बीर अस्पताल
बीर अस्पताल Bir Hospital | |
---|---|
सुविधासभ | |
शैयासभ | ४५८ शैयासभ |
इतिहास | |
स्थापना | १८८९ |
लिङकसभ | |
वेबसाइट | आधिकारिक पृष्ठजाल |
बीर अस्पताल नेपालक सभसँ पुरान तथा व्यस्त अस्पतालमे सँ एक छी। ई अस्पताल वि.सं. १९४६ साउन (सन् १८८९ जुलाई) मे बीर शम्शेरद्वारा स्थापित कएल गेल छल ओही लेल एकरा बीर अस्पताल कहल गेल अछी। ई काठमाडौँ शहरक केन्द्रमे खुलामञ्च आगा अवस्थित अछि। ई अस्पताल सन् २००३ पश्चात एक सरकारी एजेन्सी चिकित्सा विज्ञान राष्ट्रिय प्रतिष्ठान मार्फत सञ्चालित अछि।
अस्पताल देशभरक सभ तह आ तप्का व्यक्तिसभक लेल उच्च गुणस्तरक चिकित्सा तथा शल्य चिकित्सा उपचार प्रदान करैत अछि। ग्रामिण भेगक बहुतरास बिमारसभ ई अस्पतालमे निशुल्क चिकित्सा सेवा लै कऽ लेल दूर-दूरसँ आवैत अछि। हाल अस्पतालमे ५३५ शैयाक क्षमता रहल अछि। देशक प्रसिद्ध डाक्टरसभमे सँ किछु एही अस्पतालमे कार्यरत अछि।
इतिहास
[सम्पादन करी]विशेषकरि विपन्न एवम् असहाय वर्गक लेल लक्षित करि वि.सं. १९४६ साउनमे १५टा अन्तरङ्ग शैयासहित स्थापना भेल अछि। ई अस्पतालक स्थापना बीर शम्शेरक समयमे होमएसँ एकरा बीर अस्पताल कहल गेल अछि। ई अस्पताल बहुतरास समय सँ बिमारीसभक चिकित्सा सहयोग प्रदान कऽ रहल अछि।
सुविधासभ
[सम्पादन करी]प्रकोप प्रतिक्रिया
[सम्पादन करी]अस्पतालक प्रकोप व्यवस्थापन योजना काठमाडौंक नेशनल स्टेडियममे मचल भगदड़ घटनाक बाद १९८८ मे पहिल बेर प्रयोग कएल गेल छल।
नेफ्रोलोजी
[सम्पादन करी]नेपालमे नेफ्रोलोजी सेवाक सुरुवात बीर अस्पतालमे सुरु भेल अछि। हरेक वर्ष ४०कऽ हाराहारीमे मृगौला बायोप्सी होमएत अछि।