भीमराव आम्बेडकर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Jump to navigation Jump to search
भीमराव रामजी आम्बेडकर
Bhimrao Ramji Ambedkar
Dr. Bhimrao Ambedkar.jpg
युवा अवस्थामे बाबासाहेब आम्बेडकर
जन्म(१८९१-०४-१४)अप्रैल १४, १८९१
मृत्यु६ दिसम्बर १९५६(१९५६-१२-०६) (६५ वर्ष)
राष्ट्रियताभारतीय
अन्य नामसभमहान बोधिसत्त्व, बाबासाहेब
शिक्षाबी.ए., एम.ए., पी.एच.डी., एम.एससी., डी. एससी., एलएल.डी., डी.लिट., बार-एट-ल (जम्मा ३२ डिग्री अर्जीत)
मातृसंस्थामुम्बई विश्वविद्यालय
कोलम्बिया विश्वविद्यालय
लण्डन विश्वविद्यालय
लण्डन स्कूल अफ इकनमिक्स
सङ्गठनसमता सैनिक दल, स्वतन्त्र लेबर पार्टी, अनुसूचित जाति फेडरेशन, भारतक बौद्ध सोसायटी
शीर्षकभारतक प्रथम कानूनमन्त्री, संविधान मसौदा समितिक अध्यक्ष
राजनीतिक दलभारतीय रिपब्लिकन पार्टी
अभियानआम्बेडकर बौद्ध धर्म
जीवनसाथी(सभ)रमाबाई (वि. १९०६),
सविता आम्बेडकर (वि. १९४८)
पुरस्कारभारत रत्‍न (१९९०)


डा. भीमराव रामजी आम्बेडकर ( १४ अप्रिल , १८९१ -- ६ दिसम्बर , १९५६ ) एक भारतीय विधिवेत्ता तथा सुधारवादी छी। ओ एक राजनीतिक नेता, सुधारवादी बौद्ध गुरु तथा भारतीय संविधानक निर्माता सेहो छल। हुनका बाबासाहेब आम्बेडकर नामसँ सेहो चिन्हल जाइत अछि। 'बाबासाहेब'क अर्थ मराठी भाषामे पिता होइत अछि। हुनकर जन्म एक गरीब अस्पृश्य (अछूत) परिवारमे भेल छल। बाबासाहेब आम्बेडकर अपन सम्पूर्ण जीवन हिन्दू धर्मक हिन्दू वर्ण व्यवस्था, आ भारतीय समाजमे व्याप्त जातीय व्यवस्थाक विरुद्धक सङ्घर्षमे बितौलक। हिन्दू धर्ममे मानव समाजक चारि वर्णसभमे वर्गीकृत कएल गेल अछि। आम्बेडकरकें बौद्ध महाशक्तिसभक दलित आन्दोलन प्रारम्भ करवाक श्रेय सेहो जाइत अछि। बाबासाहेब आम्बेडकरकें भारत रत्नसँ सेहो सम्मानित कएल गेल अछि, जे भारतक सर्वोच्च नागरिक पुरस्कार छी।

ओ तखन अछूतसभ मानल गेल दलितमेसँ पहिल व्यक्ति छल जे बहुतरास सामाजिक आ वित्तीय बाधासभ पार करि, भारतमे कलेजक शिक्षा प्राप्त केलक। आम्बेडकर कानूनक उपाधि प्राप्त करवाक सङ्गे विधि, अर्थशास्त्रराजनीतिक विज्ञानमे अपन अध्ययन आ अनुसन्धानक कारण कोलम्बिया विश्वविद्यालयलण्डन स्कूल अफ इकनमिक्ससँ बहुतरास डक्टरेट डिग्रीसभ सेहो अर्जित केनए छल।

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

महान बोधिसत्त्व भीमराव अम्बेडकरक बाइस टा प्रतिज्ञासभ[सम्पादन करी]

महापरिनिर्वाण[सम्पादन करी]

महान बोधिसत्त्व भीमराव अम्बेडकरक किताब एवम ग्रन्थ[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]