नीना गुप्ता

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
नीना गुप्ता
Neena Gupta
नीना गुप्ता
नीना गुप्ता
जन्म (१९५९-०७-०४) ४ जुलाई १९५९ (उमर ६४)
व्यवसायअभिनेत्री, निर्देशक
सक्रिय वर्ष१९८२–वर्तमान


नीना गुप्ता (जन्म: ४ जुलाई १९५९) हिन्दी चलचित्रक एक अभिनेत्री, टेलिभिजन कलाकार आ चलचित्र निर्देशक तथा निर्मात्री छी। हुनका वर्ष १९९० मे चलचित्र "वो छोकरी' क लेल उत्कृष्ट सहायक अभिनेत्रीक राष्ट्रिय चलचित्र पुरस्कार मिलल छल। ओ अस्सीक दशकमे प्रसिद्द क्रिकेटर भिभ रिचर्ड्सक साथ अपन प्रेम समबन्धक कारण काफ़ीफी चर्चामे रहल; आ सन् १९८९ मे ओ भिभसँ बिना विवाह केनए बेटी मसाबाक जन्म देलक।[१]

व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]

नीना गुप्ताक जन्म नयाँ दिल्लीमे भेल आ ओ सनावर लौरेन्स स्कूलमे शिक्षा ग्रहण करलक। हुनकर पिताक नाम आरएन गुप्ता छल। वेस्ट इन्डिजक प्रसिद्द क्रिकेट खेलाडी भिभियन रिचर्ड्ससँ हुनका एक बेटी मसाबा गुप्ता अछि जे एक प्रसिद्द फ्यासन डिजाइनर छी। नीना सन् २००८ मे पेशासँ चार्टर्ड एकाउन्टेन्ट विवेक मेहरासँ विवाह केलक।[२]

नामाङ्कन आ पुरस्कार[सम्पादन करी]

नीनाक सन् १९९० मे चलचित्र "वो छोकरी' क लेल उत्कृष्ट सहायक अभिनेत्रीक राष्ट्रिय चलचित्रक पुरस्कार मिलल छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]