भारतीय साहित्य

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Jump to navigation Jump to search
भारतक राष्ट्र गीत कऽ रचयिता बंकिम चन्द्र चट्टोपाध्याय

भारतीय साहित्य सँ तात्पर्य सन् १९४७ कऽ पहिने धरि भारतीय उपमहाद्वीप आ तत्पश्चात् भारत गणराज्यमे निर्मित वाचिक आ लिखित साहित्य सँ अछि। दुनियामे सभ सँ पुरान वाचिक साहित्य आदिवासी भाषासभमे भेटैत अछि। ई दृष्टि सँ आदिवासी साहित्य सम्पूर्ण साहित्यक मूल स्रोत छी। भारतीय गणराज्यमे २२ आधिकारिक मान्यता प्राप्त भाषासभ अछि। जहिमे मात्र २ आदिवासी भाषासभ - संथाली आ बोड़ो कऽ शामिल कएल गेल अछि। वर्तमान समयमे भारतमे मुख्यतः दुई साहित्यिक पुरस्कार प्रदान कएल जाएत अछि, साहित्य एकेडमी पुरस्कार तथा ज्ञानपीठ पुरस्कारहिन्दी तथा कन्नड भाषासभकें आठ-आठ ज्ञानपीठ पुरस्कार प्रदान कएल गेल अछि। बङ्गाली भाषामलयालम भाषा कऽ पाँच-पाँच, उडिया कऽ चारि; गुजराती, मराठी, तेलुगुउर्दू क तीन-तीन, तथा असमिया, तमिल कऽ दुई-दुई आ संस्कृत कऽ एक ज्ञानपीठ पुरस्कार देल गेल अछि।[१][२]

भूमिका[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]