सामग्री पर जाएँ

मधेश प्रदेश सरकार

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

मधेश प्रदेश सरकार, स्थानीय रूपसँ प्रदेश सरकारक नामसँ जानल जाइत अछि। नेपालक प्रदेशसभमे सँ एक मधेश प्रदेश सर्वोच्च शासकीय प्राधिकरण अछि जाहिमे ८ जिला अछि।

प्रदेशक प्रमुख सङ्घीय मन्त्रिपरिषदक अनुशंसा पर नेपालक राष्ट्रपतिद्वारा प्रदेश प्रमुख नियुक्त कएल जाइत अछि, जखन कि सङ्घीय सरकारद्वारा पहिने मुक्त नहि कएल जाइत अछि।[] प्रदेशक प्रमुख गभर्नर अर्थात् प्रदेश प्रमुख होइत अछि आ मुख्यमन्त्री कार्यपालिका प्रमुखक पद पर रहैत अछि। प्रदेश प्रमुखक भूमिका बहुत हदधरि अनुष्ठानात्मक होइत अछि कियाक त सरकारक कामकाजक प्रबन्धन पूर्ण रूपसँ मुख्यमन्त्रीद्वारा कएल जाइत अछि। राज्यपाल नेपालक संविधानक अनुच्छेद आ धाराक आधार पर मन्त्री आ मुख्यमन्त्रीक नियुक्ति करैत अछि।

प्रदेश सरकार अपन राजधानी जनकपुरमे कायम रखैत अछि आ मधेश प्रदेश प्रदेश सरकार सचिवालयमे बैसल अछि।

पृष्ठभूमि

[सम्पादन करी]

नेपालक प्रदेशसभा निर्वाचन, २०७४ केर बाद तत्कालीन प्रदेश नम्बर २ कऽ सरकार सन् २०१८ फेब्रुअरी ४ मे गठन भेल छल।[] प्रदेश नम्बर २ कऽ वर्तमान प्रदेश सभा संरचना एक सदनीय अछि आ एकरामे १०७ प्रदेश सभा सदस्य (६४ सदस्य प्रत्यक्ष निर्वाचनद्वारा निर्वाचित होइत अछि तँ ४३ गोटे समानुपातिक निर्वाचन प्रणाली केर माध्यमसँ चुनल जाएत अछि। प्रदेश सभा केर सामान्य कार्यकाल पाँच वर्षक होइत अछि।

कार्यकारी

[सम्पादन करी]

प्रदेश सभा

[सम्पादन करी]
  • मधेश प्रदेशक सभामुख : रामचन्द्र मण्डल

ई प्रदेश प्रतिनिधि लोकतन्त्रक संसदीय प्रणालीद्वारा सञ्चालित अछि। मधेश प्रदेशक प्रदेश सभा संरचना एक सदनीय अछि। मधेश प्रदेशक प्रादेशिक सभामे १०७ सदस्य रहैत अछि जे पाँच वर्षक कार्यकाल लेल निर्वाचित होइत अछि। ई प्रदेश नेपालक संसद केर निचला सदन, प्रतिनिधि सभा मे ३२ सिट आ उच्च सदन राष्ट्रिय सभा मे ८ सिटक योगदान दैत अछि।[][]

न्यायपालिका

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Cabinet recommends guvs, names ad hoc 'workstations'", The Himalayan Times (en-USमे), २०१८-०१-१७, अन्तिम पहुँच २०१९-०५-३१
  2. "Seven chief ministers set to take oath", kathmandupost.ekantipur.com (Englishमे), अन्तिम पहुँच २०१९-०५-३१
  3. "Nepal elections explained", www.aljazeera.com, अन्तिम पहुँच २०१९-०६-०४
  4. "CDC submits its report with 165 electoral constituencies", kathmandupost.ekantipur.com (Englishमे), अन्तिम पहुँच २०१९-०६-०४
  5. "उच्च अदालत जनकपुर", supremecourt.gov.np, मूलसँ २०२२-०१-२७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२२-०१-१५ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)

बाहरी कड़ी

[सम्पादन करी]