सामग्री पर जाएँ

पूर्णिया

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

पूर्णिया भारतक बिहार प्रान्तक एकटा जिला एवं जिला मुख्यालय अछि। एतसँ नेपाल तथा पूर्वोत्तर भारत जाएक रास्ता अछि। एन एच ३१ जेकि इस्ट-वेस्ट कोरीडरक हिस्सा अछि उत्तर भारतक आसाम, सिक्कीम, मेघालय, अरुणाचल, त्रिपुरा, नागालैंड, मणीपुर, मिजोरम तथा भुटानस जोडति अछि । पूर्णिया पुर्वी बिहारक सबसँ पैग नगर अछि । ई नगर स्वास्थ्य सेवा, मोटर पार्ट, अनाज आ किराना मंडीके कारण पूरा पूर्वी भारतम विख्यात अछि। मुगले कालसँ पूर्णिया प्रशासनिक दृष्टीकोणसँ महत्वपूर्ण स्थान रहल अछि, अंग्रेज़ी शासनक दौरमे एतसँ आस-पासक इलाकासभ पर नियंत्रण कएल जाएत छल । वर्तमानमें पूर्णिया प्रमंडलीय मुख्यालय छी जेकर अन्तर्गत पूर्णिया, कटीहार, अररिया आ किशनगंज जिला आबैत अछि ।

पूर्णिया, सौरा नदीक पूर्वी किनार पर स्थित नगर अछि । एतसँ कारागृह तथा कार्यालयसभक इमारतसभ बढिया स्थिति मे अछि । कम्बल, चटाइसभ आ सरसोंक तेल पेरौन आदि के काम होएत अछि तथा एतक उत्पादित वस्तुसभ एतहि खपि जाएत अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]