असमिया भाषा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
असमिया
Assamese
असामी, असमिया (ओक्छोमिया)[१][२]
असामी लिपिमे लिखल शब्द ओक्छोमिया
उच्चारण:आकृति:IPA-as
बाजल जाइवाला  स्थान:भारत
आरम्भ:२०१०
प्रयोग क्षेत्र:असम, अरुणाचल प्रदेशनागाल्यान्ड[३]
समुदाय:असमिया लोक
मातृभाषी:१५ मिलियन
भाषा परिवार:
शाखा भाषा:
लिपिपूर्वी नागरी
आधिकारिक अवस्था
आधिकारिक भाषा
 भारत (असम)
नियन्त्रण कर्ताअसम साहित्य सभा
भाषा कोड:
आइएसओ ६३९-१as
आइएसओ ६३९-२asm
आइएसओ ६३९-३asm
भाषावेधशाला59-AAF-w
Indic script
Indic script
इ पन्नामे हिन्दीक संग संगे अन्य भारतीय लिपिसभ अछि। पर्याप्त सफ्टवेयर समर्थनक अभावमे अहाँ अनियमित स्थितिमे स्वर वा मात्रासभ तथा संयोजक देख सकैत छी। आओरो...

असमिया भाषा (/ˌæsəˈmz/)[४] वा असामी[५][६][७]एक पूर्वी भारोपेली भाषा छी जे भारतीय राज्य असममे मुख्यतया बाजल जाइत् अछि । ई असम राज्यक आधिकारिक भाषा सेहो छी । आधुनिक भारतीय आर्यभाषासभक शृङ्खलामे पूर्वी सीमा पर अवस्थित असमक भाषाकें असमी, असमिया अथवा आसामी कहल जाइत अछि । असमिया भारतक असम प्रान्तमे बाजल जाइवला प्रमुख भाषा छी । भाषा परिवारक दृष्टिसँ एकर सम्बन्ध आर्य भाषा परिवार सँ अछि आ बाङ्ग्ला, मैथिली, उड़ियानेपालीसँ एकर निकट सम्बन्ध अछि ।

गियर्सनक वर्गीकरणक दृष्टिसँ ई बाहरी उपशाखाक पूर्वी समुदायकें भाषा छी, मुदा सुनीतिकुमार चटर्जीक वर्गीकरणमे प्राच्य समुदायमे एकर स्थान अछि । उड़िया भाषा तथा बङ्गला भाषा जका असामीकें सेहो उत्पत्ति प्राकृत तथा अपभ्रंशसँ भेल पुष्टि कएल गेल अछि ।

यद्यपि असमिया भाषाक उत्पत्ति सत्रहम् शताब्दीसँ भेल मानल जाइत अछि मुदा साहित्यिक अभिरुचिसभक प्रदर्शन तेरहम् शताब्दीमे रुद्र कन्दलीक द्रोण पर्व (महाभारत) तथा माधव कन्दलीक रामायणसँ प्रारम्भ भेल । वैष्णवी आन्दोलनद्वारा प्रान्तीय साहित्यकें बल प्रदान केलक । शंकर देव (१४४९-१५६८) अपन लम्बा जीवन-यात्रामे ई आन्दोलनकें स्वरचित काव्य, नाट्य आ गीतसभ सँ जीवित राखने छल ।

सीमाक दृष्टिसँ असमिया क्षेत्रक पश्चिममे बङ्गला भाषा उपस्थित अछि । अन्य दिशासभमे बहुतेक भिन्न परिवारसभक भाषासभ बाजल जाइत अछि । एहिमे सँ तिब्बती भाषा, बर्मी भाषा तथा खासी भाषा प्रमुख अछि । ई सीमावर्ती भाषासभक गहीरगर प्रभाव असमियाक मूल प्रकृतिमे देखल जाए सकैत अछि । अपन प्रदेशमे सेहो असमिया एकमात्र भाषा नै छी जे बाजल जाइत अछि । ई प्रमुखत: मैदानक भाषा छी ।

असमिया या बङ्गला[सम्पादन करी]

बहुत दिनधरि असमियाकें बङ्गला भाषाक एक उपबोली सिद्ध करवाक उपक्रम होइत रहल अछि । असमियाक तुलनामे बङ्गला भाषा आ साहित्यकें बहुमुखी प्रसारक नियार करि लोक ई प्रकारक धारण बनबैत चलि आबि रहल अछि । मुदा भाषावैज्ञानिक दृष्टिसँ बङ्गला आ असमियाक समानान्तर विकास बहुत सहज तरिकासँ देखल जाए सकैत अछि । मागधी अपभ्रंशक एक टा स्रोत सँ नि:सृत होमएक कारण दुनूमे समानताएँ भऽ सकैत अछि, मुदा ओकर आधार पर एक दोसरक बोली सिद्ध नै कएल जाए सकैत अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "2016. Ethnologue: Languages of the World, Nineteenth edition. Dallas, Texas: SIL International"SIL International। 2016।
  2. "The Indo-Aryan languages, Routledge Language Family Series, vol. 2, London and New York: Routledge" (PDF)George Cardona and Dhanesh Jain। 2003।
  3. "Assamese"। lisindia.net।
  4. "Assamese - definition of Assamese in English from the Oxford dictionary"मूलसँ 7 March 2016 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2 March 2016 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  5. "2016. Ethnologue: Languages of the World, Nineteenth edition. Dallas, Texas: SIL International"SIL International। 2016।
  6. "Consonant Germination and Compensatory Lengthening in Asamiya dialects: Contemporary standard and Central Assam" (PDF)Dipankar Moral - Gauhati University
  7. "International Conference on Universal Knowledge and Language. Goa, 25 - 27 November, 2002 - DEURI and TIWA: Endangered languages in the Brahmaputra valley" (PDF)Dipankar Moral, Gauhati University। November 2002। मूल (PDF)सँ 2017-10-11 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2018-02-21 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]