सामग्री पर जाएँ

मङ्गलयान

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मङ्गल कक्षित्र मिशन
Mars Orbiter Mission
भारतीय मङ्गलयान : कलाकारक अवधारणा
मिसन प्रकारमङ्गल कक्षीयान
सञ्चालकइसरो
कोसपर क्रम2013-060A
स्याटक्याट क्रम39370
वेबसाइटमार्स अर्बिटर मिशन
मिसन अवधियोजना: ६ महिना []
बितल:२ साल, ९ महिना, ३० दिन (०४/०९/१६ क अनुसार)
अन्तरिक्ष यानक गुणसभ
बसआई-२के
निर्माताभारतीय अन्तरिक्ष अनुसन्धान सङ्गठन उपग्रह केन्द्र
प्रक्षेपित तौल१,३३७.२ किग्रा (२,९४८ पाउन्ड)[]
बोल तौल≈५५० किग्रा (१,२१० पाउन्ड)
सुक्खा तौल४८२.५ किग्रा (१,०६४ पाउन्ड)[]
पेलोड तौल१३.४ किग्रा (३० पाउन्ड)[]
आयामसभ१.५ मी (४.९ फिट) घन
शक्ति८४० वाट सौर्य सेल[]
मिसन आरम्भ
प्रक्षेपण तिथि५ नवम्बर २०१३, ०९:०८ युटिसी[]
रकेटध्रुवीय उपग्रह प्रक्षेपण यान-एक्सएल सी25 []
प्रक्षेपण स्थानसतीश धवन अन्तरिक्ष केन्द्र
निकायइसरो
कक्षीय मापदण्डसभ
सन्दर्भ प्रणालीमङ्गलकेन्द्रिक
पेरी३७७ किमी (२३४ माइल)
एपो८०,००० किमी (५०,००० माइल)
प्रवृति१७.८६४ डिग्री[]
मङ्गल परिक्रमा
कक्षीय सम्मिलन२४ सितम्बर २०१४ ०२:०० युटिसी[]
कक्षा प्यारामिटर
पेरीएरियन४२१.७ किमी (२६२.० माइल)[]
एपोएरियन७६,९९३.६ किमी (४७,८४१.६ माइल)[]
प्रवृति१५०.०° []
उपकरणसभ
मिथेन सेन्सर, थर्मल इन्फ्रारेड स्पेक्ट्रोमिटर, मार्स कलर क्यामरा, लमेन अल्फा फोटोमिटर, मङ्गल बहिर्मण्डल उदासीन संरचना विश्लेषक
----
मङ्गल ग्रहक लेल भारतीय मिशनसभ
मङ्गलयान-२

मङ्गलयान, (औपचारिक नाम- मङ्गल कक्षित्र मिशन, लुआ त्रुटि package.lua में पंक्ति 80 पर: module 'Module:Lang/configuration' not found।; मार्स अर्बिटर मिशन), भारतक प्रथम मङ्गल अभियान छी । ई भारतक प्रथम ग्रहसभक बीचक मिशन छी । वस्तुत: ई भारतीय अन्तरिक्ष अनुसन्धान सङ्गठनक एक महत्वाकांक्षी अन्तरिक्ष परियोजना छी । ई परियोजनाक अन्तर्गत ५ नवम्बर २०१३ के २ बजिके 38 मिनट पर मङ्गल ग्रहक परिक्रमा करैक हेतु छोड़ल गेल एक उपग्रह आन्ध्र प्रदेशक श्रीहरिकोटा स्थित सतीश धवन अन्तरिक्ष केन्द्र सँ ध्रुवीय उपग्रह प्रक्षेपण यान (पिएसएलभी) सी-२५ द्वारा सफलतापूर्वक छोड़ल गेल ।

एकर संगे भारत सेहो आब ओहि देशसभमे शामिल भ गेल अछि जे मङ्गल ग्रहपर अपन यान भेज्ने अछि । ओना आई धरि मङ्गल जाइक लेल शुरू कएल गेल दुई तिहाई अभियान असफल भेल अछि मुदा २४ सितम्बर २०१४ के मङ्गल पर पहुँचैक साथे भारत विश्वमे अपन प्रथम प्रयासमे सफल होमएवला पहिल देश तथा सोभियत रूस, नासायुरोपेली अन्तरिक्ष एजेन्सीक बाद दुनियाक चारिम देश बनि गेल अछि । एकर अतिरिक्त ई मङ्गल पर भेजल गेल सबसँ सस्ता मिशन सेहो छी । भारत एसियाक देशसभमे सँ ऐहन करैवला प्रथम देश बनि गेल । कियाकि एहिसँ पहिने चीनजापान अपन मङ्गल अभियानमे असफल रहल छल। [१०][११]

वस्तुतः ई एक प्राविधिक प्रदर्शन परियोजना छल जकर लक्ष्य अन्तरग्रहीय अन्तरिक्ष मिशनसभक लेल आवश्यक डिजाइन, नियोजन, प्रबन्धन तथा क्रियान्वयनक विकास करनाए अछि ।[१२] अर्बिटर अपन पाँच उपकरणसभक संग मङ्गल ग्रहक परिक्रमा करैत रहत तथा वैज्ञानिक उद्देश्यक प्राप्त करैक लेल तथ्याङ्क तथा चित्र पृथ्वी पर भेजत ।[१०] अन्तरिक्ष यान पर वर्तमानमे इसरो टेलिम्याट्री, ट्रयाकिङ आ कमाण्ड नेटवर्क, बेङ्गलोरक अन्तरिक्षयान नियन्त्रण केन्द्रसँ भारतीय डिप स्पेस नेटवर्क एन्टिनाक सहायतासँ नजर रखल जा रहल अछि ।[१३]

प्रतिष्ठित टाइम पत्रिका मङ्गलयानके सन् २०१४ के सर्वश्रेष्ठ आविष्कारसभमे शामिल केनए छल ।[१४]

२३ नवम्बर २००८ के, मङ्गल ग्रहक लेल एक मानव रहित मिशनक पहिल सार्वजनिक अभिस्वीकृतिक घोषणा इसरोक अध्यक्ष माधवन नायरद्वारा कएल गेल छल । [१५] मङ्गलयान मिशनक अवधारणा सन् २००८ मे चन्द्र उपग्रह चन्द्रयान-१क प्रक्षेपण बाद अन्तरिक्ष विज्ञान आ भारतीय प्राविधिक संस्थानद्वारा सन् २०१० मे एक व्यवहार्यता अध्ययनक साथ शुरू भेल । भारत सरकार परियोजनाके ३ अगस्त २०१२ मे मञ्जुरी देनए छल । [१६] एकर बाद भारतीय अन्तरिक्ष अनुसन्धान सङ्गठन १२५ करोड़ टाका (१९$ मिलियन) क अर्बिटरक लेल आवश्यक अध्ययन पूरा केलक । परियोजनाक कुल लागत ४५४ करोड़ टाका (६७$ मिलियन) भेल । [१७]

अन्तरिक्ष एजेन्सी २८ अक्टुबर २०१३ प्रक्षेपणक योजना बनौलक । मुदा प्रशान्त महासागरमे खराब मौसमक कारण इसरो अंतरिक्ष यान ट्रयाकिङ्ग जहाजसभके पहुँचैमे देरी भेल । जाहिसँ अभियानके ५ नवम्बर २०१३ धरि स्थगित करि देल गेल छल ।[१८]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Mars Orbiter Spacecraft completes Engine Test, fine-tunes its Course", Spaceflight 101, २२ सितम्बर २०१४, मूलसँ ११ अक्टुबर २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २४ सितम्बर २०१४ 
  2. २.० २.१ Arunan, S.; Satish, R. (२५ सितम्बर २०१५), "Mars Orbiter Mission spacecraft and its challenges", Current Science 109 (6): 1061–1069, डिओआई:10.18520/v109/i6/1061-1069 
  3. "Mars Orbiter MIssion - Payloads" (पीडीएफ), इसरो (अंग्रेज़ीमे), इसरो, अक्टूबर २०१३, अन्तिम पहुँच ५ नवम्बर २०१३ 
  4. "Mars Orbiter Mission Spacecraft", ISRO, मूलसँ २५ दिसम्बर २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २३ दिसम्बर २०१४  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  5. "India to launch Mars Orbiter Mission on November 5", The Times of India, Times News Network, २२ अक्टुबर २०१३, अन्तिम पहुँच २२ अक्टुबर २०१३ 
  6. "Mars Orbiter Mission: Launch Vehicle", ISRO, मूलसँ २५ नवम्बर २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २३ दिसम्बर २०१४  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  7. Mars Orbiter Mission (MOM) - Manglayaan (15 अक्टूबर 2013)
  8. Tucker, Harry (२५ सितम्बर २०१४), "India becomes first country to enter Mars' orbit on their first attempt", Herald Sun, Agence France-Presse, अन्तिम पहुँच २४ सितम्बर २०१४ 
  9. ९.० ९.१ ९.२ "Mars Orbiter Spacecraft Successfully Inserted into Mars Orbit" (Press release), ISRO, २४ सितम्बर २०१४, मूलसँ २५ सितम्बर २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २४ नवम्बर २०१६  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  10. १०.० १०.१ "पहली ही कोशिश में मङ्गल तक पहुंचा भारत", नवभारत टाईम्स, २४ सितंबर २०१४, अन्तिम पहुँच २४ सितंबर २०१४ [permanent dead link]
  11. "मार्स ऑर्बिटर मिशन: महत्वपूर्ण घटनाओं का क्रम", नवभारत टाईम्स, २४ सितंबर २०१४, अन्तिम पहुँच २४ सितंबर २०१४ [permanent dead link]
  12. सन्दर्भ त्रुटि: अमान्य <ref> टैग; bs1 नामक संदर्भ की जानकारी नहीं है
  13. "Mangalyaan successfully placed into Mars Transfer Trajectory", Bihar Prabha, १ दिसम्बर २०१३, अन्तिम पहुँच १ दिसम्बर २०१३ 
  14. "'टाइम' पत्रिका ने भारत के 'मङ्गलयान' को 2014 के सर्वश्रेष्ठ आविष्कारों में शामिल किया", http://khabar.ndtv.com, २१ नवम्बर २०१४, मूलसँ २०१५-०२-१९ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १९ फ़रवरी २०१५ 
  15. "After Chandrayaan, its mission to Mars: Madhavan Nair", Oneindia, United News of India, २३ नवम्बर २००८, अन्तिम पहुँच १ अप्रैल २०१५ 
  16. "Cabinet clears Mars mission", The Hindu, ४ अगस्त २०१२, अन्तिम पहुँच १० अगस्त २०१२ 
  17. "India's Mars mission gets Rs. 125 crore", Mars Daily, Indo-Asian News Service, १९ मार्च २०१२, अन्तिम पहुँच ४ फरबरी २०१४ 
  18. "India plans mission to Mars next year", The Daily Telegraph, १६ अगस्त २०१२, अन्तिम पहुँच ८ सितम्बर २०१२ 

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]

आकृति:भारतीय अन्तरिक्ष कार्यक्रम