मञ्जुश्री थापा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मञ्जुश्री थापा
Manjushree Thapa
मञ्जुश्री थापा
जन्म१९६८
काठमाण्डौ, नेपाल
पेशालेखिका
राष्ट्रियताक्यानेडियाली
अवधि१९८९+ - वर्तमान
शैलीउपन्यास, लघु कथा सङ्ग्रह, निबन्ध
उल्लेखनीय कामसभफोरगेट काठमाण्डौ (२००५)
ट्युटर अफ हिस्ट्री (२००१)
सिजन्स अफ फ्लाइट (२०१०)
नातेदारडा. भेख बहादुर थापा (पिता),
भाष्कर थापा (भाइ), तेजश्री थापा (बहिन)
Website
manjushreethapa.com

मञ्जुश्री थापा के जन्म काठमाण्डौ में भेल छल मुद्दा ओ एक गोटे क्यानेडियाली निबन्धकार, कथा लेखक, अनुवादक आ नेपाली मूल के सम्पादक छि।[१]


जीवनी[सम्पादन करी]

मञ्जुश्री थापा नेपाल, क्यानाडासंयुक्त राज्य अमेरिका में पलल बढल् अछि। ओ रोड आइल्याण्ड स्कूल अफ डिजाइन में फोटोग्राफी में अपन बी.ए.फ.ए. पूरा करवाक समय में लेख रचना लिखनाए शुरू केनए छल। हुनकर पहिल पुस्तक मुस्ताङ भोट फ्र्यागमेन्ट्स (१९९२) छल।[२]सन् २००१ में ओ उपन्यास द ट्यूटर अफ हिस्ट्री के प्रकाशित केलक, जेकरा ओ सिएटल में वासिङ्गटन विश्वविद्यालय में रचनात्मक लेखन कार्यक्रम में एमएफए थेसिस के रूप में शुरू केनए छल, जाहिमे ओ फुलब्राइट विद्वान के रूप में भाग लेनए छल। इन्द्र बहादुर राइ के एकटा अनुवाद के बारे में हुनकर अनुवाद आइ के कार्निभल टुडे २०१७ PEN अमेरिका हेम ट्रान्सलेशन ग्रान्ट विजेता भेल छल। १ फरवरी २००५ में नेपाल में सत्ता के उलट-पुलट सँ किछ हप्ता पहिने प्रकाशित हुनकर सभसँ चर्चित पुस्तक फोरगेट काठमाण्डौ:एन एलेगी फोर डेमोक्रेसी (२००५) छल। ई पुस्तक के सन् २००६ में लेट्रे यूलिस अवार्ड के लेल शर्टलिस्ट कएल गेल छल।[३]

पुस्तक के प्रकाशन के पश्चात, थापा उलट-पुलट के विरुद्ध में लिखवाक लेल देश छोडि देनए छल। सन् २००७ में ओ एकटा लघु कहानी सङ्ग्रह, टिल्ड अर्थ प्रकाशित केलक। सन् २००९ में ओ नेपाली पर्यावरणविद: ए बोय फ्रम सिकलीस: द लाइफ एण्ड टाइम्स अफ चन्द्र गुरुङ के जीवनी प्रकाशित केनए छल। आगा साल ओ एक उपन्यास प्रकाशित केलक, सिजन्स अफ फ्लाइट (२०११) में ओ एकटा ननफिक्सन कलेक्शन, दी लाइभ्स वी ह्याभ लस्ट: एसेइज एण्ड ओपिनियन्स अन नेपाल प्रकाशित केलक। हुनकर नवीनतम पुस्तक अल अफ अस इन आवर लाइभ्स सन् २०१६ में दक्षिण एसिया में प्रकाशित भेल, जे कि एकटा उपन्यास छि। ओ न्यूयोर्क टाइम्स में ओप-एड्स में सेहो योगदान देनए अछि।[४][५]


ग्रन्थ सूची[सम्पादन करी]

फिक्सन

  • ट्युटर अफ हिस्ट्री (२००१)
  • टिल्ड अर्थ (२००७)
  • सिजन्स अफ फ्लाइट (२०१०)
  • अल अफ अस इन् आवर लाईभ्स (२०१६)

नन-फिक्सन

  • मुस्ताङ भोट इन् फ्र्यागमेन्ट्स (१९९२)
  • फोरगेट काठमाण्डौ (२००५)
  • ए बोय फ्रम सिक्लिस (२००९)
  • दी लाईभ्स वी ह्याभ लस्ट (२०१२)

अनुवाद

  • ए लिफ इन् अ बेगिङ बोल रमेश विकल द्वारा (२०००)
  • दी कन्ट्री इज योर्स (२००९)
  • देयर्स अ कार्निभल टुडे इन्द्र बहादुर राई द्वारा (२०१७)


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Kathmandu Centre for Social Research and Development. Nepal Studies (2005). Studies in Nepali history and society. Mandala Book Point. प॰ 459. https://books.google.com/books?id=RV1uAAAAMAAJ. अन्तिम पहुँच तिथि: 5 April 2011. ""Senior" Nepali language writers have not been able to come to terms with the fact that Manjushree Thapa and Samrat Upadhyay have been established as the two important representatives of contemporary writings in English. ..." 
  2. "2017 PEN America Literary Awards Winners - PEN America"PEN America (अमेरिकी अंग्रेज़ीमे)। 2017-03-27। अन्तिम पहुँच 2017-08-02
  3. "Forget Kathmandu: An Elegy for Democracy"। openDemocracy। 2006-09-15। अन्तिम पहुँच 2012-07-15
  4. Thapa, Manjushree (22 February 2011)। "Nepal's Stalled Revolution"The New York Times
  5. Thapa, Manjushree। "Waiting at the Top of the World"New York Times। अन्तिम पहुँच 22 May 2016


बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]