मिसनरिज अफ च्यारिटी
मिसनरीज अफ चैरिटी एकटा रोमन कैथोलिक लैटिन-राइट धार्मिक जनसमूह थीक, जकर स्थापना सन् १९५० मे मदर टेरेसा केने छलीह । एहि संगठन मे ४,५०० सँ बेसी [ सेवकगण ]]सभ अछि ।[१][२][३]
स्थापना
[सम्पादन करी]ई लेख एखन अपूर्ण अछि। अहाँ एकरा पैग बना विकिपिडियाक सहायता कऽ सकैत छी। |
मदर टेरेसा (२६ अगस्त, १९१० - ५ सितंबर १९९७), कलकत्ताक संत टेरेसा नाम सं सेहो प्रसिद्ध, अल्बानी-भारतीय रोमन कैथोलिक [ख्रीस्त] संयासिनी ओ मिशनरी अफ चैरिटीक सदस्या [लक्ष्यक प्रति समर्पित दातव्य सेविका] छलीह । यद्यपि पारपत्र [पासपोर्ट]मे हुनक नाम अन्जेज़े गोन्ज्हे बोजाग्झ्यू [अल्बानियाई -आब स्कोपजे-उत्तरी मकदूनिया] अंकित छल । अठारह वर्ष स्कोपजे मे रहलाक बाद ओ आयरलैंड चलि गेलीह आ तत्पश्चात भारत अयलीह, एतय अपन जीवनक अधिकांश भाग बीतयलीह ।
१९५० मे, मदर टेरेसा मीशनरी अफ चैरिटी, एकटा रोमन कैथोलिक जनसमूहक स्थापना केलनि जाहि मे ४,५०० संन्यासिनी छल जे सभ १३३ देस मे २०१२ धरि सक्रिय सेविका छलीह । ई जनसमूह एचआइभी/एड्स वा कुष्ट किंवा क्षय रोग सन गंभीर रोगी सभक लेल रहबाक स्थानक प्रबंध करैत अछि । मिशनरी द्वारा गर्म तीमनक झोर सन सामिष वा निरामिष पेय [सूप] बनवयवला रसोइ, दवाखाना, सचल औषधालय, धीया-पूता ओ परिवारीजन के सूझाव देबा' लेल कार्यक्रमक आयोजनक संग अनाथालय ओ विद्यालय सेहो चलैत अछि । सदस्य सभ सतीत्व, गरीबी ओ आज्ञाकारिताक प्रतिज्ञा करबाक संग चारिम संकल्प'पूर्ण हृदय सं गरीबक सं गरीबक नि:शुल्क सेवा अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Muggeridge poo faceer 3, "Mother Teresa Speaks,", pp. 105, 113
- ↑ "Australian Founder of Missionary Brothers of Charity Dies"। Cathnews.acu.edu.au। Catholic Online। 2000-10-13। अन्तिम पहुँच 2011-12-22।
- ↑ "Mother Teresa – Biography"। Nobelprize.org। Nobel Media AB। अन्तिम पहुँच 2011-06-09।