः रु.३००-रु.७०० (प्रति दिन)
उचाइः १७५० मीटर

१७५० मिटरमे रहल धम्पुसमे कोदो, धान, आलु, सागक बढिया उबजाऊ होएत अछि । रासायनिक मल बिनाक तरकारी, सुखैइ, लोकल मुर्गा खाएत हिमालक सौन्दर्य नजदिकसँ देखानाइ कम आनन्ददायी नै होएतअछि । एतक मौसम सेहो गज्जबक अछि,न बहुत जाड न गर्मी ।

सन्दर्भ सामाग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "धार्मीक, ऐतिहासीक तथा पर्यटकीय स्थलसभ", कास्की जिला विकास समिति 
  2. "नेपाल जनगणना २००१", मूलसँ २००७-०७-०८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच मे १९  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)

बाहिरी जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखु

[सम्पादन करी]