बिहार सङ्ग्रहालय
![]() | |
स्थापना | अगस्त १५, २०१५ |
---|---|
स्थान | पटना, बिहार |
प्रकार | कला आ संस्कृति |
Curator | रणवीर सिंह राजपूत[१] |
वेबसाइट | biharmuseum.org/hi |
बिहार सङ्ग्रहालय पटनामे अवस्थित एक कला सङ्ग्रहालय छी।[२] ई सङ्ग्रहालय सन् २०१५ अगस्तमे आंशिक रूपसँ खोलल गेल छल जखन 'बच्चासभक सङ्ग्रहालय', मुख्य प्रवेश क्षेत्र आ एक अभिविन्यास रङ्गमञ्च सार्वजनिक रूपसँ खोलि देल गेल छल। बादमे, सन् २०१७ अक्टुबरमे शेष दीर्घासभ सेहो खोलल गेल छल। एतय पटना सङ्ग्रहालयसँ १०० सँ बेसी कलाकृतिसभ स्थानान्तरित कएल गेल छल।
इतिहास
[सम्पादन करी]

ई सङ्ग्रहालयक कल्पना बिहार राज्यक लेल एक इतिहास सङ्ग्रहालयक रूपमे कएल गेल छल। एकर स्थापनाक ध्येय एहि क्षेत्रक हजार वर्षक इतिहास केर जनता समक्ष लेनाए तथा बिहारक समृद्ध विरासत आ ऐतिहासिक स्थलसभ आ सांस्कृतिक आकर्षणसभ केर पता लगेनाए छल ताकि स्थानीय निवासीसभ आ विश्वक चारो दिससँ आएल आगन्तुकसभक लेल ई सङ्ग्रहालय प्रेरक बनि सकै। सन् २०१३ अक्टुबरमे पटनाक बेली रोड पर निर्माण सुरुवात कएल गेल छल।
ई सङ्ग्रहालय निर्माणक लेल अनुमानित ४९८ करोड़ रूपया विनियोजित कएल गेल छल। ई सङ्ग्रहालय ५.६ हेक्टेयरमे फैलल अछि।[३]
एहो सभ देखी
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "CM to Inaugurate Bapu Meeting Hall and Bihar Museum on Monday", २०१७-१०-०२, मूलसँ १ दिसंबर २०१७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१७-११-२६। PatnaDaily.com
- ↑ "बिहार संग्रहालय : इतना सुंदर बना है कि देखनेवाले विरोध करना भूल जायेंगे : सीएम", प्रभात खबर, मूलसँ ७ नवंबर २०१७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ४ नवंबर २०१७।
- ↑ "Sister Act: Patna Museum is in stellar company with the newly minted Bihar Museum", ArchitecturalDigest.in, मूलसँ १४ नवंबर २०१७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १४ नवंबर २०१७।