भुवन बाम

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
भुवन बाम
Bhuvan Bam
व्यक्तिगत जानकारी
जन्म (१९९४-०१-२२) २२ जनवरी १९९४ (उमर ३०)[१]
राष्ट्रियताभारतीय
शिक्षाशहिद भगत कलेज (बी.ए.)
पेसा
  • युट्युबर
  • कमेडियन
  • गायक
  • गीत लेखक
युट्युब जानकारी
च्यानलसभBB Ki Vines
स्थानभारत
सक्रिय वर्ष२०१५–वर्तमान
प्रकृति
  • कमेडी
  • म्युजिक
पाठक१८ मिलियन
कूल झलक२.५ बिलियन
१,००,००० पाठकसभ २०१५
१०,००,००० पाठकसभ २०१६
10,000,000 subscribers २०१८
उद्यतन १२ जुन २०२०

भुवन बाम (जन्म २२ जनवरी १९९४)[१] एकटा भारतीय हास्य अभिनेता, गायक, गीतकार आओर दिल्ली, भारत के रहनीहार YouTube व्यक्तित्व छी। हुनका हुनकर YouTube कमेडी च्यानल "बीबी की भाइन्स" के लेल पहिचानल जाइत अछि। २०१८ मे, बाम १० मिलियन सब्सक्राइबर के पार करए वाला पहिल भारतीय व्यक्तिगत YouTube सामग्री निर्माता बनि गेल छल। ओ "बीबी की भाइन्स" प्राइभेट लिमिटेड के निर्देशक आओर हुनकर च्यानल के मर्चेन्टडाइज कम्पनी एएमबी युथियापा एलएलपी मे सेहो साझेदार अछि।


प्रारम्भिक जीवन आओर शिक्षा[सम्पादन करी]

बाम एकटा मराठी छी, जकर जन्म २२ जनवरी १९९४ मे बरोडा, गुजरातमे अवनीन्द्र आओर पद्म बामक घर भेल छल।[२] आगा जाके हुनकर परिवार दिल्ली स्थानान्तरित भेल छल। ओ अपन स्कूलक पढाई ग्रीन फील्ड्स स्कूल, दिल्ली सँ केलक आओर शहीद भगत सिंह कलेजसँ इतिहासमे स्नातक के उपाधि प्राप्त केलक।

करियर[सम्पादन करी]

बाम एकटा भिडियो अपलोड केनए छल अपन इन्टरनेट करियर के शुरुआत में, जाहिमे ओ एकटा समाचार रिपोर्टर के व्यङ्ग केनए छल, जाहिमे एकटा महिला सँ कश्मीर के बाढि के कारण अपन बेटा के मृत्यु के बारे मे असंवेदनशील प्रश्न पुछल गेल छल। ई भिडियो पाकिस्तान मे भाइरल भऽ गेल छल, जाहिसँ बाम जून २०१५ मे अपन स्वयम् के यूट्यूब च्यानल बनावे के लेल प्रेरित भेल छल।

बीबी की भाइन्स[सम्पादन करी]

"बीबी की भाइन्स" एकटा YouTube च्यानल छी, जेकर २-८ मिनट के लम्बा भिडियो में एकटा शहरी किशोर-किशोरी के जीवन के दर्शाओल जाइत अछि, आओर ओकर मित्रसभ आओर परिवार के साथ ओकर सनकी बातचीत - सभ स्वयम् बामद्वारा अभिनित रहैत अछि। हुनकर यूट्यूब च्यानल मे १७.८ मिलियन सब्सक्राइबर अछि आओर हुनका बन्छोड दास, समीर फुद्दी, टीटू मामा आओर मिस्टर होला जेहन भूमिका निर्वाह करए के लेल जानल जाइत अछि।

भिडियो, बामद्वारा एकटा मोबाइल फोन के फ्रन्ट क्यामेरा के उपयोग करैत शूट कएल जाइत अछि। ओ मूल रूप सँ अपन भिडियो फेसबुक पर अपलोड करैत अछि, आओर फेर बादमे YouTube पर चलि जाइत अछि।

सङ्गीत भिडियो आओर अन्य कार्यसभ[सम्पादन करी]

अगस्ट २०१६ मे, बाम एकटा सङ्गीत भिडियो "तेरी मेरी कहानी" जारी केनए छल। एकर बाद "सँग हुँ तेरे", "सफर", "रहगुजर" आओर "अजनबी" जेहन म्युजिक भिडियो जारी केनए छल। ओ दिव्या दत्त के साथ एकटा लघु फिल्म, "प्लस माइनस" मे सेहो दिखाई देनए छल, जे हुनका फिल्मफेयर पुरस्कार विजेता बना देनए छल। डिसेम्बर २०१८ मे, ओ "टीटू टक्स" नामक YouTube पर एकटा नवका डिजिटल श्रृंखला शुरू केलक, जाहिमें शाहरुख खान पहिल अतिथि के रूप में शामिल भेल छल।

२०१९ में ओ अपन यूट्यूब च्यानल पर "अजनबी" गीत जारी केनए छल। गीत के यूट्यूब पर ११ मिलियन सँ अधिक बेर देखल जाऽ चुकल अछि।

पुरस्कारसभ[सम्पादन करी]

वर्ष अवार्ड श्रेणी परिणाम स्थान सन्दर्भ सामग्री
२०१९ फिल्मफेयर अवार्ड्स बेस्ट शोर्ट फिल्म विजयी मुम्बई, भारत [३]


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ BB Ki Vines | Bhuvan Bam answers Most Googled Questions in a quirky way | Safar-Official Music Video। 13 June 2018। event occurs at 02:04। अन्तिम पहुँच 16 September 2018
  2. २.० २.१ BBC News Hindi (28 June 2019), Bhuvan Bam अपने YouTube चैनल BB Ki Vines से कितना पैसा कमाते हैं? (BBC Hindi), अन्तिम पहुँच 29 June 2019
  3. "Bhuvan Bam Talks About Creating Content and His Filmfare Win"The Quint (अंगरेजीमे)। 4 April 2019।

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]